रोमी 5
5
सान्ती आ आनन्द
1ओहैसे हमसब खिरिस्टमे बिस्बास करलाके कारन परमेस्वरके अगा धरमी ठहरलचियै आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वरसङे अपनासबके मिलाप भेलछै। 2खिरिस्ट हमरासबके बिस्बास दुवारा परमेस्वरके अनुगरहमे लाबने छै। यह्या अनुगरहके हमसब अखुन अनुभव करैचियै आ परमेस्वरके महिमामे सहभागी हैके आसमे आनन्द मनाबैचियै। 3अतबेक नै, हमसब आपन दुख-कस्टमे सेहो आनन्द मनाबैचियै कथिलेत हमसब जानैचियै कि दुख-कस्टसे सहनसिलता उतपन कराबैछै, 4सहनसिलतासे अपनासबके असल चरितर बनाइछै आ असल चरितरसे आसा उतपन करैछै। 5अहै आसाके कारन हमसब निरास नै हेबै कथिलेत परमेस्वर अपनासबके पबितर आत्मा देने छै आ पबितर आत्मासे परमेस्वर अपनासबके हिरदयमे आपन परेम भरनेछै।
6हमसब अपनेसे मुक्तीके लेल कुछो करैले नै सकैबला भेलाके कारनसे खिरिस्ट अपनेसे ठिक समयमे हमरासबके लेल मरलै। 7धरमी लोकके लेल मरैले चाहैबला लोक पाबैले कठिनछै। असल लोकके लेल कोइ-कोइ मरैले साहस करियोसकैछै। 8महज अपनासब पापी भेल बखत खिरिस्टके अपनासबके लेल बलिदान द्याके परमेस्वर अपनासबके लेल महान परेम देखेल्कै। 9खिरिस्ट बलिदान भ्याके आपन लहुसे अपनासबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहरेनेछै। ओहैसे खिरिस्ट दुवारा औरो बेसिसे अपनासबके परमेस्वरके करोधसे बचेतै। 10कथिलेत अपनासब परमेस्वरके सतरु भेल बखत ओकर बेटाके मिरतु दुवारा अपनासबके आपनसङे मिलापमे आनल्कै। अपनासब ओकर सङी भेलाके कारनसे उ आपन बेटाके जिबनसे अपनासबके बचाइतै। 11अतबेक नै, महज अपनासबके परभु खिरिस्ट दुवारा अपनासब परमेस्वरमे आनन्द मनाबैचियै कथिलेत ओकरे दुवारा अपनासबके परमेस्वरसङे मिलाप भेलछै।
आदम दुवारा मिरतु आ खिरिस्ट दुवारा जिबन
12सिरिस्टीके पहिन्का लोक आदम दुवारा सनसारमे पाप एलै आ ओकरे पापसे मिरतु एलै। अहिनङ कैरके लोकसबमे मिरतु फैलगेलै कथिलेत सबकोइ पाप करने छेलै।#उतपती ३:६ 13परमेस्वर बेबस्था दैसे पहिने सनसारमे पाप छेलै। महज बेबस्था नै भेलाके चल्ते पापके कोनो हिसाबो नै लैछेलै। 14तैयो आदमके समयसे लेके बेबस्था लिखैबला मोसाके समयतलिक मिरतु सब लोकसबमे राज करल्कै। लोकसब आदम जखा त पाप नै करल्कै तैयो उहोसब मरलै। आदमके करल पापके नतिजा सब लोकसब पाबल जखा खिरिस्टके करल कामके नतिजा सेहो सबलोक पाबतै। अनङ आदम त पछा आबैबला खिरिस्टके नमुना छेलै।
15परमेस्वरके फोक्टेके बरदान आदमके पाप जखा नै चियै। कथिलेत एकटा लोक आदमके पापके कारनसे बहुत लोक मरलै। महज एकटा लोक येसु खिरिस्टके बरदान दुवारा परमेस्वर बहुतो लोकके औरो बेसिसे अनुगरह देल्कै। 16परमेस्वरके फोक्टेमे देल बरदान आ एकगोरा लोकके करल पापमे फरक छै। आदमके करल एकटा पापके कारन सब लोकसब दोसी ठहरलै आ सजायके भागिदार भेलै। महज लोकसब बहुतो पाप करल्कै तैयो परमेस्वरके अनुगरहसे ओकरासबके धरमी ठहरेल्कै। 17एकेटा लोक आदमके करल पापके कारन सब लोकसब मरैछै। महज असल बात यि चियै कि, परमेस्वर परसस्त अनुगरह आ धारमिकताके बरदानसे लोकसबके धरमी ठहराइल्कै। अनङ उसब एकेटा लोक येसु खिरिस्ट दुवारा जिबन पाबतै।
18अहिनङ कैरके हमसब देखैचियै कि, जनङ आदमके एकेटा पापसे सब लोकसब मिरतुदन्डके भागिदार भेलै, ओहिनङे खिरिस्टके एकेटा धारमिक कामसे परमेस्वरके सामने सबलोक धरमी ठहरतै आ जिबन पाबतै। 19एकटा लोक आदमके आग्यापालन नै करलाके चल्ते बहुतो लोक पापी भेलै, तहिनङे एकटा लोक खिरिस्टके आग्या पालनके चल्ते बहुतो गोरा परमेस्वरके अगा धरमी ठहरतै।
20लोकसब अपना कतहेक पाप करनेचियै से जानैके लेल परमेस्वर ओकरासबके बेबस्था देल्कै। लोकसबके पाप जतहेक बरहैत गेलै परमेस्वरके अनुगरह ओतहेक बेसिसे बरहैत गेलै। 21पहिने पापके सक्ती सब लोकसबके पाप करैले लगेल्कै आ मरलै। आब परमेस्वरके अनुगरसे हमसब ओकर अगा धरमी ठहरैचियै आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा अनन्त जिबन पाबैछै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
रोमी 5: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: