१ कोरन्थी 15
15
खिरिस्ट मरलसे जिके उठलै
1हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आब हम तोरासबके परचार करल सुसमाचारके बारेमे फेरसे याद कराइले चाहैचियौ, तुसब जे सुसमाचार गरहन करलिही आ तैमे अस्थिर चिही। 2हमर परचार करल उ सुसमाचारमे बिस्बास करैले नै छोरबिही त तुसब उधार पाबबिही, नै त तोरासबके करल बिस्बास बेरथ हेतौ।
3हम जे पाबलियै ओह्या सबसे मुख बिसयके रुपमे तोरासबके सोइप देलियौ, अरथात पबितर धरमसास्तर अनुसार खिरिस्ट अपनासबके पापके खातिर मरलै।#यसैया ५३:५-१२ 4उ गारलगेलै आ पबितर धरमसास्तर अनुसार तेसर दिनमे परमेस्वर ओकरा फेरसे जिबित करल्कै।#भजनसङगरह १६:८-१०, मती १२:४०, परेरित २:२४-३२ 5तब उ पतरुस लग देखा परलै, तकरबाद बारहो चेलासबलग परगट भेलै।#लुका २४:३४, मती २८:१६,१७, मरकुस १६:१४, लुका २४:३६, युहन्ना २०:१९ 6तकरबाद उ पाँच सयसे बेसी बिस्बासी भाइ-भैयासब लग एकेसाथ परगट भेलै। ओकरा देखैबलासब कतहेक गोरे मैरगेलै आ कतहेक गोरे अखुन्तो जिबितछै। 7तकरबाद उ याकुब आ सब परेरितसब लग परगट भेलै।
8सबसे पछा, समय नै पुगल अबस्थामे जलमल लोक जखा हमरो लग परभु परगट भेलै। 9हम परेरितसबमेसे सबसे तुच्छ चियै। हम परेरित कहैके योग्यके नै चियै कथिलेत हम परमेस्वरके मन्डलीके सताइने चियै। 10महज हम जे चियै, उ परमेस्वरके अनुगरहसे चियै आ हमर उपर करल ओकर अनुगरह बेकार नै भेलै। हम औरो परेरितसबसे बेसी मेहनत करलियै। बास्तममे काम करैबला हम नै, महज हमरसाथमे भेल परमेस्वरके अनुगरहसे काम करनेचियै। 11तैखातिर चाहे हम, चाहे औरो परेरितसब, हमसब ओह्या परचार करैचियै, ओइमे तुसब बिस्बास करनेचिही।
मरल लोकसब जिके उठैबला बात
12परमेस्वर खिरिस्टके मरलसे जियाके उठेल्कै कैहके हमसब परचार करैचियै त, कनङके तोरासबमेसे कोइ-कोइ मरल लोक जिके नै उठतै कहैचिही? 13यदि मरल लोकसब जिके नै उठैछै त खिरिस्टो मरलसे जिके नै उठलै। 14यदि खिरिस्ट मरलसे जिके नै उठलै त अपनासबके परचार बेरथ हैछै आ तोरोसबके बिस्बास बेरथ हेतौ। 15अतबेहेक नै, अपनासब त परमेस्वरके बारेमे झुठ बोलैबलासब जखा हेब्ही, कथिलेत परमेस्वर खिरिस्टके मरलसे जियाके उठेल्कै कैहके हमसब गबाही दैचियै। यदि मरल लोकसब जिके नै उठैछै त, परमेस्वर सेहो खिरिस्टके जिबित नै करल्कै। 16यदि मरलसबके जिके नै उठेतै त, खिरिस्ट सेहो मरलसे जिबित नै कर्याल गेलै। 17खिरिस्ट मरलसे जिबित नै कर्याल गेलछै त, तोरासबके बिस्बास बेरथ छौ आ तुसब अखुन्तो आपन पापमे चिही। 18तब त खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मरलहासब सेहो नास भेल छै। 19यदि खिरिस्टमे अपनासबके आसा अइ जिन्गीके लेल मातरे राखने चियै त, अपनासबके सबलोकसे बेसी दयाके खाँचो परैछै।
20बास्तममे, खिरिस्ट त मरलसे जियाल छै, जे मरलसबमेसे पहिल्का फल चियै। 21कथिलेत जनङ एकटा लोकके कारन सबकोइके मरे परलै, तहिनङे एकेटा लोकके कारन मरल लोकसब जिके उठतै। 22जनङ आदममे सबकोइ मरैछै, तहिनङे खिरिस्टमे बिस्बास करैबला सबकोइ जिबित हेतै। 23महज हरेक लोक आपन-आपन पालमे जिके उठतै। सबसे पहिने खिरिस्ट जिके उठतै, तकरबाद खिरिस्ट फेर एतै तखैन ओकरमे बिस्बास करैबला सबकोइ जिके उठतै। 24तब सनसारके अन्त हेतै। तैबखत सब सासन, अधिकार आ सक्तिके नास कैरके खिरिस्ट आपन पुरे राज परमेस्वर पिताके सोइपदेतै। 25कथिलेत खिरिस्ट आपन सब दुस्मनसबके आपन टाङके तरमे नै राखैतलिक ओकरा राज करैये परतै।#भजनसङगरह ११०:१ 26तैमे सबसे पछा नास हैबला दुस्मन त मिरतु चियै। 27कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “परमेस्वर सबकुछ खिरिस्टके अधिनमे राइखदेने छै।” महज यि परस्टछै कि “सबकुछ” कहाइके मतलब परमेस्वर सबकुछ खिरिस्टके अधिनमे राइखदेने छै महज आपने खिरिस्टके अधिनमे नै छै।#भजनसङगरह ८:९ 28जब सब चिज खिरिस्टके अधिनमे राखैछै तब बेटा स्वयम परमेस्वरके अधिनमे रहैछै। जे सब चिज आपन बेटाके अधिनमे राइखदेनेछै ताकि परमेस्वर सब चिज उपर अधिकार करे।
29यदि मरल लोकसब जिके नै उठतै त, मरल लोकसबके सम्झनामे लेल बप्तिस्माके कोन अरथ भेलै त? यदि मरल लोकसब जिके नै उठैछै त लोकसब ओइसबके लेल कथिले बप्तिस्मा लैछै? 30यदि मरलसे जिके नै उठतै त हमसब मैरके जि उठैके बारेमे परचार कैरके आपन जिबनके कथिले घरी-घरी खतरामे पारबै? 31हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबके कारन परभु येसु खिरिस्टमे हम गर्भसे यि कहैले सकैचियौ, कि हम दिनदिने मिरतुके खतरामे परैचियै। 32लोकसबके हिसाबसे कहैचियौ त, एफिसस सहरमे हम जङली जानबरसब जखा लोकसबसङे लराइ कैरके हमरा कि फैदा भेलै? यदि मरल लोक जिके नै उठैछै त “खो आ पि, कथिलेत हमसब त काइल मैर जेबै।”#यसैया २२:१३
33एहन बातसबके धोखामे नै पर। कथिलेत खराब सङहतसे असल लोक सेहो बिगरैछै। 34होसमे या आ आबसे पाप नै कर। कथिलेत तोरासबमेसे कतहेक गोरे परमेस्वरके नै चिन्हनेचिही। यि त तोरासबके लेल सरमके बात चियौ।
मरलसे जिके उठैबला देह
35तोरासबमेसे कोइ कहतौ, “मरल लोकसब कनङके जिके उठतै आ उसब केहन किसिमके देह धारन कैरके एतै?” 36हे मुरुख लोक! तुसब जे बिया छिटैचिही, से बिया नै मरतै त जलमबे नै करतै। 37तुसब गहुम या कोनो किसिमके अन छिटैचिही त बिया मातरे छिटैचिही, बरहल गाछ त नै रोपैचिही। 38महज परमेस्वर आपन इक्छा अनुसार ओइ बियाके रुप दैछै। हरेक किसिमके बियासे अलग-अलग परकारके गाछके रुप दैछै। 39तहिनङे सबके देह एके किसिमके नै हैछै। लोकसबके देह एक किसिमके छै त जिब-जानबरसबके देह दोसरे किसिमके आ चिरै-चुरगुनसबके एक किसिमके छै त माछसबके दोसरे किसिमके देह हैछै।
40देह सेहो स्वरगिय आ सन्सारिक हैछै। स्वरगिय देहके सुन्दरता एक किसिमके हैछै त सनसारके देहके सुन्दरता दोसरे किसिमके हैछै। 41सुरुजके इजोत एक किसिमके, चानके दोसर किसिमके आ तरासबके इजोत तेसर किसिमके छै। कथिलेत एकटा तराके इजोत दोसर तराके इजोतसे अलग हैछै। 42मरल लोकसब जिके उठतै त तहिनङ हेतै। जे देह बिनासमे गारैछै, उ नास नै हैबला देह ल्याके जिबित हैछै। 43अनादरमे उ गारल जाइछै महज महिमामे जिबित हैछै। कमजोरीमे उ गारल जाइछै महज सक्तिमे जिबित हैछै। 44भौतिक देहमे उ गारल जाइछै महज आत्मिक देहमे जिबित हैछै। यदि भौतिक देह छै त आत्मिक देह अबस्य हैछै। 45तैखातिर पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “पहिल्का लोक आदम जिबित परानी भेलै।” महज अन्तिम आदम अरथात खिरिस्ट जिबन दैबला आत्मा चियै।#उतपती २:७ 46पहिने आबैबला आत्मिक नै महज भौतिक देहमे छेलै, पाछु आबैबला भौतिक देहमे नै महज आत्मिक चियै। 47पहिल्का लोक आदम पिरथिबीके माटिसे बन्याल छेलै, महज दोसर लोक खिरिस्ट स्वरगसे एलै। 48पिरथिबीके लोकसब माटिसे बनल पहिल्का लोक जखा हैछै। तहिनङे स्वरगके लोकसब स्वरगसे एल लोक जखा हैछै। 49जहिनङे हमसब अखुन माटिसे बनल लोकके रुपमे धारन करनेचियै, तहिनङे एक दिन हमसब स्वरगके लोकके रुपमे धारन करबै।
50हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हम तोरासबके यि बात कहैले चाहैचियौ, कि मासु आ लहुसे बनल अपनासबके देह परमेस्वरके राजके हकदार हैले नै सक्तै। तहिनङे नास हैबला देह कहियो नास नै हैबला देहके हकदार हैले नै सक्तै। 51सुन! हम तोरासबके एकटा रहसके बात कहैचियौ, अपनासब कोइ नै मरबिही, महज सबकोइ परिबरतन हेतै।#१ थेसलोनिकी ४:१५-१७ 52यि परिबरतन आँखके एक मटकीमे, तुरहीके अन्तिम अबाजमे हेतै। तै समयमे तुरही बज्तै तब मरल लोकसब सबदिनके लेल जिबित हेतै आ अपना जिबित भेलसब परिबरतन हेबै। 53कथिलेत अपनासबके नास हैबला देह नास नै हैबला देहके रुपमे परिबरतन हेतै आ मरनसिल देह अमर रहैबला देहके रुपमे परिबरतन हैलेपरतै। 54जब नास हैबला देह नास नै हैबला देहमे आ मरनसिल देह अमर रहैबला देहके रुपमे परिबरतन हेतै, तब पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल बचन पुरा हेतै,
“मिरतु हारलै, जित पुरा भेलै।”#यसैया २५:८
55“ए मिरतु, तोहर जित कते?
ए मिरतु तोहर खिल कते?”#होसे १३:१४
56मिरतुके खिल पाप चियै आ पापके सक्ती बेबस्था चियै। 57महज परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टसे अपनासबके बिजय दैछै।
58तैखातिर हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, बिस्बासमे बलगर आ अस्थिर रह। तुसब परभुके काममे बरहैत जो, कथिलेत तुसब जानैचिही कि परभुमे तोरासबके मेहनत बेरथ नै हेतौ।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
१ कोरन्थी 15: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.