१ कोरन्‍थी 2

2
कुरूसमे खिरिस्‍ट बलिदान देल्‍कै
1हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके लग परमेस्‍वरके बारेमे गबाही दैले आबैतखिना बरका बरका बातसब आ बुइधके धाख नै देखेलियौ। 2हम तोरासबके लग रहैतखिना येसु खिरिस्‍ट आ कुरूसमे भेल ओकर बलिदान बाहेक किछो नै बोलैके पक्‍का करनेछेलियै। 3हम तोरासबके लग जखुन एलियौ तखुन कमजोर भ्‍याके, एकदम डर्‌याल आ थरथर कापैत एल छेलियौ।#परेरित १८:९ 4हमर सिक्‍छा आ परचार घत लागैबला बुइधके बरका बरका बातसब नै बाजलियै, महज पबितर आत्‍माके सक्‍तिके सबुत द्‍याके हम परचार करलियै, 5ताकि तोरासबके बिस्‍बास लोकके बुइधमे नै, महज परमेस्‍वरके सक्‍तिमे अरल रहे।
6तैयो परिपक भेल बिस्‍बासीसबके बिचमे अपनासब ग्‍यान-गुनके बात करैचियै, महज अइ जुगके ग्‍यान या अइ जुगके सासकसबके ग्‍यान नै, जे बितके जेतै। 7महज हमसब त परमेस्‍वरके गुप्‍त आ घोसारल ग्‍यानके परचार करैचियै, जे सिरिस्‍टी हैसे पहिने परमेस्‍वर अपनासबके महिमाके खातिर नियुक्‍त करने छेलै। 8अइ जुगके कोनो सासकसब परमेस्‍वरके बातके बुझैले नै सकल्‍कै। यदि उसब बुझने रहतियै त महिमाके परभुके कुरूसमे नै टाङतियै। 9महज पबितर धरमसास्‍तरमे एहेन लिखलछै,
“आँखसे नै देखलहा आ कानसे नै सुनलहा
आ लोकके मनमे नै चितेल्‍हा,
एह्‍या बात परमेस्‍वर ओकरा परेम करैबलासबके लेल तयार करनेछै।”#यसैया ६४:४
10परमेस्‍वर पबितर आत्‍मासे अपनासबके यि बात परकट करनेछै। कथिलेकी पबितर आत्‍मा सब बात खोजैछै, अतहेकतक कि परमेस्‍वरके रहसके बातसब सेहो खोजी करैछै। 11लोकके भितर भेल आपने आत्‍मा बाहेक के लोकके बिचारके बुझैले सक्‍तै? तहिनङे परमेस्‍वरके बिचार परमेस्‍वरके आत्‍मा बाहेक कोइ नै बुझैछै। 12हमसब सनसारके आत्‍मा नै, महज परमेस्‍वरके पबितर आत्‍मा पाबनेचियै, ताकि उ अपनासबके खुसिसे जे चिज देनेछै ओइके बुझैले सकि।
13जे बात हमसब परचार करैचियै, उ बातसब कोनो लोकके बुइधसे सिखेल्‍हा बातसब नै, महज पबितर आत्‍मासे सिख्‍याल बात बोलैचियै आ पबितर आत्‍मा पाबलहा लोकसबके आत्‍मिक सतके बातसबके अरथ खोइलदैचियै। 14जै लोकमे परमेस्‍वरके आत्‍मा नै छै, उ लोक परमेस्‍वरके आत्‍माके बातसबके गरहन नै करैछै। कथिलेत एहेन बातसब ओकरलेल मुरुख बात हैछै। एहैन बात त परमेस्‍वरके आत्‍मासे मातरे बुझैले सकैछै। 15जै लोकमे परमेस्‍वरके पबितर आत्‍मा छै, उ सब बातके ठिकसे जाँच करैछै, महज ओकरा कोइ नै जाँच करैले सक्‍तै। 16जनङकी पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल छै,
“के परभुके मनके जान्‍नेछै?
ओकरा के सिखाइले सकल छै?”
महज हमसब यि बात जानैचियै, कथिलेत अपनासबसङे खिरिस्‍टके मन छै।#यसैया ४०:१३

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

१ कोरन्‍थी 2: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល