१ कोरन्थी 14
14
अगमबानी आ भसाके बरदानसब
1परेम करैबला बातमे लागल रह आ आत्मिक बरदानसब पाबैके लेल उतकट इक्छा राख। खास कैरके अगमबानीके बरदानसब बोलैके लेल इक्छा कर। 2कथिलेत जे आन भसामे बोलैछै उ लोकसबसङे नै, महज परमेस्वरसङे बोलैछै। उ कथी बोलैछै से कोइने बुझैछै, उ त पबितर आत्मासे रहसके बातसब बोलैछै। 3महज जे अगमबानी बोलैछै, उ दोसर लोकसबके आत्मिक रुपमे बौकार बनाबैछै, हौसला दैछै आ सान्तबना दैछै। 4जे आन भसामे बोलैछै, उ आपन आत्मिक बिरधी करैछै, महज जे अगमबानी बोलैछै, उ पुरे मन्डलीके आत्मिक बिरधी कराबैछै।
5तु सबकोइ आन भसा बोल कैहके हम चाहैचियौ, महज ओकरसे बेसी तुसब अगमबानी बोल कैहके हम चाहैचियौ। कथिलेत आन भसामे बोलेसे त बरु अगमबानी बोलनाइ बरका चियै। आन भसाके अरथ खोइल दैबला लोक रहतै तब मातरे मन्डलीके बिस्बासीसबके आत्मिक तवरमे बलगर बनाइतै। 6तैखातिर हे भाइ-भैयासब, यदि हम तोरासबके बिचमे आन भसामे बोल्बौ त तोरासबके कि फाइदा हेतौ? बरु परमेस्वरसे एल कोनो बातके परकास आ ग्यान-गुनके बात, अगमबानी या सिक्छा हम देबौ त तोरासबके फाइदा हेतौ।
7बौसली या बिना बजासबसे परस्ट धुन नै निकलतै त, कि बइजरहलछै कैहके के कहैले सक्तै? 8यदि तुरहीसे परस्ट धुन नै निकलतै त, युधके लेल के तयार हेतै? 9तहिनङे यदि तोरासबके बोलल भसा लोकसब नै बुझैछौ त, तुसब कि बोलैचिही कैहके के बुझतौ? तुसब त हबामे बोलल जखा मातरे हेब्ही। 10सनसारमे बहुतो भसासब छै आ हरेक भसाके अपने-आपके अरथ छै। 11यदि हम ककरो भसा नै बुझैचियै त, ओकरलेल हम परदेसी जखा हेबै आ उ हमर लेल परदेसी जखा हेतै। 12तहिनङे तुसब आत्मिक बरदानसबके खातिर एकदमसे इक्छा करलासे, उ बरदानसब बेसिसे परयोग कर। अनङ करबिही त मन्डलीके बिस्बासीसब आत्मिक तवरसे बलगर हेतै।
13तैखातिर जे आन भसामे बोलैछै, तकर अरथ बताबैके बरदानके लेल उ परथना करे। 14यदि हम आन भसामे परथना करैचियै त, हमर आत्मा परथना करैछै, महज हम कथी बोलैचियै से हम आपने नै बुझैचियै। 15आब हम कि करबै? हम आपन आत्मासे परथना करबै आ आपन मनसे सेहो बुझैबला भसामे परथना करबै। हम आपन आत्मासे भजन गाब्बै आ आपन मनसे सेहो बुझैबला आपन भसामे भजन गाब्बै। 16तुसब आत्मामे परमेस्वरके परसन्सा करबिही महज तोहर बात नै बुझैबला लोक तोहर बातमे सहमति जनाबैले कनङके “आमेन” कहतौ? कथिलेत उ तोहर कहल बात नै बुझैछौ। 17परमेस्वरके तु निकसे धन्यबाद देब्ही, महज ओइसे दोसर लोकके आत्मिक बिरधी नै करैछै।
18हम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै, कथिलेत हम तोरासबसे बेसी आन भसामे बोलैचियै। 19मन्डलीमे दस हजार सब्द आन भसामे बोलेसे त बरु औरो लोक हमर बात बुझे कैहके पाँचटा सब्द मातरे बोलैले चाहैचियै।
20हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब सोच-बिचारमे बच्चा जखा नै महज परिपक्क लोक जखा बन। खराब बातमे ठिक-बेठिक छुटयाबैले नै सकैबला बच्चा जखा हो। 21मोसाके बेबस्थामे परमपरभुके बोलल बात एहेनछै,
“गैर-यहुदीके लोकसबके भसामे
आ परदेसीसबके भसामे
हम यि लोकसबसङे बोल्बै,
तैयो उसब हमर बात नै सुन्तै।”#यसैया २८:११,१२
22जहिनङ आन भसासब बिस्बास करैबलासबके लेल नै महज बिस्बास नै करैबलासबके लेल चेन्हा चियै। तहिनङ अगमबानी त बिस्बास नै करैबलासबके लेल नै महज बिस्बास करैबलासबके लेल चेन्हा चियै। 23जब मन्डलीमे सबलोक जम्मा भ्याके आन भसा बोल्तै तब मन्डली बाहरके या बिस्बास नै करैबला लोकसब ओते एतौ त, कि उसब तोरासबके पागल भेलचिही कैहके नै कहतौ? 24महज सबगोरा अगमबानी करैबखत बिस्बास नै करैबला या मन्डली बाहरके लोक ओते एतौ त उ आपन भसामे बोलल बात सुनलाके कारन आपन पाप थाह पाबतै आ आपनेसे जाँचैले सक्तै। 25ओकर मन भितरके गुप्त बातसब बाहर एतै। तब उ ठेङहुनिया द्याके परमेस्वरके आराधना करतै आ “परमेस्वर साँचोके तोरासबके बिचमे छौ” तै बातके घोसना करतै।
मन्डलीमे भेला हैबला समयके नियम
26हे हमर भाइ-भैयासब, आब हम कथी कहबौ? तुसब एकसाथ जम्मा हैचिही त कोइ भजन गाबैछै, कोइ सिक्छा दैछै, कोइ परमेस्वरसे परगट भेल बात कहैछै, कोइ आन भसा बोलैछै आ कोइ आन भसाके अरथ खोइलदैछै। यि सब बातसबसे मन्डलीके आत्मिक तवरसे बिरधी कराबैछै। 27कोइ आन भसा बाजैछै त दुइगोरा या बेसिमे तिन गोरा एक-एक कैरके बाजे आ एकगोरा ओकर अरथ खोइलदेबे। 28महज ओते अरथ खोलदैबला कोइ नै छै त आन भसा बोलैबला लोक मन्डलीमे चुप रहे, उ आपनेसङे आ परमेस्वरसङे बोले। 29अगमबानी बोलैबला दुइ या तिन गोरा हेबे आ ओइसबके बोलल बात ठिक छै कि नै छै से औरोसब जाँच करे। 30महज बोलैत खिना औरो ककरो परमेस्वरसे कोनो सत बात परकट हैछै त पहिनेसे बोलैबला लोक चुप हेबे। 31तुसब सबकोइ एक-एक कैरके अगमबानी बोलैले सकबिही आ अहिनङ कैरके सबकोइ सिखे सकबिही तब सबकोइ उत्साह पाबबिही। 32अगमबक्तासबके आत्मा अगमबक्तेसबके अधिनमे रहैछै। 33कथिलेत परमेस्वर गोलमालके परमेस्वर नै चियै, महज सान्तीके परमेस्वर चियै। जनङ सब मन्डलीमे भेल्हा सन्तसबके तौरतरिका अनुसार परमेस्वरके बिस्बासीसबमे छै।
34जनिसब मन्डलीके सभामे चुप रहैके चाही। ओइसबके बाजैके अनुमति नै छै, महज बेबस्थामे कहल जखा उसब अधिनमे रहे। 35कोनो बातके बारेमे उसब पुछैले चाहैछै त, उसब घरेमे आपन-आपन घरबलाके पुछे। कथिलेत जनिसब मन्डलीमे बजनाइ सरमके बात चियै।
36कि परमेस्वरके बचन तोरेसबसे सुरु भेलछौ? कि उ बचन तोरेसबलग मातरे एलछौ? 37कोइ अपनाके अगमबक्ता या आत्मिक लोक सम्झैछै त हमर लिखल बात परभुके आग्या चियै कैहके ओकरा सुइकार करे। 38महज कोइ अकर वास्ता नै करतै त, ओकरो नै वास्ता करतै।
39अहै खातिर हे भाइ-भैयासब, अगमबानी बाजैले उटकट इक्छा राख आ आन भसा बाजैले मनाही नै कर। 40महज सबकाम ठिक आ बेबस्थित ढङसे कर।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
१ कोरन्थी 14: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.