२ कोरन्थी 7
7
1अहैलेल हे हमर पिरिय सङिसब, परमेस्वर अपनासबके देल यि परतिग्या अनुसार देह आ आत्माके असुध बनाबैबला हर किसिमके बातसे अपनासब दुरे रह आ परमेस्वरके डर मानैत औरो पबितर हैत चल।
पावलके आनन्द
2तुसब आपन हिरदयमे हमरासबके ठाम दहै। हमसब ककरो अनियाय नै करनेचियै। हमसब ककरो खराब बाट नै देखाइने चियै आ नै ककरोसे फैदा उठाइने चियै। 3यि बात हम तोरासबके दोसी ठहराइके लेल नै कहैचियौ कथिलेकी हम पहिने कैहदेने चियौ, हमरासबके हिरदयमे तोरासबके लेल अतहेक ठाम छै कि हमसब तोरासबसङे बाँचैले या मरैयोले तयार चियौ। 4तोरासबमे हमरा पुरा भरोसा छै। हम तोरासबमे एकदमे गर्भ करैचियौ। हम तोरासबसे पुरा रुपमे उत्साह पाबने चियौ आ कस्टोसबमे हम बहुत आनन्दित चियौ। 5कथिलेकी हमसब माकेडोनिया एलाके बादो हमरासबके कोनो बिसराम नै मिल्लै महज चारुदिसनसे हमरासबके कस्ट एलछेलै, बाहरसे लोकसबसङे झगरा आ हिरदय भितर डरे-डर छेलै।#२ कोरन्थी २:१३ 6महज निरास भेलसबके सान्तबना दैबला परमेस्वर तितस एलासे हमरासबके सान्तबना देल्कै। 7तितस एलासे मातरे नै, महज तोरासबसे उ जे सान्तबना पाबने छेलै, ओकरसे हम्हु सान्तबना पाबलियै। हमरा भेटैके तुसब एकदम इक्छा करनेचिही से उ हमरासबके कहल्कै। पहिने करल तोरासबके गल्तीसे पछुताबा करनेचिही आ हमर बातके पालन करनेचिही से उ कहल्कै। यि सुइनके हम एकदमे खुसी भेलियै।
8हम आपन चिठीसे तोरासबके दुखित करलियौ तैयो हमरा पछुताबा नै छै। सुरुमे हमरा पछुताबा त भेलै महज अखैन हमर चिठीसे तोरासबके कुछ समयके लेल मातरे दुखित बनाइल्कौ कैहके हमरा लागैये। 9ओइ चिठीसे तोरासबके दुखित करल्कौ कैहके हम खुस नै चियै महज उ दुखसे तोरासबके पस्चाताप दिसन आ जिबन परिबरतन दिसन ल्याके गेलै कैहके हम खुस चियै। तुसब परमेस्वरके इक्छा सुइकार करलाके कारन दुख भेलौ, हमरासबके कारनसे तोरासबके कोनो हानी नै भेलौ। 10जे परमेस्वरके इक्छा सुइकार कैरके दुख मानैछै आ पस्चाताप करैछै, तकरा परमेस्वर बचेतै। एहेन किसिमसे दुखमे पछताइले नै परैछै। महज सनसारके लोकसब जखा दुख मातरे करैछै त उ मिरतु दिसन लजाइछै। 11परमेस्वरसे एल दुखसे तोरासबमे केहन उत्साह जगाइल्कौ, ओइके याद कर। आपनेके निरदोस साबित कराइके लेल केहन उत्सुकता छौ। केहन डाह, केहन डर, केहन पियास, केहन जोस, नियाय हैकेलेल केहन चाह छौ! सब बातमे तुसब आपनेके निरदोस साबित करनेचिही। 12हम उ चिठी अनियाय करैबला लोकके लेल नै लिखने चियै, नै त अनियायमे परल लोकके लेल महज अइ हेतुसे कि परमेस्वरके नजरमे हमरासबके परती तोरासबके वास्ता केहन छौ, से तोरासबके थाह हेबे। 13अहैकारन हमरासबके सान्तबना मिललछै। हमरासबके भेटल आपने सान्तबना बाहेक तितसके आनन्दमे हमसब बेसी रमाहट भेलियै, कथिलेकी तोरासबके बेबहारसे ओकर मनके सान्ती मिललछै। 14तितसके अगा हम तोरासबके बारेमे गर्भ करनेछेलियै, ओइमे हमरा कोनो लाज नै भेलै। जनङ हमसब तोरासबके कहल बात सत छेलै, ओहिनङे तितसके अगा हमरासबके करल गर्भ सेहो सत ठहरलै। 15तोरासबके आग्याकारिताके जिबन, डर आ आदरकेसाथ ओकरा स्वागत करलिही। यि सब बात याद कैरके तितस तोरासबके औरो बेसी परेम करैछौ। 16हम रमाहट करैचियै, कथिलेकी तोरासबमे हमरा पुरा भरोसा छै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
२ कोरन्थी 7: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: