लुका 3
3
बप्तिस्मा दैबला युहन्ना
(मती ३:१-१२, मरकुस १:१-८, युहन्ना १:१९-२८)
1रोमी महराज तिबेरियस राज करला पन्दरह बरिस भेल छेलै। ओइ बखत पन्तियस पिलातस यहुदिया इलाकाके बडा हाकिम छेलै। हेरोद गालिल इलाकामे राज करैछेलै, ओकर भाइ फिलिप इतुरिया आ तराखोनितिस इलाकामे राज करैछेलै। अबिलेने इलाकामे लुनियास गामके लोक राज करैछेलै। 2ओइ बखतके परधान पुजारीसबमे हन्नास आ कैयाफा छेलै। ओहै बखत उजार जगहमे परमेस्वरके बचन जकरियाके बेटा युहन्ना लग एलै।
3युहन्ना यरदन लदीमे ज्याके चारु दिसरके लोकसबके परचार करेलाग्लै, “आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताव कर आ बप्तिस्मा ले तब परमेस्वर तोरासबके पाप छमा कैरदेतौ।” 4ऐहनङे यसैया अगमबानी करैबलाके लिखल किताबके बातसब,
“उजार जगहमे एकटा लोक जोरसे कैहरहल छै,
‘परभुके आबैबला रस्ता दुरुस कर,
उ चलैबला रस्तासब सोझ कर!
5सब खाइध-खुइध सैर हेतौ,
हिमाल आ पहारसब सैर हेतौ,
टेढ घोंच रस्तासब सोझ हेतौ आ बिगरल रस्तासब सैर हेतौ।
6तब सब लोकसब परमेस्वरके मुक्ती देख्तै।’”#यसैया ४०:३-५
7बहुत लोकसब बप्तिस्मा लैले युहन्ना लग एलै आ उ कहल्कै, “ए साँपके बच्चासब, परमेस्वरके आबैबला कोरोधसे भागैले तोरासबके के चेताइने छेलौ? 8ओइखातिर तुसब आपन पाप माइनके आ पस्चाताव कैरके असल बैनके देखा। ‘अपनासब अबराहमके खन्दानके सन्तान चियै’ तैखातिर दन्डसे भागबै कैहके नै सोच, कथिलेत परमेस्वर अबराहमके लेल यि पथलोसे सन्तान बनाइले सक्तौ। 9गाछमे कुरहाइर परे लागल छै, कथिलेत असल फल नै फरैबला सबगाछ काइटके आइगमे फेकल जेतै।” 10तब लोकसब युहन्नाके पुछल्कै, “तब हमरासबके कथी करेपरतै त?” 11युहन्ना ओकरासबके जबाफ देल्कै, “जकरसङे दुइटा जमा छौ, से कोइ नै भेल्हाके एकटा दयादेतै, जकरसङे खाइबला चिज छौ से कोइ नै भेल्हासङे बाइटके खेतै।” 12बटी कट्टासब सेहो बप्तिस्मा लैले एलै, तब ओकरा पुछल्कै, “गुरु जी हमसब कथी करु?” 13ओकरासबके युहन्ना कहल्कै, “सरकारके नियम अनुसार जतेक तोकलछै ओइसे बेसी नै उठाइ जो।” 14सिपाहीयोसब पुछल्कै, “हमरासबके कथी करेपरतै?” युहन्ना ओकरासबके कहल्कै, “तुसब ककरोसे जबरजस्ती कैरके आ झुठा आरोप लग्याके एको टका बेसी नै उठा। बरु आपने कमाइमे सन्तुस्ट रहैजाइजो।”
15जब लोकसब मुक्ती दैबला खिरिस्टके आसमे छेलै तब उसब मनेमन “युहन्ने मुक्तीदाता खिरिस्ट चियौ कि?” से बात गनथन करैछेलै। 16तब युहन्ना ओकरासबके जबाफ देल्कै, “हम त तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा दैचियौ, महज एकगोरा जे आइबरहलछौ उ हमरोसे बरका छै, जकर हम जुताके फितो तक खोलैके जोकरके नै चियौ। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ। 17फटकैबला सुपा ओकरे हाथमेछै, फटैक के गहुम आ भुसा अलग करतौ तब गहुमके बेखारीमे जम्मा करतौ, तब भुसाके कहियो नै बुताइबला आइगमे जराइतौ।”
18ऐहिनङ बहुत परकारके अरती उपदेस दैत सुसमाचार परचार करल्कै। 19महज सासक हेरोद आपन भाबो हेरोदियासके राखलाके खातिर युहन्ना ओकरा खिसयाइलै आ औरो कु-करम देखादेल्कै। 20तैल्याके हेरोद युहन्नाके जहलमे ढोइक देल्कै आ एकटा औरो कु-करम आपन कपारमे चरहालेल्कै।
येसुके बप्तिस्मा
(मती ३:१३-१७, मरकुस १:९-११)
21जब सब लोकसब बप्तिस्मा लैछेलै तखुन्ते येसु ओहो बप्तिस्मा लेल्कै। परथना करैबखत स्वरग उघरलै, 22आ पबितर आत्मा पौरकीके रुपमे उपरसे आइबके येसुके उपर बैठलै तब स्वरगसे एहेन एकटा अबाज एलै, “तु हमर दुलरुवा बेटा चिही, तोहरसे हम बहुत खुसी चियौ।”
येसुके बंसाबली
(मती १:१-१७)
23जब येसु तिस बरिसके रहै, तहै बखतसे परमेस्वरके बारेमे सिखाबे लाग्लै। लोकसब ओकरा योसेफके बेटा चियै से बुझैत रहै। योसेफ एलीके बेटा छेलै, 24एली मतातके बेटा, मतात लेबीके बेटा, लेबी मल्कीके बेटा, मल्की यान्नाके बेटा, यान्ना योसेफके बेटा, 25योसेफ मताथियासके बेटा, मताथियास आमोसके बेटा, आमोस नहुमके बेटा, नहुम इसलीके बेटा, इसली नग्गैके बेटा, 26नग्गै माथके बेटा, माथ मताथियासके बेटा, मताथियास सेमैनके बेटा, सेमैन योसेखके बेटा, योसेख योदाके बेटा, 27योदा योआननके बेटा, योआनन रेसाके बेटा, रेसा यरुबाबेलके बेटा, यरुबाबेल सालतिएलके बेटा, सालतिएल नेरीके बेटा, 28नेरी मल्कीके बेटा, मल्की अद्दीके बेटा, अद्दी कोसामके बेटा, कोसाम एलमादमके बेटा, एलमादम एरके बेटा, 29एर् यहोसुके बेटा, यहोसु एलीएजरके बेटा, एलीएजर योरीमके बेटा, योरीम मतातके बेटा, मतात लेबीके बेटा, 30लेबी सिमियोनके बेटा, सिमियोन यहुदाके बेटा, यहुदा योसेफके बेटा, योसेफ योनानके बेटा, योनान एल्याकिमके बेटा, 31एल्याकिम मलेआके बेटा, मलेआ मिन्नाके बेटा, मिन्ना मताथाके बेटा, मताथा नातानके बेटा, नातान दाउदके बेटा, 32दाउद यिसैके बेटा, यिसै ओबेदके बेटा, ओबेद बोअजके बेटा, बोअज सल्मोनके बेटा, सल्मोन नहसोनके बेटा, 33नहसोन अम्मीनादाबके बेटा, अम्मीनादाब आरामके बेटा, आराम हेसरोनके बेटा, हेसरोन फारेसके बेटा, फारेस यहुदाके बेटा, 34यहुदा याकुबके बेटा, याकुब इसहाकके बेटा, इसहाक अबराहमके बेटा, अबराहम तेरहके बेटा, तेरह नाहोरके बेटा, 35नाहोर सरुगके बेटा, सरुग रउके बेटा, रउ पेलेगके बेटा, पेलेग एबेरके बेटा, एबेर सेलहके बेटा, 36सेलह केनानके बेटा, केनान अरपदक्छके बेटा, अरपदक्छ सेमके बेटा, सेम नोआके बेटा, नोआ लेमेखके बेटा, 37लेमेख मतुसेलहके बेटा, मतुसेलह हनोकके बेटा, हनोक येरेदके बेटा, येरेद महलालेलके बेटा, महलालेल केनानके बेटा, 38केनान एनोसके बेटा, एनोस सेतके बेटा, सेत आदमके बेटा, आदम परमेस्वरके बेटा छेलै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
लुका 3: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.