मरकुस 11
11
यरुसलेममे येसुके परबेस
(मती २१:१-११, लुका १९:२८-४०, युहन्ना १२:१२-१९)
1जब येसु यरुसलेमके नजदिक जैतुन पहारके कातमे बेथफागे आ बेथानिया गाममे पुग्लै, तब ओते उ आपन चेलासबमेसे दुइगोराके एहेन कैहके पठेल्कै, 2“तुसब सामनेके गाममे जो, गाममे जाइते-जाइते तोरासबके एकटा गदहाके बच्चा बान्हल भेटतौ तैमे अखुनतक कोइ नै चरहल छै। तकरा खोइलके अते आन। 3कोइ तोरासबके ‘यि कथी करैचिही?’ कहतौ त, ‘परभुके अकर जरुरत छै आ फेनो उ अकरा तुरन्ते घुमादेतौ’ कहिहे।”
4तब दुनुगोरा गेलै आ उ गदहाके बच्चा उसबके डगहर कातमे एकटा घरके देहरी लग बान्हल भेटलै आ ओकरा खोले लाग्लै। 5ओइठाम ठारभेल लोकसब ओकरासबके कोइ-कोइ पुछल्कै, “यि गदहाके बच्चाके तुसब कथी करैचिही?” 6जैहनङे येसु ओइसबके अरहाइने रहै तैहनङे उसब जबाफ देल्कै आ उसब ओइसबके जाइले देल्कै।
7उसब गदहाके बच्चाके येसुलग आनल्कै आ आपन बस्तरसब ओकर उपरमे राइखदेल्कै आ येसु ओहैमे सबार भेलै। 8बहौत लोक रस्तामे आपन बस्तरसब बिछाइ छेलै, औरो लोकसब फुलबारीसे पत्ताबला ठाइरसब तोइरके रस्तामे बिछेल्कै। 9तब येसुके अगा-अगा चलैबला आ पछा-पछा आबैबलासब जयजयकार करेलाग्लै, “होसन्ना! धैनके उ, जे परमपरभुके नाममे आबैछै! 10धैनके हेबे, हमरसबके पुरखा दाउदके आबैबला राजके जय, परमधाममे होसन्ना!”
11येसु यरुसलेममे पहुचके मन्दिरमे ढुक्लै। तब उ अखापखा चारुदिसन नजर पसाइरके ताकलाके बाद साँझ परल जाइछेलै तैखातिर ओतेसे बारहो गोरे चेलासबसङे बेथानिया चैलगेलै।
अन्जिरके गाछ
(मती २१:१८-१९)
12दोसर दिन बेथानियासे आबैतखिना येसुके भुख लाग्लै। 13तब दुरेसे हरियर पतासे भरल अन्जिरके गाछ देखके ओइमे फल भेटतै कि कैहके उ ओते गेलै। जब उ ओते पहुचलै ओइ गाछमे पता बाहेक कुछो नै भेटलै, कथिलेत तैबखत अन्जिर फरैबला समय नै भेलरहै। 14तब येसु ओइ गाछके कहल्कै, “आबसे तोहर गाछमे कहियो फल नै फरे।” ओकर कहल यि बात चेलासब सुइन लेल्कै।
येसु मन्दिरमे किन-बेच करैबलासबके हटेल्कै
(मती २१:१२-१७, २०, लुका १९:४५-४८, युहन्ना २:१३-२२)
15तब उसब यरुसलेम पहुचलाके बाद येसु मन्दिर भितर ढुक्लै, तब मन्दिरमे बेचैबला आ किनैबलासबके बाहर निकालल्कै, पैसा भजाइबलासबके#११:१५ पैसा भजाइबलासब- ओइ समयमे जे कोइ परमेस्वरके मन्दिरमे बलिदान चरहाबेके लेल आबैछेलै उ परमेस्वरके मन्दिरमे परयोग करैके लेल आपन पैसा भजाबैछेलै, कथिलेकी ओहि पैसाके मातर उसब जानबरसब चरहाबैके लेल किनेसकैछेलै। टेबुलसब आ पेरबा बेचैबलासबके बैठैबला पिरहिया उल्टा-पुल्टा देल्कै। 16मन्दिरके दलान हैत ककरो कोनो चिज लके जाइले नै देल्कै। 17तब उ सिक्छा दैत कहल्कै, “कि एहेन लिखल नै छै, ‘हमर घर सब जातीसबके लेल परथनाके घर कहाइतै’? महज तुसब त अकरा डाकुसबके अड्डा बनाइने चिही।” 18तब मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब यि बात सुइनके येसुके कनङके मारलजेतै तकर उपाय सोचे लाग्लै। महज उसब ओकरसे डराबैछेलै, कथिलेत लोकसबके पुरा भिर ओकर सिक्छा सुइनके अच्चम मान्ने रहै। 19सुरुज डुब्लाके बाद येसु आ ओकर चेलासब सहरसे निकैलके बाहर गेलै।
बिस्बासके सक्ती
(मती २१:१८-२०)
20बिहान सबेरे ओतेसे रस्तामे जाइत-जाइत उसब ओइ अन्जिरके गाछके जैरेसे सुखल देखल्कै। 21तब पतरुस पहिन्का घटना समझल्कै आ येसुके कहल्कै, “गुरु जी, देखु, अहाँके सराप देल्हा गाछ सुइख गेलछै।”
22येसु ओइसबके कहल्कै, “परमेस्वरमे बिस्बास राख। 23हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, यदि आपन मनमे कोनो संका नै करतै महज आपनेसे कहल बात पुरा हेबे कैहके बिस्बास कैरके यि पहारके ‘अतेसे उखैरके समुन्दरमे जो’ कहतै त ओकरलेल तैहनङ हेतै। 24अहै खातिर हम तोरासबके कहैचियौ, तुसब परथनामे जे माङबिही, से पाइबगेलचिही कैहके बिस्बास कर आ उ मिल जेतौ। 25जखुन तुसब परथनाके लेल खरा हेब्ही, तब ककरो बिरुधमे तुसब कुछो छौ त ओकरा माफ कर, जैसे तोहर पिता जे स्वरगमे छौ सेहो तोहर अपराध माफ कैरदेतौ। 26[महज माफ नै करबिही त, स्वरगमे रहैबला पिता तोरासबके अपराध माफ नै करतौ।]”
येसुके अधिकार बारे सबाल
(मती २१:२३-२७, लुका २०:१-८)
27येसु आपन चेलासबसङे फेनो यरुसलेममे एलै। तब येसु मन्दिरके अङनामे टहल-बुल करैतकाल मुल पुजारीसब, धरमगुरुसब आ अगुवासब ओकरलग एलै। 28उसब येसुके पुछल्कै, “कोन अधिकारसे तु यि कामसब करैचिही? यि अधिकार तोरा के देल्कौ?” 29येसु ओइसबके कहल्कै, “हम अहाँसबके एकटा सबाल करैचियै आ अहाँसब अकर जबाफ देबै त, कोन अधिकारसे हम यि काम करैचियै, से बात अहाँसबके कहब। 30युहन्नाके देल बप्तिस्मा स्वरगसे चियै कि लोकसे, हमरा जबाफ दिय।” 31तब उसब आपनमे छलफल करेलाग्लै, “यदि ‘स्वरगसे’ कहबै त ‘तुसब ओकर उपर कथिले नै बिस्बास करलिही’ कैहके उ कहतै। 32महज लोकसबसे छै कहैले डेरेलै कथिलेत लोकसब युहन्नाके साँचोके अगमबक्ता चियै कैहके बिस्बास करनेरहै।”
33तब उसब येसुके जबाफ देल्कै, “हमरासबके थाह नै छै।” फेनो येसु कहल्कै, “हम्हु कोन अधिकारसे यि काम करैचियै, से तोरासबके नै कहबौ।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
मरकुस 11: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.