२ कोरन्थी 3
3
1कि फेनसे हमसब आपने तारिफ करैले लागल चियै? कि कुछ औरो लोकसब जखा हमसब तोरासबलग आबैले या तोरासबसे हमरासबके दोसर लग जाइले सिफारिस चिठीके कोनो जरुरी छै? 2हमरासबके सिफारिस-चिठी त तुहिसब चिही जे हमरासबके हिरदयमे लिखलगेल छै आ जकरा सबकोइ पढैले आ बुझैले सकैछै। 3साँचोके तुहिसब येसु खिरिस्टके लिखल चिठी अरथात हमरासबके करल सेबकाइके नतिजा चिही, जे चिठी मसिसे नै, महज जिबित परमेस्वरके आत्मासे लिखलगेल छै, पथलके सिलेटमे नै, महज लोकसबके हिरदयके सिलेटमे लिखलगेल छै।#परस्थान २४:१२, यरमिया ३१:३३, इजकिएल ११:१९, ३६:२६ 4तुसब हमरासबके चिठी चिही से हमसब कैह सकैचियौ, कथिलेकी खिरिस्टसे परमेस्वरमे हमरासबके पुरा भरोसा छै। 5कोनोभी बात हमरासबके तरफसे एलछै कैहके हमसब दाबी करैके योग्यके नै चियै, महज हमरासबके योग्यता परमेस्वरसे आबैछै। 6ओह्या हमरासबके लया करारके सेबकसब बनैके लेल योग्य बनेल्कै। यि करार लिखीत बेबस्थाके नै महज पबितर आत्माके करार चियै। कथिलेकी पुरन्का लिखल बेबस्थाके करार त मिरतु लाबैछै, महज लया करारमे पबितर आत्मा त जिबन दैछै।#यरमिया ३१:३१
लया करारके महिमा
7मिरतु आनैबला बेबस्था पथलके सिलेटमे खोपके लिखल छेलै। उ बेबस्था एहेन महिमामय भ्याके एलै कि ओकर चमकसे इजराएलीसब मोसाके चेहरा देखैले नै सकल्कै, महज उ चमक हराइते जाइतरहै। मिरतु आनैबला बेबस्था अनङ छेलै त,#परस्थान ३४:२९ 8पबितर आत्मासे आबैबला सेबा औरो बेसी महिमामय नै हेतै?
9जब दोसी ठहराबैबला बेबस्था महिमामय छेलै त कि धरमी ठहराबैबला काम ओइसे बेसी महिमामय नै हेतै? 10बास्तममे, पुरन्का करारके महिमा, अखुनके लया करारके महिमाके अगा ओकर कोनो महिमा नै रहलै। 11एकछिन रहैबला पुरन्का करार त अतहेक महिमामय छेलै त सबदिन रहैबला लया करार औरो कतेक बेसी महिमामय हेतै! 12हमरासबके एहेन आसा भेलाके कारन हमसब एकदम साहसी भेलचियै। 13हमसब मोसा जखा नै, जे कि उ मलिन हैतगेल महिमाके अन्तिम झलक इजराएलीसब नै देखे कैहके आपन चेहरा बस्तरसे झापैछेलै।#परस्थान ३४:३३ 14महज ओइसबके हिरदय कठोर भेलासे आइतक उ पुरन्का करारमे भेल बेबस्था परहैछै त ओइसबके बुझैबला समझ झापल रहैछै, ओहैसे उसब सत बात बुझैले नै सकैछै। आब येसु खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मातरे उ समझ उघरैछै। 15साँचोके मोसाके देल बेबस्था परहैचियै त अखुन्तो ओइसबके बुझैबला समझ झापल रहैछै आ उसब नै बुझैछै। 16महज जब कोनो लोक परभुमे बिस्बास करैछै तब उ समझ उघैर जाइछै।#परस्थान ३४:३४ 17आब परभु आत्मा चियै आ जते परभुके आत्मा छै ओते स्वतनन्तरता रहैछै। 18हमरासबके नै झापले चेहरासे परभुके महिमाके झलकाइचियै। परभु आत्मा चियै आ उ अपनासबके औरो आपनलखा महिमामय रुपमे परिबरतन कैरतेजेतै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
२ कोरन्थी 3: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.