१ कोरन्‍थी 1

1
1हम पावल, परमेस्‍वरके इक्‍छासे खिरिस्‍ट येसुके परेरित हैकेलेल बोल्‍याल गेलचियै। हमरसङे अपनासबके भाइ सोस्‍थेनेसके तरफसे सेहो यि चिठी लिखैचियौ। 2कोरिन्‍थ सहरमे भेल परमेस्‍वरके मन्‍डलीके, जकरा खिरिस्‍ट येसुमे पबितर बनाइनेछै आ ओकर पबितर जन हैकेलेल बोलाइल्‍कै आ चारुदिसनसे जे परभु येसुके पुकरा करैछै। ओह्‍या ओइसबके आ अपनासबके परभु चियै।#परेरित १८:१ 3अपनासबके परमेस्‍वर पिता आ परभु येसु खिरिस्‍टसे तोरासबके अनुगरह आ सान्‍ती मिले।
पावल परमेस्‍वरके धन्‍यबाद चरहाइल्‍कै
4हम तोरासबके लेल सबदिन परमेस्‍वरके धन्‍यबाद दैचियै कथिलेकी खिरिस्‍ट येसुमे तुसब परमेस्‍वरसे अनुगरह पाबनेचिही। 5कथिलेत परमेस्‍वर खिरिस्‍टमे हरतरहसे तोरासबके बोलिबचन आ ग्‍यानमे धनिक बनाइनेछौ। 6अहिनङ खिरिस्‍टके बारेमे हमरासबके कहल बात सत चियै कैहके अहैसे परमेस्‍वर तोरासबमे परमानित करल्‍कौ। 7अपनासबके परभु येसु खिरिस्‍ट फेनसे एतै कैहके बाट ताकैतखिना तोरासबमे कोनो आत्‍मिक बरदानके कमी नै हेतौ। 8अपनासबके परभु येसु खिरिस्‍ट आबैबला दिनमे तुसब निरदोस रह कैहके उ तोरासबके आखिरतक बौकार बनाइतौ। 9परमेस्‍वर बिस्‍बासयोग्‍य छै। उ आपन बेटा, अपनासबके परभु येसु खिरिस्‍टसङे सङगतीमे रहैके लेल तोरासबके बोलाइल्‍कौ।
10हे हमर भाइ-बहिनसब हम तोरासबके परभु येसु खिरिस्‍टके नाममे बिन्‍ती करैचियौ कि, तुसब एक-दोसरसङे मिलजुइलके रह। तोरासबके बिचमे कोनो किसिमके मनमोटाब नै हेबे, महज तुसब एके मनके आ एके बिचारके हो। 11कथिलेकी तोरासबके बिचमे झगरा छौ कैहके क्‍लोएके घरके लोकसबसे हम खबर पाबनेचियै। 12हमर कहैके मतलब यि चियै कि, तोरासबमेसे कोइ “हम पावलके” कोइ “हम अपोल्‍लोसके” त कोइ “हम पतरुसके” त कोइ “हम खिरिस्‍टके” चियै कैहके सुनैचियौ।#परेरित १८:२४ 13कि खिरिस्‍ट बाँटल गेलछै से? कि पावल तोरासबके लेल कुरूसमे टाङल गेलौ से? कि तुसब पावलके नाममे बप्‍तिस्‍मा लेल्‍ही से? 14हम परमेस्‍वरके धन्‍यबाद दैचियै कि, तोरासबमेसे किरिस्‍पस आ गायसके अलाबा हम औरो ककरो बप्‍तिस्‍मा नै देलियै।#परेरित १८:८, १९:२९, रोमी १६:२३ 15अहैलेल हमर नाममे बप्‍तिस्‍मा भेल्‍ही कैहके तुसब कोइ नै कहैले पाबबिही। 16हँ, हम स्‍तिफनासके घरके लोकसबके सेहो बप्‍तिस्‍मा देलियै। अकर बाहेक, हम औरो ककरो बप्‍तिस्‍मा देलियै कि नै देलियै, उ हमरा थाह नै छै।#१ कोरन्‍थी १६:१५ 17कथिलेत बप्‍तिस्‍मा दैले नै महज सुसमाचार परचार करैके लेल खिरिस्‍ट हमरा पठेल्‍कै। हम परचार करैतखिना सनसारके चलाक ग्‍यानसे नै करलियै, नै त खिरिस्‍टके कुरूसके सक्‍ती बेरथ हेतियै।
कुरूसके समाद
18बिनास हैबला लोकसब कुरूसके समादके मुरुख बात ठानैछै, महज हमसब उधार पाबैबलासबके लेल यि परमेस्‍वरके सक्‍ती चियै। 19कथिलेकी पबितर धरमसास्‍तरमे परमेस्‍वर एहेन कहनेछै,
“हम बुधिमान लोकके बुइध नास कैरदेबै
आ चतुरसबके चतुराइ भङ कैरदेबै।”#यसैया २९:१४
20बुधिमान लोक कते छै? धरमगुरु कते छै? अइ जुगके तरक-बितरक करैबला कते छै? कि परमेस्‍वर यि सनसारके बुइधके मुरुख नै कैरदेल्‍कै?#अयुब १२:१७, यसैया १९:१२, ३३:१८, यसैया ४४:२५ 21सनसारके लोकसब आपन बुइधसे परमेस्‍वरके चिन्‍हैले नै सक्‍लै, तैल्‍याके उ आपन बुधिमानी योजना अनुसार अपनासबके परचार करल मुरुख बातसबसे बिस्‍बास करैबलासबके बचाइले चाहल्‍कै। 22यहुदीसब स्‍वरगसे अचमके चेन्‍हाके माङ करैछै आ गिरिकसब बुधिके खोजिमे छै। 23महज हमसब त कुरूसमे टाङल खिरिस्‍टेके परचार करैचियै, जे यहुदी लोकसबके लेल ठेस लागैबला बात चियै आ गैर-यहुदीसबके लेल मुरुख बात चियै। 24महज परमेस्‍वरके बोलाबट पाबलाहा लोकसबके लेल, चाहे उ यहुदी हेबे या गैर-यहुदी हेबे, खिरिस्‍टे परमेस्‍वरके सक्‍ती आ बुधि चियै। 25कथिलेकी लोकसबके बुधिमानी योजनासे त बरु परमेस्‍वरके मुरुख योजना बेसी महान छै आ परमेस्‍वरके दुरबलता लोकसबके बलसे सक्‍तिसाली छै।
26हे भाइ-बहिनसब, परमेस्‍वर तोरासबके बोलाबैत खिना तुसब केहन छेल्‍ही? तैमे बिचार कर। अइ सनसारके दिरिस्‍टीमे तोरासबमेसे बहुतो लोक बुधिमान, बहुतो लोक सक्‍तिसाली या बहुतो लोक खानदानी नै छेल्‍ही। 27महज बुधिमानसबके लाजमे पारैके लेल परमेस्‍वर सनसारके मुरुख बातसबके छानल्‍कै आ सक्‍तिसाली लोकसबके लाजमे पारैके लेल परमेस्‍वर सनसारके निरबल बातसबके छानल्‍कै। 28अइ सनसारमे आपनके महान ठानैबलासबके बेरथ बनाबैके लेल परमेस्‍वर निच आ तुच्‍छ ठहरल लोकसबके चुनल्‍कै, 29ताकि कोनो लोक परमेस्‍वरके अगा घमन्‍ड नै करे। 30परमेस्‍वरके कारन तुसब खिरिस्‍ट येसुमे चिही, परमेस्‍वर खिरिस्‍ट येसुके अपनासबके लेल बुधि, धरमी, पबितर आ पापसे छुटकरा दैबला बनाइल्‍कै। 31ओहैसे पबितर धरमसास्‍तरमे एहेन लिखल छै, “जे लोक घमन्‍ड करतै, से लोक परभुमे घमन्‍ड करे।”#यरमिया ९:२४

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

१ कोरन्‍थी 1: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល