१ कोरन्‍थी 7

7
बियाहके बारेमे सिक्‍छा
1आब हम तोरासबके लिखल चिठीमे, “लोक बियाह नै करनाइ असल चियै” पुछलहा बातके बारेमे कहैचियौ। 2बेबिचारमे फसैबला अबस्‍था अनेक भेलाके कारन सब पुरुख लोकके आपन-आपन घरबाली हेबे आ सब जनिके आपन-आपन घरबला हेबे। 3घरबला आपन घरबालीके ओकर बैबाहिक हक देबे आ तहिनङे घरबालीयो आपन घरबलाके देबे। 4घरबाली आपन देहमे अधिकार नै राखैछै, महज ओकर घरबला राखैछै। तहिनङे घरबला आपन देहमे अधिकार नै राखैछै, महज ओकर घरबाली राखैछै। 5घरबला आ घरबाली एक-दोसरके सारिरीक समबन्‍धसे इन्‍कार नै कर। इन्‍कारो करबिही त परथनामे समय बिताबैके लेल एक-आपसमे सल्‍लाह कैरके कुछ समयके लेल अलग रह। तब फेर एकसाथ रह, नै त तुसब आपन मन थामैले नै सक्‍लाके कारनसे सैतान तोरासबके परिक्‍छामे पारतौ।
6हरेक लोक बियाह करैले परतै कहैबला बात हम नै कहैचियौ महज चाहेबला हरेक गोरा बियाह करैले सक्‍तै कैहके कहैचियौ। 7सबलोक हमरे जखा बियाह नै कैरके रहे से हमर इक्‍छाछै। महज कोनो लोक परमेस्‍वरसे बियाह करैबला बरदान पाबने छै त कोनो लोक नै करैबला।
8आब हम बियाह नै करलाहासब आ बिधुवासबके कहैचियौ, कि तुसब हमरे जखा बियाह नै करबिही त असल हेतौ। 9महज उसब आपन मनके बसमे राखैले नै सकैछै त उसब बियाह करे। कथिलेत मनके बसमे नै राखैले सक्‍लासे त बरु बियाह करनाइ असल चियै।
10आब हम बियाह करलहासबके करा आग्‍या दैत कहैचियौ, हमर आग्‍या नै, महज परभुके आग्‍या चियौ। घरबाली आपन घरबलासे अलग नै हेबे।#मती ५:३२, १९:९, मरकुस १०:११,१२, लुका १६:१८ 11यदि उ आपन घरबलासे अलग हेतै त, उ फेरसे बियाह नै करे। यदि उ फेनसे सङे रहैले चाहतै त आपन घरबलासङे मिलाप करे। तहिनङे घरोबला आपन घरबालीके नै त्‍यागे।
12महज आब हम औरो लोकसबके कहैचियौ। यि हमर आग्‍या चियौ, परभुके नै, यदि ककरो खिरिस्‍टमे बिस्‍बास नै करैबली घरबाली छौ आ ओकर घरबाली आपन घरबलासङे रहैले चाहैछै त, घरबला आपन घरबालीके नै त्‍यागे। 13तहिनङे ककरो खिरिस्‍टमे बिस्‍बास नै करैबला घरबला छौ आ ओकर घरबला आपन घरबालीसङे रहैले चाहैछै त, घरबाली आपन घरबलाके नै त्‍यागे। 14कथिलेत बिस्‍बास नै करैबला घरबला आपन बिस्‍बास करैबाली घरबालीके कारनसे पबितर हैछै आ बिस्‍बास नै करैबाली घरबाली आपन बिस्‍बास करैबला घरबलाके कारनसे पबितर हैछै। नै त ओइसबके धियापुतासब असुध हेतियै महज आब उसब परमेस्‍वरमे पबितर रहैछै। 15महज बिस्‍बास नै करैबला घरबला या घरबाली अलग हैले चाहैछै त, उसब अलग हेबे। ओइ बखत बिस्‍बास करैबला घरबला या घरबाली बियाह बन्‍धनसे स्‍वतन्‍तर हैछै। कथिलेत परमेस्‍वर तोरासबके सान्‍तीमे रहैले बोलाइनेछै। 16हे घरबाली, तोरा कि थाह! सायद तोहर कारनसे तोहर घरबला उधार पाबैले सकतियौ कि? या हे घरबला, तोरा कि थाह! सायद तोहर कारनसे तोहर घरबाली उधार पाबैले सकतियौ कि?
17चाहे जे हेबे, परभु जकरा जनङके खटाइनेछौ आ जे बरदान देनेछौ, उ तहिनङके जिबन बिताबे। सब मन्‍डलीसबके लेल हमर नियम एह्‍या चियै। 18यदि कोनो लोक बिस्‍बास करैसे पहिने ओकर खतना भेल छै त, आब उ खतनाके चेन्‍हा मेटाइले नै चाहे। तहिनङे कोनो लोक बिस्‍बास करैसे पहिने ओकर खतना नै भेल छै त, आब उ खतना करैले नै चाहे। 19कथिलेत खतना करनाइ या नै करनाइ बरका बात नै चियै, महज परमेस्‍वरके आग्‍यापालन करनाइ सबसे बरका बात चियै। 20परमेस्‍वर तोरासबके बोलाबै बखत जे जनङ छेल्‍ही, उ ओह्‍या अबस्‍थामे रहे। 21परमेस्‍वर तोरा बोलाइ बखत कि तु ककरो दास छेल्‍ही? यदि छेल्‍ही त तकर चिन्‍ता नै कर, महज स्‍वतन्‍तर हैले मौका भेटैछौ त, स्‍वतन्‍तर भ्‍याजो। 22कथिलेत परभु बोलाबैसे पहिने जे दास छेलै, आब उ परभुमे स्‍वतन्‍तर लोक भेलछै। तहिनङे परभु बोलाइसे पहिने जे स्‍वतन्‍तर छेलै, उ खिरिस्‍टके दास भेलछै। 23परमेस्‍वर तोरासबके मोल तिरके किन्‍नेछौ, तैखातिर लोकसबके दास नै बन। 24हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, परमेस्‍वर जकरा जनङ अबस्‍थामे बोलाइनेछौ, उ तहिनङे अबस्‍थामे परमेस्‍वरसङे रहे।
25आब कुमारीसबके बारेमे हमरसङे परभुके आग्‍या किछो नै छौ। महज हम परभुके किरपासे एक बिस्‍बासयोग्‍य लोक भेलाके कारन तोरासबके यि सल्‍लाह दैचियौ। 26हम अखुन्‍का दुखके बिचार करैचियै त, जे जहिनङ अबस्‍थामे छै, उ तहिनङे अबस्‍थामे रहतै त निक हेतै। 27यदि तोरा घरबाली छौ त, आपन घरबालीसे अलग हैले नै खोज। यदि तोरा घरबाली नै छौ त, बियाह करैले नै चाह। 28यदि तु बियाह करबो करबिही त उ पाप नै चियै। तहिनङे यदि कुमाइर छौरी बियाह करतै त उ पाप नै करैछै। तैयो बियाह करैबलासबके अइ सनसारमे झनझट हैछै आ हम तोरासबके अइसे बचाइले चाहैचियौ।
29हे हमर भाइ-भैयासब, हमर कहैके मतलब यि चियै कि, समय एकदम कम छै। आबसे घरबाली हैबलासब घरबाली नै भेलसब जखा रहे। 30जेसब सोक करैछै उसब सोक नै करल जखा रहे आ खुसी हैबलासब खुसी नै भेल जखा हेबे। बेचबिखन करैबलासब आपनसङे किछो नै भेल जखा रहे। 31जेसब सनसारके चिज-बिज उपभोग करैछै उसब तैके कोनो वस्‍ते नै करल जखा करे, कथिलेत अइ सनसारके चिजसब नास भ्‍यारहल छै।
32तुसब जिबनके बारेमे चिन्‍ता नै कर कैहके हमर इक्‍छाछै। बियाह नै करल लोक परभुके कनङके खुस करबै तैमे धियान लगाइछै। 33महज बियाह करल लोक आपन घरबालीके कनङके खुस करबै तैमे धियान दैछै। 34एहेन लोकके मन दुइ दिसन हैछै। तहिनङे कुमाइर छौरी देह आ आत्‍मा दुनु कनङके पबितर राखबै कैहके परभुके बारेमे धियान लगाइछै। महज बियाह करल जनी आपन घरबलाके कनङके खुस राखबै कैहके सनसारके बातसबमे धियान दैछै।
35हम यि बात तोरासबके भलाइके लेल कहैचियौ, तोरासबके बियाह करैसे रोकैले नै चाहैचियौ, महज तुसब निक काम कैरके पुरा मनसे परभुके सेबा कर से कहैले चाहैचियौ।
36यदि कोनो लोकके मङनी भेल छौ आ उ लोक आपन मङनी भेल छौरिके निक बेबहार नै करल लागैछै आ उ छौरिके उमेर बितेलागलछै त उसब बियाह करे। अइमे कोनो पाप नै लागैछै। 37महज उ लोक बियाह नै करबै कैहके मनमे पका करनेछै आ जबरजस्‍तीमे नै परलछै, महज आपन मन बसमे राखैले सकैछै त, उ लोक बियाह नै करैले चाहैछै त निके करैछै। 38यदि उ लोक आपन मङनी भेल छौरिसे बियाह करैछै त असले करैछै महज बियाह नै करैछै त उ औरो निक करैछै।
39जाबेतक घरबला जिबित रहैछै ताबेतक घरबाली आपन घरबलाके अधिनमे रहैछै। महज ओकर घरबलाके मिरतु भेलाके बाद उ स्‍वतन्‍तर हैछै आ उ जकरसे बियाह करैके मन लागैछै तकरसे बियाह करे सकैछै महज उ बिस्‍बासी हैकेचाही। 40हमर बिचारमे यि छै कि, यदि उ फेरसे बियाह नै करतै त औरो बेसिसे खुस रहतै। यि सल्‍लाह हम परमेस्‍वरके आत्‍मासे दैचियौ।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

१ कोरन्‍थी 7: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល