रोमी 4

4
अबराहमके बिस्‍बास
1आब अपनासबके पुरखा अबराहमके बारेमे देख। कोन कारनसे धरमी ठहरलै त? 2यदि असल काम कैरके अबराहम धरमी ठहरतियै त, उ घमन्‍ड करैले सकतियै। महज परमेस्‍वरके अगा ओकरा घमन्‍ड करैबला कोनो ठामे नै छै। 3कथिलेत पबितर धरमसास्‍तरमे लिखलछै, “अबराहम त परमेस्‍वरमे बिस्‍बास करल्‍कै आ ओकर बिस्‍बाससे परमेस्‍वर ओकरा धरमी ठहरेल्‍कै।”#उतपती १५:६, गलाती ३:६ 4काम-काज करैबलाके बोइन देल जाइछै। उ बोइन दान नै चियै महज पसिनाके कमाइ चियै। 5कोनो लोक धरम-करममे नै महज पापी लोकसबके छमादैबला परमेस्‍वरमे बिस्‍बास करैछै त वह्‍या बिस्‍बासके कारन परमेस्‍वर ओकरा धरमी ठहराइछै। यि त परमेस्‍वरके दान चियै। 6अहै तरहसे धरम-करम बिना परमेस्‍वरके नजरमे धरमी ठहरल लोकके बारेमे रजा दाउद अनङ कहैछै,
7“धैनके चियै उसब,
जैसबके अपराध छमा भेलछै
आ ओकर अनगिन्‍ती पापसब झाइपदेनेछै।#भजनसङगरह ३२:१-२
8धैनके चियै उसब,
जकर पापके लेखा परमेस्‍वर नै लैछै।”
9दाउदके कहल यि आसिस खतना भेल यहुदी लोकसबके लेल मातरे चियै कि खतना नै भेल गैर-यहुदी लोकसबके लेल सेहो चियै? पबितर धरमसास्‍तर अनुसार अपनासब कहलियै कि, “अबराहम त परमेस्‍वरमे बिस्‍बास करल्‍कै आ ओकर वह्‍या बिस्‍बाससे परमेस्‍वर ओकरा धरमी ठहरेल्‍कै।” 10तब कहिया धरमी ठहरेल्‍कै? ओकर खतना हैसे पहिने कि पाछु? खतना हैसे पहिने परमेस्‍वर ओकरा धरमी ठहरेल्‍कै। 11ओकर खतना बिस्‍बास दुवारा धरमी ठहरल चेन्‍हा चियै। अहिनङ कैरके उ खतना नै करल महज परमेस्‍वरमे बिस्‍बास कैरके धरमी ठहरैबला लोकसबके आत्‍मिक पुरखा भेलै।#उतपती १७:१० 12अहिनङे यहुदीसब खतना कैरके मातरे नै, महज उसब अबराहम जखा बिस्‍बासमे चलैके कारन अबराहम उ यहुदीसबके सेहो आत्‍मिक पुरखा भेलै।
परमेस्‍वरके परतिग्‍या बिस्‍बाससे आबैछै
13अबराहम बेबस्‍था पालन करलाके कारनसे नै महज परमेस्‍वरमे करल बिस्‍बास दुवारा धरमी ठहरलाके चल्‍ते परमेस्‍वर ओकरा आ ओकर बेटा-बेटिसबके सनसारके हकबला बनाबैके परतिग्‍या करल्‍कै।#उतपती १७:४-६, २२:१७-१८, गलाती ३:२९ 14यदि बेबस्‍था पालन करैबलासब मातरे हकबला हेतियै त, बिस्‍बास आ परतिग्‍या बेरथ हेतियै,#गलाती ३:१८ 15कथिलेत बेबस्‍था भङ करैबलासब उपर परमेस्‍वरके करोध परैछै।
महज जते बेबस्‍था नै छै ओते भङ करैबला बाते नै छै। 16ओहैसे परमेस्‍वरके परतिग्‍या बिस्‍बास दुवारा पाबैबलाके यि ओकर अनुगरहमे भर परैछै। यि परतिग्‍या बेबस्‍था पालन करैबला अबराहमके सन्‍तानसबके लेल मातरे नै महज अबराहम जखा बिस्‍बास कैरके जियैबलासबके लेल चियै, कथिलेत अबराहम सबके पुरखा चियै।#गलाती ३:७ 17पबितर धरमसास्‍तरमे एहेन लिखलछै “हम तोरा सनसारके सब जातीके पुरखा बनाइने चियौ।” मरलसबके जिबन दैबला आ असतित्‍वमे नै भेल चिजके असतित्‍वमे लाबैबला परमेस्‍वरमे अबराहम बिस्‍बास करल्‍कै।#उतपती १७:५ 18सन्‍तानके आसे नै भेल बखत “तोहर सन्‍तान अकासके तरा जतहेक बहुत हेतौ” कैहके परमेस्‍वरके देल परतिग्‍यामे अबराहम आसा आ बिस्‍बास करैले नै छोरने रहलै। तब पाछु बहुतो जातीके पुरखा बन्‍लै।#उतपती १५:५ 19अबराहमके उमेर लगभग सय बरिस पुगल छेलै आ उ जानैत रहलै कि हमर यि देहसे आब किछो नै हेतै आ उ यिहो जानैछेलै कि साराके बच्‍चा जलमाइले असम्‍भवछै। तैयो उ बिस्‍बासमे कमजोर नै भेलै।#उतपती १७:१७ 20उ परमेस्‍वरके करल परतिग्‍यामे एकोरती संका नै करल्‍कै महज बिस्‍बासमे औरो बौकार भ्‍याके परमेस्‍वरके परसन्‍सा करल्‍कै। 21कथिलेत परमेस्‍वर आपन करल परतिग्‍या अबस्‍य पुरा करतै कैहके उ निसचिन्‍त छेलै। 22तब उ अहै बिस्‍बासके कारनसे “परमेस्‍वर ओकरा धरमी ठहरेल्‍कै”। 23पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल बात, “परमेस्‍वर ओकरा धरमी ठहरेल्‍कै” ओकरलेल मातरे नै लिखल गेलै, 24महज अपनोसबके लेल लिखलगेल छै। जे कोइ अपनासबके परभु येसुके मरलसे जिबित करैबला परमेस्‍वरमे बिस्‍बास करैछै, ओकरा परमेस्‍वर धरमी ठहराइछै। 25येसु अपनासबके पापके खातिर मारलगेलै आ अपनासबके धरमी ठहराइके लेल जिबित करल गेलै। #यसैया ५३:४-५

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

रोमी 4: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល