१ कोरन्थी 9
9
परेरितसबके अधिकार आ करतब
1कि हम स्वतन्तर नै चियै से? कि हम परेरित नै चियै से? कि हम परभु येसु खिरिस्टके नै देखलियै से? कि तुसब परभुमे हमर कामके परतिफल नै चिही से? 2हम औरो लोकसबके लेल परेरित नै चियै तैयो कमसेकम तोरासबके लेल त चियौ। कथिलेत हम परभुके एक परेरित चियै कैहके तुहेसब हमर गबाही चिही। 3कोइ-कोइ हमर अधिकारके बारेमे सबाल करैछै। ओइसबके लेल हमर जबाफ एह्या चियै, 4कि हमरासबके खाइ-पियैके अधिकार नै छै? 5कि औरो परेरितसब जखा, परभुके भाइसब आ पतरुस जखा हम्हुसब आपन घरबाली ल्याके यातरा करैके अधिकार नै छै से? 6कि हमरा आ बरनाबासके मातरे पेट पालैके लेल काम करैले परतै? 7आपने खचरमे के सिपाहीके काम करैछै? के अङगुर खेती लग्याके ओकर फल खाइले नै पाबैछै? के गाइमाल पाइलके ओकर दुध पियैले नै पाबैछै?
8कि यि बात हम लोकके हिसाबसे कहैचियौ से? कि बेबस्था सेहो एहेन बात नै कहैछै से? 9कथिलेत मोसाके बेबस्थामे एहेन लिखल छै, “दौनी करैबला बरदके मुहमे जाबी नै लगा।” कि परमेस्वर बरदसबके लेल यि बात कहनेछै से?#बेबस्था २५:४, १ तिमोथी ५:१८ 10कि उ अपनासबके लेल नै कहनेछै? हँ, यि साँचोके अपनेसबके लेल लिखने छै। कथिलेत हर जोतैबला आ दौनी करैबला अनके कुछ हिसा पाब्बै तकर आसमे काम करैछै।
11तोरासबके बिचमे हमसब आत्मिक बिया छिटने चियौ। यदि हमसब तोरासबसे कुछ चिज लैचियौ त, कि उ अनियाय भेलौ से?#रोमी १५:२७ 12यदि तोरासबसे औरो परचार करैबलासब मुनासिब हकके दाबी करैछौ त कि हमरासबके झन बेसी हक नै छै?
महज यि हक हमसब उपयोग नै करनेचियै। खिरिस्टके सुसमाचार सुनाबैले कोनो बाधा नै हेबे कैहके सबकुछ सैहके रहैचियै। 13मन्दिरमे सेबा करैबला मन्दिरमे चरह्याल चिजसब खाइछै आ बेदीके सेबा करैबला लोक बेदीसे आपन हिसा पाबैछै। कि यि बात तोरासबके थाह नै छौ?#बेबस्था १८:१ 14अहिनङे सुसमाचार परचार करैबलासब सुसमाचारेसे गुजारा चलाबे कैहके परभु आग्या देनेछै।#मती १०:१०, लुका १०:७
15महज यि हकसबमेसे हम कोनो परयोग नै करनेचियै आ तोरासबके हमरा कुछ दैले परतौ कैहके हम नै लिखने चियौ। कथिलेत हमर गर्भ करैबला बातसे कोइ हमरा दुर कराबैछै त बरु हमरा मरनाइ असल चियै। 16यदि हम सुसमाचार परचार करैचियै त ओइमे घमन्ड करैबला कोनो कारन नै छै, कथिलेत यि काम हमरा करैये परतै। हम सुसमाचार परचार नै करबै त हमरा धिक्कार छै। 17यदि यि काम हम आपन इक्छासे करैचियै त, हम आपन इनाम पाबतियै। महज परमेस्वर हमरा यि कामके जिम्मेबारी देलाके कारनसे हम आपन करतब समैझके यि काम पुरा करैचियै। 18आब हमर इनाम कि चियै त? हक अनुसार पाबैबला कोनो पैसा नै ल्याके फोकटमे सुसमाचार परचार कैरके पाबैबला आनन्दे हमर इनाम चियै।
19हम लोकसबसे स्वतन्तर चियै तैयो बहुतो गोरेके खिरिस्टमे आनैले सकि कैहके सबके लेल हम आपनेके दास बनेलियै। 20जब हम यहुदीसबके बिचमे काम करैछेलियै तब खिरिस्टमे उसब बिस्बास करे कैहके हम यहुदी जखा भेलियै। तहिनङे मोसाके देल बेबस्थाके अधिनमे रहैबलासब खिरिस्टमे बिस्बास करे कैहके हम बेबस्थाके अधिनमे नै रहियोकेभी बेबस्थाके अधिनमे रहल जखा भेलियै। 21जब हम बेबस्था नै भेलसबके बिचमे छेलियै, खिरिस्टमे उसब बिस्बास करे कैहके हम बेबस्था नै भेलसब जखा भेलियै। अकर मतलब हम मोसाके देल बेबस्था नै मानैचियै कैहके नै कहैचियौ। हम त झन खिरिस्टके बेबस्थाके मानैचियै। 22हम कमजोर लोकसबके बिचमे काम करैबखत उसब खिरिस्टमे बिस्बास करे कैहके हम्हु कमजोर भेलियै। हम सबके लेल सबकुछ बैन गेलियै ताकि हरतरहसे लोकसबके खिरिस्टमे बचाबैले सकि।
23हम सुसमाचार फैलाबैके लेल यि सबकुछ करैचियै ताकि हम आसिसके भागिदार भ्यासकी। 24दौरमे भाग लैबला सबकोइ दौरैछै महज एक गोरे मातरे इनाम पाबैछै से बात तोरासबके थाह नै छौ? तैखातिर तुसब इनाम पाब्बै तै किसिमसे दौर। 25खेलमे भाग लेबेबला खेलारी सब बातमे अनुसासनमे रहैले परैछै। उसब नास हैबला मुकुटके लेल एहेन करैछै, महज हमसब नास नै हैबला मुकुटके लेल एहेन करैचियै। 26तैल्याके हम बिना लक्छ नै दौरैचियै आ हबामे मुक्का मारैबला जखा हम मुक्का नै मारैचियै। 27हम आपन देहके बसमे राखैके लेल तालिम द्याके खेलारी जखा अनुसासनमे राखैचियै। नै त औरोके परचार करलाके बाद हम आपने अयोग्य ठहरबै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
१ कोरन्थी 9: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.