मरकुस 1

1
बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍नाके परचार
(मती २:१-१२, लुका ३:१-१८, युहन्‍ना १:१९-२८)
1परमेस्‍वरके बेटा येसु खिरिस्‍टके सुसमाचार अनङके सुरु हैछै। 2यसैया अगमबक्‍ताके किताबमे एहेन लिखल छै,
“देख, हम आपन दुतके तोहर अगा-अगा पठाइबौ,
जे तोहर लेल रस्‍ता तयार करतौ।”#मलाकी ३:१
3उजार जगहमे एकटा लोक जोरसे कहैछै,
“परभु आबैबला रस्‍ता दुरुस कर,
उ चलैबला रस्‍तासब सोझ कर!”#यसैया ४०:३
4तहिनङे बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना लोकसबके बप्‍तिस्‍मा दैत उजार जगहमे देखा परलै। उ एहेन कैहके परचार करल्‍कै, “तुसब पस्‍चाताप कर आ बप्‍तिस्‍मा ले आ परमेस्‍वर तोरासबके पाप छमा कैरदेतौ।” 5यहुदियाके पुरे इलाका आ यरुसलेम सहरके सबलोक निकैलके युहन्‍ना लग एलै आ आपन-आपन पाप माइनके उसब यरदन लदीमे बप्‍तिस्‍मा लेल्‍कै। 6युहन्‍ना उंटके रुइयाँसे बन्‍याल बस्‍तर पिन्‍हैछेलै आ डाँरमे छलाके डरकस्‍ना बान्‍हैछेलै। तब उ फैनगा आ बोनके मौध खाइछेलै। 7युहन्‍ना लोकसबके एहेन कैहके परचार करैछेलै, “जे हमरसे पछा एतौ उ हमरसे बरका छै आ हम निहुकके ओकर जुताके फितो तक खोलैके जोकरके नै चियै। 8हम तोरासबके पानीसे बप्‍तिस्‍मा दैचियौ, महज उ तोरासबके पबितर आत्‍मासे बप्‍तिस्‍मा देतौ।”
येसुके बप्‍तिस्‍मा आ परिक्‍छा
(मती ३:१३-४:११, लुका ३:२१-२२, ४:१-१३)
9जब युहन्‍ना परचार कैररहल छेलै तहै बखत येसु गालिलके नासरतसे एलै आ युहन्‍नासे उ यरदन लदीमे बप्‍तिस्‍मा लेल्‍कै। 10येसु पानीसे बाहर निकलते मातर स्‍वरग उघरलै आ पबितर आत्‍मा पौरकीके रुपमे आपन उपर आबैत देखल्‍कै। 11तब स्‍वरगसे एकटा एहेन अबाज एलै, “तु हमर दुलरुवा बेटा चिही, तोहरसे हम बहौत खुसी चियौ।”
12पबितर आत्‍मा तखुन्‍ते येसुके उजार जगहमे ल्‍यागेलै। 13येसु चालिस दिनतक उजार जगहमे रहलै तहै बखत सैतानसे उ परिक्‍छामे परलै। ओते जङली जानबरसब रहै आ स्‍वरगदुतसब आइबके ओकर सेबा-सुसार करल्‍कै।
येसुके पहिन्‍का चेलासब
(मती ४:१८-२२, लुका ५:१-११, युहन्‍ना १:३५-४२)
14जब युहन्‍ना जहलमे परलै तब येसु गालिल इलाकामे गेलै आ परमेस्‍वरके सुसमाचार परचार करल्‍कै। 15उ एहेन कैहके परचार करल्‍कै, “आब समय आइबगेलछौ आ परमेस्‍वरके राज नजदिक एलछौ। तैखातिर आपन-आपन पाप माइनके पस्‍चाताप कर आ सुसमाचारमे बिस्‍बास कर।”
16येसु गालिल तालके कातमे चलैबखत सिमोन आ ओकर भैया अन्‍दरियासके तालमे जाल फेकैत देखल्‍कै। कथिलेत उसब मलाह छेलै। 17येसु उसबके कहल्‍कै, “हमर पछा लाग, आबसे हम तोरासबके माछ नै महज लोकसबके मलाह बनेबौ।” 18तब उसब तखुन्‍ते आपन जालसब छोइरके येसुके पछा लाग्‍लै।
19येसु कन्‍हिक दुर गेलाकेबाद जब्‍दियाके बेटा याकुब आ ओकर भाइ युहन्‍नाके देखल्‍कै। उसब नाहमे बैठके जालसब तुनैत रहै।
20येसु ओहोसबके तखुन्‍ते बोलाइल्‍कै आ उ सब आपन बाबु जब्‍दियाके आ ओकर कामदारकेसङे नाहेमे छोइरके ओकर पछा लाग्‍लै।
भुत लागल लोक
(लुका ४:३१-३७)
21तब उसब कफरनहुम सहरमे गेलै। पबितर बिसराम दिनमे येसु यहुदी सभाघरमे ज्‍याके सिक्‍छा दैले लाग्‍लै। 22ओकर सिक्‍छा सुइनके ओतेका लोकसब छक्‍क परलै, कथिलेत उ धरमगुरुसब जखा नै महज अधिकारसे भरल लोक जखा सिखाइछेलै। 23ओहै बखत सभाघरमे एकटा भुत लागल लोक छेलै। उ जोरसे चिच्‍याके कहल्‍कै, 24“हौ, नासरतके येसु, अहाँके हमरासबसे कोन काम? अहाँ हमरासबके बरबाद करैले एलचियै? अहाँ के चियै से हमरा थाहछै, अहाँ परमेस्‍वरके पठेल्‍हा एकटा पबितर जन चियै।” 25तब येसु ओकरा खिस्‍याके कहल्‍कै, “चुप हो! ओइ लोकसे बाहर निकैलजो!” 26तखुन्‍ते ओइ लोकके भुत उठासुठाके पटैकके आ जोरसे हल्‍ला करैत बाहर निकैलके गेलै। 27देखैबला सबलोक छक परलै आ आपनेमे बात करेलाग्‍लै, “यि केहन बचन चियै? यि केहन सक्‍ती आ अधिकार चियै, भुतोसबके आग्‍या करैछै त निकैल जाइछै।” 28तब येसुके चरचा चारुदिसन गालिलके इलाकामे फैलगेलै।
येसु बिमारसबके निक करल्‍कै
(मती ८:१४-१७, लुका ४:३८-४१)
29तुरन्‍ते उसब यहुदी सभाघरसे निकैलके सिमोन आ अन्‍दरियासके घरमे गेलै। उसबसङे याकुब आ युहन्‍नो गेलै। 30तैबखत सिमोनके सौसके जर-बोखार लागल छेलै आ येसु पुगते मातर यि बात उसब ओकरा सुन्‍यादेल्‍कै। 31तब येसु ओकरलग गेलै आ ओकर हाथ पकैरके उठेल्‍कै। तखुन्‍ते जर-बोखार ओकरा छोरल्‍कै आ उ ओकरासबके स्‍वागत सत्‍कार करल्‍कै।
32रौद डुब्‍लाके बाद#१:३२ रौद डुब्‍लाके बाद- यहुदीसबके बिसरामके दिन कोनोभी लोक कुछो काम करेला नै हैछेलै। महज सुरुज डुबते मातर बिसरामके दिन समापत हैछेलै। ओकरबाद कोनोभी लोक चाहल बमौजी काम करेसकैछेलै, जनङकि कोनो बिमारलोकके येसुलग आनैले सकैछेलै। साँझमे बहुत किसिमके रोगी-बिमारीसब आ भुत लागल लोकसबके येसुलग आनल्‍कै। 33पुरे सहरके लोकसब घरके अङनामे भिर लागल छेलै। 34येसु बहौत किसिमके रोगी-बिमारीसबके निक करल्‍कै आ भुतोसबके निकालल्‍कै महज उ खिस्‍याके भुतसबके बोले नै देल्‍कै कथिलेत उसब ओकरा चिन्‍हैछेलै।#१:३४ येसु भुतसबके हम के चियै कैहके लोकसबके कहे दैले नै चाहैछेलै।
सुनसान जगहमे येसुके परथना
(लुका ४:४२-४४)
35भिनसरे येसु उइठके सुनसान जगहमे ज्‍याके परथना करल्‍कै। 36तब सिमोन आ ओकर सङिसब मिलके येसुके खोजैले गेलै। 37येसु भेटलाके बाद उसब कहल्‍कै, “परभु अहाँके सबकोइ खोइजरहल छै!” 38यि बात सुइनके येसु उसबके कहल्‍कै, “या, अपनासब मिलके आसपासके गामसबमे चल। ओहो ठामसबमे हमरा सुसमाचार सुनाइले परतै, कथिलेत अहै कामके लेल हम एलचियै।” 39तब येसु पुरे गालिल इलाकामे घुम्‍लै आ सभाघरसबमे सिक्‍छा दैत आ लोकसबसे भुतसब निकालैत गेलै।
कोढि-कुस्‍टी लागल लोक
(मती ८:१-४, लुका ५:१२-१६)
40एकटा कोढि-कुस्‍टी लागल लोक येसुलग एलै आ ठेङहुनिया दैत कहल्‍कै, “अहाँ चाहबै त हमरा कोढि-कुस्‍टीसे निक#१:४० निक- गिरिकमे लिखल छै, “यदि अहाँ चाहबै त, अहाँ हमरा निक कैर सकैचियै।” यहुदी नियम अनुसार, कोनो कोढि-कुस्‍टी लागल लोक असुध हैछै: उ लोक दोसर लोकसबलग आबैके नै हैछेलै। करेसकैचियै।” 41यि सुइनके येसुके दया लाग्‍लै आ ओकर उपर आपन हाथ राइखके कहल्‍कै, “हम चाहैचियौ, तु निक भ्‍याजो।” 42तखुन्‍ते कोढि-कुस्‍टी लागल लोक निक भ्‍यागेलै। 43तब येसु ओइ लोकके करा आग्‍या द्‍याके पठेल्‍कै आ कहल्‍कै, 44“देख, यि बात तु ककरो नै कहिहे, महज ज्‍याके पुजारीके देखा तब मोसाके नियम अनुसार लोकसबके निक भेल परमान देखाइके लेल भेटी चरहा।”#१:४४ यहुदीके पालिमे, यदि कोइगोराके कोढि-कुस्‍टी रहैछेलै उ लोक दोसर लोकसबसङे नै रहैले पाबैछेलै। ओकरा गाउसे बाहर रहैले लगाबै छेलै। पुजारी मातरे ओकरा निक करेसकैछेलै आ तु निक भेल्‍ही कहैले सकैछेलै। ओइसे पहिने उ लोक घुमके आबैले आ औरो लोकसबसङे नै रहे सकैछेलै, मोसाके नियम अनुसार पहिने भेटी चरहाबैले परैछेलै। (लेबी १४:२-३२)
45महज उ लोक बाहर निकैलके गेलै आ अपना निक भेल बात चारुदिसन परचार करेलाग्‍लै। तैल्‍याके येसु फेनो उ सहरमे लोकसबके अगा खुलस्‍त रुपमे आबैले नै सक्‍लै महज उ सुनसान जगहमे रहेलाग्‍लै। तैयो लोकसबके भिर चारुदिसनसे ओकरलग एलै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

मरकुस 1: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល