२ कोरन्थी 2
2
1अहैलेल तोरासबके चित दुखाइले हम फेनसे तोरासबलग नै एबौ कैहके निरनय करलियै। 2कथिलेकी हमरा खुसी बनाइबला लोक तुहिसब चिही, हम तोरासबके चित दुखाइबौ त के हमरा खुसी बनाइतै? 3हम एबै त हमरा खुसी दैबला लोकसबसे हमर चित नै दुखे कैहके हम उ चिठी लिखने छेलियै। कथिलेकी हमरा आनन्द हेतौ त तोरोसबके आनन्द हेतौ कैहके हमरा पक्का बिस्बास छै। 4तोरासबके चित दुखाइके लेल नै महज तोरासबके खातिर हमर गहिर परेम जान कैहके बहौत दुख-कस्टसे लोर बहाबैत तोरासबके उ चिठी लिखने छेलियौ।
गलत करैबलाके छमा दहै
5कोइ ककरो चित दुखाइनेछै त उ कामसे हमरा नै महज कुछ हदतक तोरेसबके चित दुखाइनेछौ। हम यि बात अहैलेल कहैचियौ कि तोरासब उपर कठोर नै बनी। 6बहुमतसे देल सजाय ओइ लोकके लेल बहुत चियै। 7बरु आब तुसब ओकरा छमा करेपरतौ आ सान्तबना देबेपरतौ, नै त उ बहौत बरका भारी सोकमे डुइब जेतै। 8अहैलेल हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि उ लोक परती आपन परेम औरो गहिरसे परकट कर। 9तुसब हरेक बिसयमे आग्याकारी चिही कि नै कैहके जाँचैके लेल हम उ चिठी तोरासबके लिखने छेलियौ। 10जकरा तुसब छमा करबिही, तकरा हम्हु छमा करबै। यदि हम ककरो कोनो बिसयमे छमा करनेचियै त तोरेसबके हितके खातिर खिरिस्टके उपस्थितीमे छमा करनेचियै, 11ताकि सैतान हमरासबके फसाबैके मौका नै पाबे, कथिलेकी ओकर जुक्तीके बिसयमे हमसब अनजान नै चियै।
तरोआसमे पावलके चिन्ता
12जब हम तरोआस सहरमे खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार करैले एलियै तब परभु हमर लेल दुवार खोइलदेने छेलै। 13महज हमर बिस्बासी भाइ तितस ओते नै भेटलाके कारन हमर मन बेचैन भेलै। तहैलेल ओइसबसे बिदा भ्याके हम माकेडोनिया परदेस दिसन गेलियै।#परेरित २०:१
खिरिस्टमे पाबैबला जित
14परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, उ अपनासबके खिरिस्टमे सबदिन बिजयके लेल चलाबैछै। ओकर ग्यानके गमक अपनासबसे हरेक जगहमे फैलाबैछै। 15कथिलेकी हमरासबके जिबन परमेस्वर लग पुगैबला खिरिस्टके गमकौवा तेल जखा चियै। महज यि गमकौवा तेल उधार पाबैबलासब गमक आ नास हैबलासब गन्धके रुपमे लैछै। 16नास हैबलासबके लेल हमसब मिरतुके गन, महज मुक्ती पाबैबलासबके लेल हमरासबके जिबन गमक चियै। एहेन भारी कामके लेल के योग्य छै? 17हमसब आपन फैदाके लेल परमेस्वरके बचन परचार करैबला बेपारी नै चियै। महज हमसब इमान्दार भ्याके खिरिस्टके सेबकके रुपमे परमेस्वर हमरासबके देखैछै से बात जाइनके ओकर बचन परचार करैचियै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
२ कोरन्थी 2: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.