मरकुस 4

4
बिया छिटैबलाके खिसा
(मती १३:१-२३, लुका ८:४-१५)
1येसु फेनो गालिल तालके कातमे सिक्‍छा देबे लाग्‍लै। ओकर चारुकात लोकसबके भिर अतहेक बेसी छेलै कि उ तालमे भेल एकटा नाहमे चहैरके ओइमे बैठलै। ओते लोकसब तालके कातमे बैठल रहै। 2तब उ बहौत बातसब ओतेका लोकसबके खिसा कैहके सिखेल्‍कै। उ आपन खिसामे ओइसबके कहल्‍कै: 3“सुन! एकटा किसान खेतमे बिया छिटैले निकल्‍लै। 4तब छिटै बखत कतहेक बिया रस्‍तामे परलै, उ बिया चिरै-चुरगुनसब आइबके ख्‍यालेल्‍कै। 5कुछ बिया पथलबला जमिनमे परलै, जते बेसी माटी नै रहै आ माटिके गहिराइ नै भेलासे बिया जल्‍दिए जलमलै। 6महज टहटह रौद उग्‍लाके बाद टुसासब मौरागेलै आ सिर नै लग्‍लाके कारन उ लटुवागेलै। 7कुछ बिया काँटसबके झारमे परलै। काँटके झारसब बरहैत गेलै आ जलमल बियाके झाइपदेल्‍कै आ ओइमे फल फरैले नै सक्‍लै। 8महज कुछ बिया असल जमिनमे परलै, उ जलमैत आ बरहैत गेलै। कोनो तिस गुना, कोनो साइठ गुना आ कोनो सय गुना फल फरेल्‍कै।” 9तकरबाद येसु कहल्‍कै, “जकरा सुनैबला कान छै, उ धियानसे सुइनके बुझ।”
10जब येसु असगरे भेलै, तब बारह गोरा चेलासब आ ओकर अगल-बगलमे भेल लोकसब ओकरा खिसाके बारेमे पुछल्‍कै। 11येसु ओइसबके कहल्‍कै, “परमेस्‍वरके राजके भितरी भेद जानैले तोरासबके देनेचियौ, मगर बाहरके लोकसबके सब बात कथामे कहबौ,
12 ताकि उसब ताकैले त ताकैछै, महज नै देखैछै,
सुनैले त सुनैछै, महज नै बुझैछै,
नै त उसब पस्‍चाताप करतियै
आ ओइसबके पाप छमा हेतियै।” # यसैया ६:९-१०
13तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “तुसब यि खिसाके अरथ नै बुझैचिही त औरो कथासबके अरथ कनङके बुझबिही? 14बिया छिटैबला परमेस्‍वरके बचन छिटैछै। 15कतहेक लोकसब बिया छिटल रस्‍ता जखाछै। जब उसब बचन सुनैछै, तब तुरन्‍त सैतान आइबके ओकरासबमे छिटल बचन बिछके लजाइछै। 16तैहनङे कतहेक लोकसब बिया छिटल उहे पथले-पथल जमिन जखा चियै, जे परमेस्‍वरके सिक्‍छा सुनैछै, उसब तुरन्‍त खुसिसाथ गरहन करैछै। 17महज ओइसबके आपन सिक्‍छाके सिर नै लागलसे उ बहौत देर नै टिकैछै। महज बचनमे बिस्‍बास करैके कारन जब दुख आ सताबट आबैछै, तब तुरन्‍ते उसब छोरदैछै। 18अहिनङे कतहेक लोकसब बिया छिटल काँटके झार भ्‍याल जमिन जखा चियै, जे बचन सुनैछै, 19महज दुनियाके चिन्‍ता, धनके मोह आ औरो चिजके ललसा आइबके बचनके दाइब दैछै। तहैले उसब फल नै फराबैछै। 20महज औरो लोकसब बिया छिटल उ असल जमिनसब जखा चियै, जे बचन सुनैछै, गरहन करैछै आ फल दैछै, तब कोनो तिस गुना, कोनो साइठ गुना आ कोनो सय गुना फल फराबैछै।”
इजोतके खिसा
(लुका ८:१६-१८)
21तकरबाद येसु ओइसबके कहल्‍कै, “कि कोइ डिबिया नेसके ढकियाके तरमे या चौकीके तरमे राखबै कैहके भितरमे आनैछै त? बरु डिबिया नेसके डैठके उपरमे राखैले पो आनैछै। 22कोनोभी चिज घोसाइरके राखैले नै सकैछै, जे उसब परगट नै हैछै, तब कोनो चिज झापल नै छै जे इजोतमे नै आनैछै। 23यदि जकरा सुनैबला कान छै, उ धियानसे सुइनके बुझ।”
24तब येसु फेनो ओइसबके कहल्‍कै, “तुसब जे सुनैचिही, तैमे धियान दहै। कथिलेत जतहेक धियान द्‍याके सुनबिही ततहेक तुसब बेसिसे बुझेसकबिही आ तुसब औरो बेसिसे बुझेबला सक्‍ती पाबबिही। 25कथिलेत जकरसङे छै तकरा औरो बेसिसेदैछै आ जेकर सङे नै छै थोरबे छै कैहके सोचैछै ओकरसे भेल्‍हो ललेतै।”
परमेस्‍वरके राज बरहैत बिया जखा हैछै
26येसु फेनो कहल्‍कै, “परमेस्‍वरके राज एहेन हैछै- कोनो एकटा लोक जमिनमे बिया छिटैछै, 27आ उ सुततै तैयो, जागल रहतै तैयो उ बिया जलमबे करतै आ बढतै, महज उ कनङके बरहैछै से उ लोक नै जानैछै। 28जमिनके माटी आपनेसे जलमाइछै, पहिने टुसा, तकरबाद सिस, तकरबाद सिसमे पुरा दाना लागैछै। 29जब अन पाकैछै, तब तुरन्‍ते उ हसुवा लगाबे लागैछै, कथिलेत बाली काटैके समय भेलरहैछै।”
रायके बियाके खिसा
(मती १३:३१-३२, लुका १३:१८-१९)
30तब फेनो येसु कहल्‍कै, “परमेस्‍वरके राजके कोन चिजसे मिलाइबै? कोन खिसासे अकर बरनन करल जाय? 31यि त रायके बिया जखाछै, जे जमिनमे छिटल जाइछै। पिरथिबी भैरमे सब बियासबसे छोट हैछै, 32महज जब उ छिटल जाइछै, तब उ बरहैछै आ सब सागपातसे उ बरका भ्‍याजाइछै। ओकर ठाइर अतहेक पैध भ्‍याजाइछै, जे ओकर छाहमे अकासके चिरै-चुरगुनसब खोता बनाबैछै।”
33एहिनङे लोकसब परमेस्‍वरके बचन नै बुझे तक येसु औरो बहुत खिसासब सुनाइल्‍कै। 34बिना खिसासे येसु ओकरासबसङे नै बोल्‍लै, महज आपन चेलासबके परोछमे सबके अरथ खोइलदेल्‍कै।
येसु अन्‍हर-बिहाइरके सान्‍त करल्‍कै
(मती ८:२३-२७, लुका ८:२२-२५)
35ओहै दिन साँझ परलाके बाद येसु चेलासबके कहल्‍कै, “ले आब अपनासब तालके ओइपार चल।” 36तब चेलासब भिरके छोइरके येसु जै नाहमे बैठल रहै, तहै नाहमे बैठके ओकरो आपनसङे ल्‍याके गेलै आ औरो नाहसब ओकरसङे छेलै। 37तब ओते बरका अन्‍हर-बिहाइर एलै, तालके झोहसब उपर उइठके नाहमे गेलै आ नाह पानीसे भरे लाग्‍लै। 38येसु नाहके पछा कातमे एकटा सिरमा लग्‍याके बिभोर निनमे सुतल छेलै। तब चेलासब ओकरा उठाइत कहेलाग्‍लै, “गुरु जी, गुरु जी, हमसब डुबे लागलियै। कि अहाँके चिन्‍ता नै छै?” 39तब येसु उठलै आ अन्‍हर-बिहाइरके हकारल्‍कै आ झोहके कहल्‍कै, “रुइक जो! सान्‍त हो!” अन्‍हर-बिहाइर रुक्‍लै तब सब सान्‍त भेलै। 40तब येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै, “तुसब कथिले अतहेक डरपोक चिही? तोरासबके बिस्‍बास कते गेलौ?” 41उसब एकदमे डेरागेलै आ आपनमे कहेलाग्‍लै, “यि के चियै? अन्‍हर-बिहाइर आ तालो अकर बात मानैछै।”

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

मरकुस 4: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល