मरकुस 15

15
पिलातसके अगामे येसु
(मती २७:१-२, ११, लुका २३:२-५, १३, युहन्‍ना १८:२८-१९:१६)
1बिहान सबेरे मुल पुजारीसब, धरमगुरुसबसे, अगुवासबसे आ महासभाके सब सदससबसे सङे आपसमे सरसल्‍लाह कैरके योजना बनेल्‍कै। तब उसब येसुके बाइन्‍हके बडा हाकिम पिलातसलग आनल्‍कै। 2पिलातस येसुके सबाल करल्‍कै, “कि तु यहुदीसबके रजा चिही?” येसु जबाफ देल्‍कै, “से बात त अहै कहैचियै।” 3ओइ बखत मुल पुजारीसब येसु उपर बहुत परकारके दोस लगाइल्‍कै। 4तैल्‍याके पिलातस ओकरा फेनो कहल्‍कै, “कि तोहरसङे यि सबालके कोनो जबाफ नै छौ? देख, उसब तोहर उपर कतहेक दोस लग्‍यारहलछौ।” 5महज येसु कोनो सबालके जबाफ नै देल्‍कै, तैल्‍याके पिलातस छक्‍के परलै।
6तब हरेक बरिस निस्‍तार पाबैनके अबसरमे पिलातस लोकसबके माङ अनुसार एकटा कैदीके छोरै छेलै। 7ओइ बखत हतिया करैबला बिदरोहीसब जहलमे छेलै। ओइमेसे बारब्‍बा नामके लोको ओते छेलै। 8तब लोकसबके भिर पिलातसलग एलै आ “औरो बरिस जखा एहो बरिस एकगोरा कैदीके छोइरदियौ” कैहके बिन्‍ती करेलाग्‍लै। 9पिलातस उसबके एकटा सबाल करल्‍कै, “कि हम तोरासबके खातिर यहुदीसबके रजाके छोइरदेबौ से चाहैचिही?” 10कथिलेत मुल पुजारीसबके रिसके कारन येसुके हमरलग आन्‍नेछै से बात उ बुझने रहै।
11येसुके बदलामे बारब्‍बाके छोइरदियौ कैहके मुल पुजारीसब भिरके लोकसबके उसकेल्‍कै। 12पिलातस उसबके फेनो कहल्‍कै, “जकरा तुसब ‘यहुदीसबके रजा’ कहैचिही, तकरा हम कथी करबौ?” 13उसब हल्‍ला करैत कहल्‍कै, “अकरा कुरूसमे लटका!” 14तब पिलातस फेनो ओइसबके कहल्‍कै, “कथिले? यि लोक कोनो खराबी करनेछै से?” महज उसब औरो जोर-जोरसे हल्‍ला करते रहलै, “अकरा कुरूसमे लटका!” 15भिरके लोकसबके माङ पुरा करैके लेल पिलातस बारब्‍बाके छोइरदेल्‍कै आ येसुके कोरासे पिटके कुरूसमे लटकाइले सिपाहीसबके जिम्‍मा लग्‍यादेल्‍कै।
येसुके अपमान
(मती २७:२७-३१, युहन्‍ना १९:२-३)
16तब सिपाहीसब येसुके दरबार भितरमे ल्‍यागेलै। जकरा पेरेटोरियन कहैछै आ ओते आपन पल्‍टनके सब सिपाहीसबके भेला करल्‍कै। 17उसब येसुके रजासब पिन्‍हैबला बैजनी रङके बस्‍तर पिन्‍हादेल्‍कै आ काँटके मुकुट बनाके ओकर मुरीमे लगादेल्‍कै। 18तब उसब “यहुदीसबके रजाके जय हो!” कहैत ओकरा घिस्‍याके गोरलगी करेलाग्‍लै। 19आ उसब बेर-बेर नरकटके छरीसे ओकर मुरीमे मारल्‍कै, थुकल्‍कै आ ठेङहुनिया दैत गोरलगी करल्‍कै। 20उसब येसुके घिस्‍येलाके बाद ओकर बस्‍तर खोइलदेल्‍कै आ पहिन्‍का बस्‍तर पिन्‍हादेल्‍कै। तकरबाद येसुके कुरूसमे लटकाइले बाहर ल्‍यागेलै।
येसुके कुरूसमे लटकेल्‍कै
(मती २७:३२-४४, लुका २३:३३-४३, युहन्‍ना १९:१७-२७)
21जब सिपाहीसब येसुके रस्‍तामे लजाइछेलै तब उसब गामसे आइबरहल कुरेनी#१५:२१ कुरेनी- यि उतर अफरिकाके एगो सहर छेलै। निबासी सिमोन नामके लोकसे भेट भेलै, जे अलेक्‍जेन्‍डर आ रुफसके बाबु छेलै। सिपाहीसब जबरजस्‍ती ओकरा पकैरके येसुके कुरूस बोकैले लगाइल्‍कै। 22तकरबाद उसब येसुके गलगथा कहैबला ठाममे लगेलै। (जकर अरथ खप्‍परबला जगह हैछै।) 23ओते पुग्‍लाकेबाद उसब येसुके पिये नै सकैबला अङगुरके मध पियैले देल्‍कै महज येसु उ नै पियल्‍कै।#१५:२३ यि निसाबला चिज येसुके देल्‍कै जे दबादारुमे परयोग करै जैसे पिरा कम हैछै। (भजनसङगरह ६९:२१) 24तब उसब येसुके हाथ-टाङमे काँटी ठोइकके कुरूसमे लटकेल्‍कै आ सिपाहीसब येसुके बस्‍तर ककर ककर भागमे परतै कैहके चिठा लगाके बाटल्‍कै।
25जखुन येसुके कुरूसमे लटकाइछेलै तखैन अनगुतके न बाजल छेलै। 26ओकर दोस लग्‍याल दोस पाटिमे “यहुदीसबके रजा” लिखल छेलै। 27उसब दुइटा डाकुके ओकरसङे एकटाके देहना कात आ दोसरके बमाकात कुरूसमे टाङल्‍कै। 28[तब अहिनङके पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल बात पुरा भेलै, “उ अपराधीसबसङे गनल गेलै।”#यसैया ५३:१२ ]
29ओइ रस्‍तामे जाइबला आपन मुरी हिला-हिलाके ओकर गिल्‍ला करैत कहल्‍कै, “आरौ बा! तु मन्‍दिरके तोरैबला आ तिने दिनमे बनाइबला, 30आब कुरूससे निचा उतैरके आ अपने-आपके बचा त।” 31तहिनङे मुल पुजारीसब आ धरमगुरुवोसब येसुके गिल्‍ला करैत कहल्‍कै, “यि त लोकसबके बचेल्‍कै महज आपनेके बचाइले नै सकैछै। 32इजराएलके मुक्‍ती दैबला रजा, खिरिस्‍ट आब कुरूससे निचा उतैरके आबौक, तब हमसब देखके बिस्‍बास करबै।” कुरूसमे लटक्‍याल डाकुवोसब ओकर गिल्‍ला करल्‍कै।
येसुके मरन
(मती २७:४५-५६, लुका २३:४४-४९, युहन्‍ना १९:२८-३०)
33तहै बखत ठिक दिनके बारह बजेसे तिन बजेतक देस भर अन्‍हार रहलै। 34तब येसु तिन बजेदिसन जोरसे अबाज निकाइलके कहल्‍कै, “इलोइ, इलोइ, लामा सबखथनी”#१५:३४ इलोइ, इलोइ, लामा सबखथनी- यि सब्‍दसब येसुके आपने बोलैबला अरामिक भसा चियै। जकर मतलब “हे हमर परमेस्‍वर, हे हमर परमेस्‍वर, अहाँ हमरा कथिले छोइरदेलियै?” 35येसुके यि अबाज सुइनके लगमे ठारभेल लोकसब कहल्‍कै, “सुन, उ एलियाके बोलारहलछौ।” 36तब एकगोरा दौरके एलै आ एकटा पानी सोकैबला चिज ल्‍याके अङगुरके मधमे डुबाके तकरा लाठीमे बान्‍हके ओकर मुहलग पियैले देल्‍कै आ कहल्‍कै, “देखु, आब एलिया आइबके कुरूससे निचा उताइर देतै कि।” 37तब येसु बरका अबाज निकाइलके आपन परान छोइरदेल्‍कै।
38तखुन्‍ते मन्‍दिरमे लटक्‍याल परदा उपरसे निचा तक बिचसे फाइटके दुइ चिरा भ्‍यागेलै।#१५:३८ यि परदा पबितर जगहके आ महापबितर जगहके बिचमे छेलै। (परस्‍थान २६:३१-३३) परमेस्‍वर अकरा फाइरके लोकसबके यि देखाबेला चाहल्‍कै कि परधान पुजारी मातरे नै आब सबगोरा ओकरालग ज्‍या सकैछी। (हिबरु १०:१९-२२) 39यि घटनासब देखके कुरूसके सामने खारभेल रोमी कप्‍तान कहल्‍कै, “साँचोके यि लोक परमेस्‍वरके बेटा रहै।” 40जनिजाइतोसब दुरेसे ठार भ्‍याके देखरहल छेलै। ओइसबमेसे मरियम मग्‍दलिनी, छोटका याकुब आ योसेफके माँ मरियम आ सलोमी सेहो छेलै। 41जखैन येसु गालिलमे रहै तखैन उसब ओकर सेबा टहल कैर दैछेलै। ओते औरो जनिजाइतसब छेलै जेसब येसुसङे यरुसलेममे एलछेलै।
येसुके चिहानमे राखल्‍कै
(मती २७:५७-६१, लुका २३:५०-५६, युहन्‍ना १९:३८-४२)
42यि घटना पबितर बिसराम दिनके एक दिन पहिने भेलरहै, जै दिन बिसराम दिनके तैयारी करल जाइछेलै। तब साँझ परे लागल छेलै, 43अरिमाथिया सहरके योसेफ नामके एकगोरा महासभाके सदस छेलै, जे परमेस्‍वरके राजके बाट ताकैतरहै। उ साहसके साथ पिलातसलग गेलै आ येसुके लहास माङल्‍कै।
44येसु पहिने मर गेलछेलै से सुइनके पिलातस छक परलै। तब रोमी कप्‍तानके बोल्‍याके कहल्‍कै, “साच्‍चे येसु मैरगेल छै?” 45उ मैरगेल छै से थाह पाइबके ओकर लहास योसेफके लजाइके अनुमति देल्‍कै। 46तब योसेफ छनगर सुतिके बस्‍तर किनके आनल्‍कै आ येसुके लहास कुरूससे निचा उताइरके ओइसे लपेटल्‍कै। तकरबाद चटानमे खाइध खुइनके बनाएल चिहानमे राखल्‍कै। ओइ चिहानके मुह बरका पथलसे झाइपदेल्‍कै। 47मरियम मग्‍दलिनी आ योसेफके माँ मरियम येसुके लहास कनङके राखैछै से देखैछेलै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

मरकुस 15: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល