१ कोरन्थी 8
8
मुरतिके चरहेल्हा चिज
1आब हम मुरतिके चरह्याल खाइबला चिजके बारेमे कहैचियौ। अपनासब जान्बे करैचियै कि, अकर बारेमे अपनासबसङे ग्यान छै। ग्यान लोकके घमन्डी बनाबैछै महज परेम लोकके उन्नती कराबैछै। 2यदि कोनो लोक “हम जानैचियै” कहैछै त, बास्तममे उ जतेक जानैके चाही, उ जान्ने नै रहैछै। 3महज जे लोक परमेस्वरके परेम करैछै, परमेस्वर ओकरा चिन्हैछै।
4तैखातिर मुरतिके चरह्याल खाइले मिलैछै कि नै मिलैछै तैके बारेमे हमसब जानैचियै कि, सनसारके मुरती किछो नै चियै आ एक मातरे परमेस्वर बाहेक औरो कोइ नै छै। 5अकासमे या पिरथिबीमे नाम मातरेके बहुतो देबी-देउतासब छै। कतहेक लोक एहेन बहुतो देबी-देउतासब आ भगवानसबके पुजैछै। 6महज हमसब जानैचियै कि, अपनासबके एक मातरे परमेस्वर पिता छै, जकरसे सब चिजके सिरिस्टी भेलै आ हमसब ओकरे लेल जियैचियै। अपनासबके थाहछै कि, अपनासबके एक मातरे परभु, येसु खिरिस्ट छै। ओकरेसे सबकुछ सिरिस्टी भेलै आ जकरसे हमसब जियैचियै।
7महज सब बिस्बासी लोकके यि ग्यान नै हैछै। ओकरासबके मुरतिपुजाके आदत भेलाके कारन अखुन्तो मुरतिके चरह्याल चिज खाइछै त साँचोके मुरतिके चरह्याल चिज खाइचियै कैहके ठानैछै। ओइसबके मनमे एहेन गलत बिचार भेलाके कारन उ खेलासे “हम असुध भेलियै” कैहके ठानैछै। 8महज खाइबला चिजसबसे अपनासबके परमेस्वरके नजदिक नै पुगाबैछै। हमसब नहियोखेबै त कोनो नोक्सानी नै हेतै आ खेबो करबै त कोनो फैदो नै हेतै।
9महज तुसब होसियार रह, तोरासबके खाइ-पियैबला चिजसबके स्वतन्तरतासे बिस्बासमे कमजोरसबके लेल बाधाके कारन नै बने। 10यदि कोनो कमजोर बिस्बास भेल लोक तोरासब जखा ग्यान भेल लोकके मन्दिरमे मुरतिके चरह्याल चिज खाइत देख्तौ त, ओकरा मुरतिके चरह्याल चिज खाइले साहस मिल्तै महज ओकरा आपने मन दोख लगाइतै। 11एहेन कमजोर बिस्बासी भाइ तोहर ग्यानके कारनसे नास हैछै, जकर खातिर खिरिस्ट मरलै। 12अहिनङके तुसब कमजोर बिस्बासीसबके बिरोधमे पाप करैचिही आ उसबके मनमे चोट पुगाके खिरिस्टके बिरोधमे पाप करैचिही। 13तैखातिर हमर खाइबला चिजसे हमर आपने बिस्बासी भाइ नास हैछै त हमर भाइ नास नै हेबे कैहके हम कहियो मासु नै खेबै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
१ कोरन्थी 8: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.