२ कोरन्थी 8
8
मन खोइलके दहै
1हे हमर पिरिय सङिसब, माकेडोनिया परदेसके मन्डलीसबमे परमेस्वरके देल अनुगरहके बिसयमे हमसब तोरासबके कहैले चाहैचियौ।#रोमी १५:२६ 2उसब एकदम संकटके परिक्छामे रहितोपरभी परसस्त आनन्दित भेलै आ गरिबीमे सेहो उसब उदार-चितसे भेटी देल्कै। 3कथिलेकी हम गबाही दैचियै कि, उसब आपन औकात अनुसार मातरे नै महज औकातोसे बहौत बेसी आपन राजिखुसीसे देल्कै। 4उसब परमेस्वरके सन्तसबके सहायता करैके लेल मौका दिय कैहके हमरासबके बेर-बेर बिन्ती करल्कै। 5हमरासबके आसा करलसे बहौत बेसी उसब देल्कै। उसब पहिने आपनेके परभुमे अरपन करल्कै तरकरबाद परमेस्वरके इक्छा अनुसार आपनेके हमरासबके हाथमे सोइप देल्कै। 6ओहैसे तितस पहिनेसे तोरासबके बिचमे सुरु करल भेटी उठाइबला काम पुरा करेपरतै कैहके हमसब ओकरा बिन्ती करलियै। 7जहिनङे सब काममे तुसब बैढते जाइचिही, अरथात बिस्बासमे, बचनमे, ग्यानमे, जोसमे आ हमरासब परती परेममे, तहिनङे तुसब यि भेटी दैबला काममे सेहो बैढते जो।
8हम यि आग्याके रुपमे नै महज औरोसबके जोससङे तुलना कैरके तोरासबके परेम साँचो चियौ कैहके परमानित करैके लेल हम यि कहलियौ। 9कथिलेकी अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबके थाहेछौ, उ धनिक छेलै तैयो तोरासबके लेल उ गरिब भेलै ताकि ओकर गरिबीसे तुसब धनिक बनैले सक।
10अइ बिसयमे हम तोरासबके यि सल्लाह दैचियौ, एक बरिस पहिने जे काम तुसब सुरु करने मातरे नै, महज उ करैले उतकट इक्छा सेहो करनेछेल्ही, आब ओइके पुरा करनाइ तोरासबके लेल असल हेतौ। 11आब तुसब आपनसे सुरु करल काम पुरा कर। ओइ समयमे तोरासबके दैके इक्छा बहौत छेलौ आ सके जतहेक औकात अनुसार द्याके आपन इक्छा पुरा कर। 12यदि तोरासबके दैके इक्छा छौ त, तोरासबसङे जे छौ, ओहैमेसे देल परमेस्वर सुइकार करैछै, महज तोरासबसङे नै भेल चिज परमेस्वर नै माङैछै।
13तोरासबके भारी बोक्याके दोसरके हलुक हेबे कैहके हमर इक्छा नै छै, महज सबकोइके बराबर भारी हेबे कैहके हम यि कहलियौ। 14अखैन तोरासबसङे बहौत छौ त, जकरा नै छै ओइसबके देनाइ असल हेतौ। तोरासबके पछा घटि-कमी भेल बखत उसब तोरासबके मदत करतौ। अहिनङ एक-दोसरमे बराबर हेब्ही। 15पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “बहौत जम्मा करैबलासबसङे फाजिल किछो नै रहलै आ कमे जम्मा करैयोबलासबके घटी नै भेलै।”#परस्थान १६:१८
तितसके कोरिन्थ सहरमे पठाबैके योजना
16परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, परमेस्वर तोरासबके लेल हमरे जखा इक्छा तितसके हिरदयमे राइखदेल्कै। 17कथिलेत उ हमरासबके बिन्ती करलाके कारनसे मातरे नै, महज तोरासबके भेटैके जागर चल्लाके कारनसे उ तोरासबलग आइबरहलछौ। 18हमसब तितससङे एकटा भाइके पठाबैचियौ, जकर नाम सुसमाचार परचारके काममे सब मन्डलीके बिचमे चललछै। 19अतबे नै, अकरा जम्मा करल पैसा पुगाबैबला काममे हमरासबसङे जाइले मन्डलीसे छान्नेछै। यि काम हमसब परभुके महिमाके लेल आ हमरासबमे लोकसबके मदत करैबला मन छै से देखाइले करनेचियै।
20हमरासबके कोइ दोस नै लगाबे कैहके उधार-चितसे देल यि भेटीके हमसब होसियारीसाथ चलाइचियै। 21कथिलेत हमसब परभुके नजरमे मातरे नै, बल्की लोकोसबके नजरमे जे ठिक छै ओह्या करैके लक्छ राखैचियै।#हितोपदेस ३:४ 22हमसब ओइसबसङे एकटा औरो भाइके पठाबैचियौ। हमसब ओकरा बहुतो बेर जाँचलियै आ काम करैमे एकदमे जोसगर पाबलियै। अखनियो तोरासब परती ओकर बरका भरोसा छै आ मदत करैले औरो जोसगर भेलछै। 23तितस हमर सङी चियै आ तोरासबके सहायता करैके लेल हमरसङे काम करैछै। ओकरसङे जाइबला भाइसबके खिरिस्टके महिमाके लेल मन्डलीसब पठाइने छै। 24तुसब आपन परेमके परमान ओइसबके दहै आ हमसब कथिले तोरासबके बारेमे गर्भ करैचियै से बात मन्डलीसब देखे।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
२ कोरन्थी 8: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: