मती 18
18
सबसे बरका के चियै
(मरकुस ९:३३-३७, लुका ९:४६-४८)
1ओहै बखत चेलासब आइबके येसुके पुछल्कै, “स्वरगके राजमे सबसे बरका के चियै?”#लुका २२:२४ 2तब येसु एकटा छोट बच्चाके लगमे बोलाइल्कै आ उसबके बिचमे खरा कैरके कहल्कै, 3“साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक तुसब मन बदैलके यि बच्चासबके मन जखा नै हेतौ ताबेतक स्वरगके राजमे कहियो नै ढुके सकबिही।#मरकुस १०:१५, लुका १८:१७ 4जे कोइ यि छोट बच्चा जखा नरम स्वभाबके आपनेके बनाइतै, से लोक स्वरगके राजमे सबसे पैध हेतै। 5जे कोइ यि छोट बच्चाके हमर नाममे सुइकार करतै, उ हमरा सुइकार करतै।
6 “यदि कोइ हमरमे बिस्बास करैबला छोटसे छोट बच्चाके पाप करैले लगाबैछै त, ओकर घेंचमे बरका जाँत बाइन्हके समुन्दरमे फेक देनाइ उचित हेतै।
पापके बिरोधमे चेताबनी
(मरकुस ९:४२-४८, लुका १७:१-२)
7 “पापमे फसाइबला सनसारके लोकसबके धिक्कार! सनसारमे पाप करैबला जाँचसब त अबस्य आबैछै, महज धिक्कार उ लोकके, जकरसे पाप करैबला परिक्छा आबैछै! 8यदि तोहर हाथ या टाङ पाप करैले लगाइछौ त ओकरा काइटके फेकदहै। दुनु हाथ या टाङ ल्याके नै बुताइबला आइगमे जाइसे बरु त लुल्हा आ नेङर भ्याके अनन्त जिबनमे परबेस करनाइ उचित छै।#मती ५:३० 9यदि तोहर आँख पाप करैले लगाइछौ त ओकरा निकालके फेकदहै। दुनु आँख ल्याके नरकके आइगमे जाइसे त बरु आन्हर भ्याके अनन्त जिबनमे परबेस करनाइ उचित छै।”#मती ५:२९
हरेल्हा भेंराके खिसा
(लुका १५:३-७)
10 “होसियार रह, यि छोट बच्चासबमेसे ककरो तुसब निच नै समझ। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, ओइसबके देखभाल करैबला स्वरगदुतसब स्वरगमे रहैबला हमर पिताके अगामे रहैछै। #
लुका १९:१०
11[कथिलेत मानबके बेटा हरेल्हासबके बचाइले एलछै।]
12 “तुसब कथी बिचार करैचिही? यदि कोनो लोकके एकसय भेंरा छै आ ओइमेसे एकटा हेरेतै त, कि उ निनानब्बेटाके छोइरके उ हरेल्हा भेंराके खोजैले नै जेतै? 13साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जब उ हरेल्हा भेंरा भेटेतै त, नै हरेल्हा निनानब्बेटा भेंरासबसे बेसी हरेल्हा एकटा भेंराके लेल खुसी मनाइतै। 14तहिनङे स्वरगमे रहैबला तोरासबके पिताके इक्छा एह्या छै कि, यि छोट बच्चासबमेसे कोइ नै हेराबे।”
आपन बिरोधमे पाप करैबला बिस्बासी भाइसङे निक बेबहार
(लुका १७:३)
15 “यदि कोनो बिस्बासी भाइ तोहर बिरोधमे पाप करैछौ त ओकरलग असगरे जो आ एकान्तमे ओकर करल पाप देखादहै। यदि उ तोहर बात सुन्तौ त, उ तोहर भाइ हेतौ। #
लुका १७:३
16महज उ तोहर बात नै सुन्तौ त, दुइ या तिन गोरेके आपन साथमे ल्याके सम्झाइले जो। कथिलेत धरमसास्तरमे कहल जखा दुइ या तिन साक्छीके अगा सब बात पक्का हेबे।#बेबस्था १९:१५ 17यदि उ ओकरोसबके बात नै सुन्तौ त, तकर जानकारी मन्डलीमे दहै। उ मन्डलियोके बात नै सुन्तौ त, ओकरा गैर-यहुदी आ बटी उठाइबलासबके जखा समझ।
18 “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, अइ पिरथिबीमे तुसब जे बान्हबिही, से स्वरगमे बान्हलजेतौ आ अइ पिरथिबीमे जे खोलबिही, से स्वरगमे खोललजेतौ। #
मती १६:१९, युहन्ना २०:२३ 19हम फेनो तोरासबके कहैचियौ, यदि अइ पिरथिबीमे तोरासबमेसे दुइगोरे एकसाथ एकेमन भ्याके कोनो चिज माङबिही त, उ स्वरगमे रहैबला हमर पिता तोरासबके देतौ, 20कथिलेत जते दुइ या तिन गोरा हमर नाममे एक ठाम जर हेतै, तते हम तोरासबके बिचमे हेबौ।”
छमा नै दैबला नोकरके खिसा
(लुका १७:४)
21तब पतरुस येसुलग आइबके कहल्कै, “परभु, हमर भाइ हमर बिरोधमे पाप करैत रहतै त हम ओकरा क्या बेर छमा करबै? कि सात बेर?”#लुका १७:३-४ 22येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “हम तोरा कहैचियौ, सात बेर नै, महज सतर गुना सात बेर!#उतपती ४:२४ 23कथिलेत स्वरगके राज एकटा रजा जखाछै, जे आपन नोकरसबसङे हिसाब लैले इक्छा करल्कै। 24जब रजा हिसाब-किताब लेबे लाग्लै, तब दस हजार सोनाके डलर करजा लेल्हा एकटा नोकरके ओकरलग आनल्कै। 25महज उ नोकर करजा सधाबैले नै सकल्कै, तैखातिर रजा ओकरा ‘उ अपने-आपके आ आपन घरबाली, बेटाबेटी आ ओकरसङे भेल सबकुछ बेचके करजा सधाबैले’ आग्या देल्कै। 26तब उ नोकर रजाके अगा ठेङहुनिया दैत बिन्ती करल्कै, ‘हे मालिक, धिरज करु, हम अहाँके सब करजा सधादेबै।’ 27तब रजा ओकर उपर दया करल्कै आ सब करजा मिन्हा कैरदेल्कै।
28 “तब उ नोकर रजालगसे गेलै आ आपनसङे काम करैबला सङी नोकरके भेटलै। जे एकसय चानीके डलर ओकरसे करजा लेने रहै। उ ओकर घेंच पकैरके कहल्कै, ‘तु हमरसे जतहेक करजा लेने चिही अखुन्ते तिर!’ 29महज उ सङी नोकर ओकर अगा ठेङहुनिया द्याके ओकरा बिन्ती करैत कहल्कै, ‘कुछदिन धिरज करु, हम अहाँसे लेल्हा सब करजा सधादेब।’ 30महज उ नै मानल्कै आ करजा नै सधाबैतक ओकरा जहलमे राइखदेल्कै।
31 “जब ओकरसङे काम करैबला सङी नोकरसब यि देखल्कै तब उसब एकदम दुखित भेलै। उसब ज्याके यि सबघटना आपन मालिकके कैहदेल्कै। 32तब रजा उ नोकरके बोलाके कहल्कै, ‘ए दुस्ट नोकर! तु हमरसे बिन्ती करलिही त हम तोहर सब करजा मिन्हा कैरदेलियौ। 33जहिनङे हम तोरा दया करलियौ तहिनङे तु आपन सङी नोकरके दया करे नै परैछै?’ 34तब रजा एकदम खिसयाइलै आ ओकरा सब करजा नै सधाबैतक ओकरो जहलमे राइखदेल्कै।”
35 तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “तुसब आपन भाइ-बहिनके हिरदयसे छमा नै करबही त, स्वरगमे रहैबला हमर पिता तोरोसबसङे ओहिनङे करतौ।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
मती 18: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.