२ कोरन्‍थी 6

6
1हमसब परमेस्‍वरसङे काम करैबलासब भेलाके कारन तोरासबके बिन्‍ती करैचियौ कि परमेस्‍वरसे भेटल अनुगरहके बेरथमे जाइले नै दहै। 2कथिलेत परमेस्‍वर कहैछै,
“ठिक समयमे हम तोरासबके पुकारा सुनलियौ
आ उधार दैबला दिनमे हम तोरासबके मदत करलियौ।”#यसैया ४९:८
देख, परमेस्‍वरके ठिक समय त यह्‍या चियौ, उधार पाबैबला दिन आजुवे चियौ।
पावलके सङकट
3हमरासबके करल सेबकाइमे कोइ दोस लगाबैके मौके नै पाबे कैहके हमसब ककरो बाधा दैबला काम नै करैचियै। 4महज हरतरहसे हमसब आपनेके परमेस्‍वरके सेबकसब चियै कैहके देखाइचियै। सब कठिनाइ, बिपत, सङकट आ दुखमे धिरजसे सहन करैचियै। 5हमसब पिटाइ खेनेचियै, जहलमे परल चियै, हुलदङ्‍गामे परल चियै। एकदमसे मेहनत करैचियै, सुतैयोले नै पाबनेचियै आ भुखे पियासेमे परल चियै।#परेरित १६:२३ 6अपनासबमे रहल पबितर आत्‍मा आ अपनासबके निसकपट परेमसे हमसब आपनेके सुध, समझदार, सहनसिल आ दयालु परमानित करनेचियै। 7सत खबर परचार कैरके परमेस्‍वरके सक्‍तिसे हमसब काम करैचियै। लराइ करैबला हाथ-हथियार देहना हाथमे आ आपनके रक्‍छा करैबला हाथ-हथियार बमा हाथमे बोकैचियै। उ एकेटा हाथ-हथियार धारमिक्‍ता चियै। 8लोकसब हमरासबके आदर करतै तैयो अनादर करतै तैयो, जस करतै तैयो अबजस करतै तैयो हमसब परमेस्‍वरके सेबा करैचियै। हमसब इमान्‍दार चियै महज लोकसब ठगहा कहैछै। 9हमरासबके निकसे चिन्‍हीयोके अनचिन्‍हार जखा करैछै। मरे लागल चियै तैयो जियल चियै। सजाय पाबनेचियै तैयो मारलगेल नै चियै। 10सोकमे रहितोपरभी हर समय आनन्‍दमे रहैचियै। गरिब रहितोपरभी बहुतोके आत्‍मिकी रुपमे धनिक बनाबैचियै। कुछो नै रहितोपरभी हमरासबसङे सब चिज छै।
11हे कोरिन्‍थ सहरके बिस्‍बासीसब, हमसब तोरासबके परस्‍टे कैहदेने चियौ कि, हमरासबके हिरदय तोरासबके लेल खुल्‍ला छौ। 12हमरासबके परेम तोरासब परती कम नै भेलछौ, बरु तोरासबके परेम हमरासब परती कम भेलछौ 13आब हम तोरासबके आपने बेटाबेटी जखा समैझके यि कहैचियौ कि तुहुसब आपन हिरदय हमरासबके लेल खुल्‍ला राख।
जिबित परमेस्‍वरके मन्‍दिर
14येसुमे बिस्‍बास नै करैबलासबसङे एकसाथ एकेटा जुवामे नै जोता। कथिलेकी धरमी आ अधरमी कनङके मिल्‍तै? इजोत आ अन्‍हार एक ठाम कनङके रहे सक्‍तै? 15खिरिस्‍टके सैतानसङे#६:१५ सैतान- अइठाममे सैतानके साब्‍दिक रुपमे बेलिआल लिखल छै। कोन समबन्‍ध? तहिनङे खिरिस्‍टमे बिस्‍बास करैबलासब आ बिस्‍बास नै करैबलासबसङे कोन समबन्‍ध? 16परमेस्‍वरके मन्‍दिरके मुरतिसङे कोन समबन्‍ध? कथिलेकी हमसब त जिबित परमेस्‍वरके मन्‍दिर चियै। जनङकी परमेस्‍वर कहनेछै,
“हम ओकरासबमे बास करबै
आ ओकरासबके बिचमे चलफिर करबै।
हम ओकरासबके परमेस्‍वर हेबै
आ उसब हमर परजा हेतै।#लेबी २६:१२, इजकिएल ३७:२७, १ कोरन्‍थी ३:१६, ६:१९
17ओकरासबसे निकैलके या
आ ओइसबसे अलग रह!
कोनो असुध चिज नै छु,
तब हम तोरासबके सुइकार करबौ कैहके परमपरभु कहैछै।#यसैया ५२:११
18हम तोरासबके पिता हेबौ
आ तुसब हमर बेटाबेटी हेब्‍ही
कैहके सबरसक्‍तीमान परमपरभु कहैछै।”#२ सामुएल ७:१४, १ इतिहास १७:१३, यसैया ४३:६, यरमिया ३१:९

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

२ कोरन्‍थी 6: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល