मरकुस 3

3
सुखल हाथके निक करल्‍कै
(मती १२:९-१४, लुका ६:६-११)
1बादमे फेनो येसु सभाघरमे ढुक्‍लै। ओते सुखलहा हाथ भेल एकटा लोक छेलै। 2कतौ उ बिसरामके दिनमे ओकर सुखलहा हाथ निक करतै कि कैहके ओकरा दोस लगाइबला फरिसीसब नजर पसारने रहै। 3तब उ सुखलहा हाथ भेल्‍हा लोकके कहल्‍कै, “अते या।” 4येसु ओइसबके कहल्‍कै, “बिसराम दिनमे भलाइ करनाइ कि खराब करनाइ, परान बचेनाइ कि मारनाइ, कोन उचित छै?” महज उसब जबाफ नै देल्‍कै। 5ओइसबके हिरदयके कठोर बिचार जाइनके दुखित भेलै आ खिस्‍याके उ सबके ताकल्‍कै तब येसु ओइ लोकके कहल्‍कै, “तोहर हाथ पसार।” उ हाथ पसारल्‍कै आ ओकर हाथ पहिने जहिनङ छेलै तहिनङ भेलै।
6तब फरिसीसब निकैलके गेलै आ ओकरा कनङके मारबै कैहके तुरन्‍ते हेरोदिसबसङे ओकर बिरोधमे सल्‍लाह करल्‍कै।
7तकरबाद येसु आपन चेलासबसङे ताल दिसन गेलै आ गालिलसे लोकसबके बरका भिर ओकर पछा लाग्‍लै। 8यहुदिया आ इदुमिया परदेस आ यरुसलेम, टुरोस आ सिदोन सहरसे आ यरदन लदी ओइपारसे चारुदिसनसे लोकसबके बरका भिर ओकर आस्‍चरजके कामसब करनेछै से सुइनके ओकरलग एलै। 9लोकसबके भिर नै किचे कैहके उ आपन चेलासबके आपन खातिर एकटा नाह तयार करैले लगाइल्‍कै।
10उ बहुतोके निक करलाके कारन बिमार भेल सबलोक छुबी कैहके ठेलमठेल करै। 11जब दुस्‍ट आत्‍मा लागल लोकसब ओकरा देखै, तब ओकर अगा ठेङहुनिया द्‍याके चिच्‍याबै, “अहाँ परमेस्‍वरके बेटा चियै।” 12महज हम के चियै से लोकसबके नै कहैले दुस्‍ट आत्‍मासबके करा आग्‍या देल्‍कै।
बारह चेलासबके छानल्‍कै
(मती १०:१-४, लुका ६:१२-१६)
13तकरबाद येसु पहारमे चैलगेलै आ उ आपन मनपरैबला चेलासबके बोलाइल्‍कै आ उसब ओकरलग एलै। 14तब ओकरे जरे रहैले आ परचार करैके लेल पठाबैले उ बारह गोरेके छानल्‍कै आ ओइसबके “परेरित” नाम देल्‍कै। 15आ उसबके भुतो आत्‍मासब निकालैके अधिकार देल्‍कै। 16उ बारहटा परेरितसब एह्‍या चियै: सिमोन, जकर नाम पतरुस राखल्‍कै, 17जब्‍दियाके बेटासब याकुब आ युहन्‍ना, जैसबके उ बोअनरगेस, अरथात मेघ गरजनके बेटासब कैहके नाम देल्‍कै। 18यहिनङे कैरके अन्‍दरियास, फिलिप, बारथोलोमाइ, मती, थोमा, अल्‍फयासके बेटा याकुब, थेदियस, सिमोन कनानी, 19आ यहुदा इस्‍करियोती जे ओकरा धोखा द्‍याके पकराइने रहै।
येसु आ बालजिबुल
(मती १२:२२-२३, लुका ११:१४-२२)
20तकरबाद येसु घर दिसन गेलै। तब फेनो अतहेक लोकसबके भिर जम्‍मा भेलै कि येसु आ ओकर चेलासबके खाइयो तक फुरसत नै पाबल्‍कै। 21जब येसुके परिबार यि सुनल्‍कै, तब येसुके लैले उसब निकल्‍लै, कथिलेत ओकर मन आपन ठाममे नै छै कैहके उसब कहैछेलै।
22यरुसलेमसे एल्‍हा धरमगुरुसब कहल्‍कै, “ओकरमे बालजिबुल#३:२२ बालजिबुल- बालजिबुल सैतानके दोसर नाम छै। नामके भुत छै आ ओहै भुतसबके मालिकके सक्‍तिसे भुतसब निकालैछै।”
23महज उ ओइसबके आपनलग बोल्‍याके खिसा-पिहानीसबमे कहल्‍कै, “कनङके सैताने सैतानके निकाले सक्‍तै? 24कोनो राजमे आपनमे फुट हेतै त उ राज नै टिक्‍तै। 25कोनो घरोमे आपनमे फुट हेतै त उ घर नै टिकतौ। 26यदि सैतान सैतानेके बिरोधमे ठार भ्‍याके फुट लाबने छै त उ नै टिके सक्‍तै। महज ओकर बिनास आइबगेल छै। 27कोइ नै बौकार लोकके घरमे ढुइकके ओकर घरके धन-सम्‍पती नै लुटे सक्‍तै जाबेतक ओइ बौकार लोकके पहिने बान्‍हतै, तब न उ ओकर घर लुटे सक्‍तै।
28 “साच्‍चोके, हम तोरासबके कहैचियौ, लोकसबके सब पाप आ परमेस्‍वरके दुरछिया करैबला पाप समेत छमा करतौ, 29महज पबितर आत्‍माके बिरोधमे दुरछिया करैबलाके कोनोभी हालतमे छमा नै हेतै, महज उ अनन्‍त पापकरमके दोसी ठहरतौ।” 30येसु यि बचन ओइसबके कहल्‍कै, कथिलेत “ओकरमे असुध आत्‍मा छै” कैहके उसब कहने छेलै।
येसुके माँ आ भाइसब
(मती १३:१-२३, लुका ८:४-१५)
31तब ओकर माँ आ ओकर भाइसब ओते एलै आ बाहरेमे ठार भ्‍याके ओकरा बोलाइले पठाइल्‍कै।
32लोकसबके भिर ओकर अगल-बगलमे बैठल छेलै तब उसब ओकरा कहल्‍कै, “देखु, अहाँके माँ आ अहाँके भाइसब अहाँके बाहरमे ताकैछै।” 33येसु ओइसबके जबाफदैत कहल्‍कै, “हमर माँ आ हमर भाइ के चियै?” 34तब आपन अगल-बगल रहल लोकसबके देखके कहल्‍कै, “हमर माँ आ भाइसब यिहेसब चियै! 35कथिलेत जे परमेस्‍वरके इक्‍छा पालन करैछै, उहे हमर माँ आ हमर भाइ आ हमर बहिन चियै।”

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

मरकुस 3: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល