मरकुस 2
2
लकबा मारल लोक निक भेलै
(मती ९:१-८, लुका ५:१७-२६)
1कन्हिक दिन बाद येसु कफरनहुम सहरमे घुइमके एलै। उ घरेमे छै कैहके लोकसब सुनल्कै। 2बहौत लोकसब जम्मा भेलाके कारनसे घरके भितर बाहरमे एकोरती कतौ ठाम नै छेलै। येसु परमेस्वरके बचनसे लोकसबके परचार करैतरहै।
3ओह्या बखत चारटा लोक एक गोरे लकबा मारल लोकके लके ओकरलग एलै। 4लोकसबके भिरके कारन ओकरलग जाइले कतौसे रस्ता नै भेटलाके बाद उसब छाइन्हमे चहैरके रस्ता बनाइल्कै तब बिमारीके ओकर झोल्ङा सहित निचा झाइरके येसुके अगामे राखल्कै। 5आपन उपर लोकसबके एहेन बिस्बास करल देखके येसु कहल्कै, “हे पिरिय, तोहर पापसब छमा भेल छौ।”
6ओते कुछ धरमगुरुवोसब बैठल छेलै आ मनमने एहेन बिचार कैररहल छेलै, 7“यि लोक कथिले अनङ बोलैछै? यि त परमेस्वरके निन्दा करैछै? पाप छमा करैले त परमेस्वर बाहेक औरो कोइ नै सक्तै!” 8तब तखुन्ते ओइसबके मनके बात बुइझके येसु कहल्कै, “तुसब कथिले एहेन बिचार करैचिही? 9ओइ लकबा मारल लोकके ‘तोहर पाप छमा भेलछौ’ कैहके कहनाइ कि ‘आपन बिछौना उठाके चल’ कहनाइ कोन उचित हेतै? 10महज दुनियामे मानबके बेटाके#२:१० मानबके बेटाके- यि सब्द पराय येसु अपने-आपके लेल परयोग करनेछै। पाप छमा करैके अधिकार छै से बात तुसब जान।” तब येसु लकबा मारल लोकके कहल्कै, 11“तु उठ! आपन झोल्ङा उठा आ बोइकके घर जो!” 12तब उ तखुन्ते सबकोइके सामनेमे उठलै आ आपन झोल्ङा उठाके गेलै। ओतेका सबलोक आस्चरजमे परलै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत कहल्कै, “एहेन काम त हमसब पहिने कहियो नै देख्ने छेलियै।”
येसु लेबीके छानल्कै
(मती ९:९-१३, लुका ५:२७-३२)
13येसु फेनो गालिल तालके पखामे गेलै। तब बहौत लोकसबके भिर ओकरलग एलै आ उसबके सिक्छा दैले लाग्लै। 14ओतेसे जाइतकाल येसु अल्फयासके बेटा लेबीके बटी उठाइबलाके अड्डामे बैठल देखके कहल्कै, “हमर पछा लाग।” लेबी उठके ओकर पछा लाग्लै।
15लेबी आपन घरमे येसु आ ओकर चेलासबके भोज खाइले बोलाइल्कै। ओइ भोजमे बहुत बटी उठाइबलासब आ पापी लोकसब बैठल छेलै। (कथिलेत ओकर पछा लागैबलासब एहेन बहुत लोकसब छेलै।) 16येसुके पापीसब आ बटी उठाइबलासबसङे खाइत देखके फरिसी दलके धरमगुरुसब ओकर चेलासबके कहल्कै, “उ कथिले उसबसङे मिलके खान-पिन करैये?”
17येसु सुइनके उसबके कहल्कै, “निरोगीसबके बैधके जरुरत नै परैछै महज रोगीसबके परैछै। हम धरमीसबके नै महज पापीसबके पापसे पस्चाताप करैके लेल बोलाइले एलचियौ।”
उपासके सबाल
(मती ९:१४-१७, लुका ५:३३-३९)
18ओइ समयमे बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके चेलासब आ फरिसीसब उपास बैठैछेलै। कुछ लोकसब आइबके येसुके कहल्कै, “युहन्नाके चेलासब आ फरिसीके चेलासब बेर-बेर उपास बैठैछै महज अहाँके चेलासब कथिले नै बैठैये?” 19येसु ओकरासबके कहल्कै, “कि बर बरियातीसबसङे रहतै त उसब उपासे रहैछै से? महज जहियातक बर ओकरासबसङे रहतै उसब उपासे नै रहैछै। 20महज एहनङो दिन आइब सक्तौ जब बर ओइसबसे अलग करतौ तब उसब ओइ दिन उपासे बैठतौ।”
21 “कोइ पुरना कपरामे लबका ढप्पा नै जोरैछै। अगर जोरैछै त, लबका ढप्पा पुरना कपराके घकुचाके फाइरदैछै आ पहिनेसे औरो नै निक हैछै। 22तब कोनो लोक तजा अङगुरके मध पुरना छलाके थैलीमे नै राखैछै, नै त लबका मधसे छलाके फाइरदैछै तब मध बैहजाइछै। तब मध आ छला दुनु नास हैछै। तैल्याके तजा मध लबके छलाके थैलीमे राखल जाइछै।”#२:२२ जखन अङगुरके रस मध हैले लागैछै, तब उ ग्यासके कारन फुले लागैछै आ उ जानबरके छला लमरे लागैछै जैमे राखने रहैछै। यदि छला पुरना आ करा हेतै त, उ फुट जेतै।
पबितर बिसराम दिनके परभु
(मती १२:१-१४, लुका ६:१-११)
23एकबेर येसु पबितर बिसराम दिनमे गहुम खेत हैत जाइछेलै आ ओकर चेलासब गहुमके सिससब खाइले तोरल्कै। 24यि देखके फरिसीसब येसुके कहल्कै, “पबितर बिसरामके दिनमे कथिले तुसब नियम बिपरित करैचिही?” 25येसु उसबके जबाफ देल्कै, “दाउद आ ओकर साथि-सङिसबके भुख लागल बखत कथी करने छेलै? कि तुसब पबितर धरमसास्तर नै पढने चिही? 26उ त अबियाथार परधान पुजारीके पालिमे परमेस्वरके घरमे ढुइकके चरह्याल रोटी साथीसबसङे बाइटके खेल्कै। जबकि अपनासब नियम अनुसार पुजारी बाहेक औरो ककरो खाइले नै हैछै। महज उ असगरे नै ख्याके दोसरोके खाइले देल्कै।”
27तब ओइसबके येसु कहल्कै, “पबितर बिसराम दिन लोकके खातिर बन्याल गेलछै, लोक पबितर बिसराम दिनके खातिर नै। 28तैखातिर मानबके बेटा पबितर बिसरामो दिनके परभु चियौ।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
मरकुस 2: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: