लुका 23

23
पिलातस आ हेरोदके अगामे येसु
(मती २७:१-२, ११, मरकुस १५:१-५, युहन्‍ना १८:२८-३८)
1तकरबाद महासभाके सब सदससब उठलै आ येसुके रोमी बडा हाकिम पिलातसलग लगेलै। 2उसब येसुके दोस लगाइत कहल्‍कै, “यि लोक अपनासबके रास्‍टके लोकसबके बहक्‍या रहल हमरासबके भेटलै। यि रोमी सरकारके बटी नै दहै आ उ आपनके हम खिरिस्‍ट आ रजा कहैछै।”
3तब पिलातस ओकरा पुछल्‍कै, “कि तु यहुदीसबके रजा चिही?” येसु जबाफ देल्‍कै, “से बात त अहै कहैचियै।” 4पिलातस मुल पुजारीसबके आ भिर लागल लोकसबके कहल्‍कै, “हमरा यि लोकमे कोनो दोस नै भेटल।” 5महज उसब जोरसे हल्‍ला तोइरके कहल्‍कै, “यि लोक गालिलसे सुरु कैरके पुरे यहुदिया आ अतेतकके सब लोकसबके आपन सिक्‍छासे बहकाबैछै।” 6तब पिलातस यि बातसब सुइनके पुछल्‍कै, “यि लोक गालिलके चियै?”
7जब येसु हेरोदके इलाकाके लोक चियै से जानल्‍कै तब पिलातस ओकरा हेरोदलग पठादेल्‍कै। तै दिन हेरोद ओहो यरुसलेमेमे रहै। 8येसुके देखके हेरोद एकदम खुसी भेलै। कथिलेत उ बहुत दिन पैहनैयेसे येसुके बारेमे सुनैत रहै आ ओकर आस्‍चरजके काम देखैले आस करने छेलै। 9हेरोद येसुके बहुत सबाल करल्‍कै, महज येसु ओकरा कोनो सबालके जबाफ नै देल्‍कै। 10मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब ठार भ्‍याके येसुके बिरोधमे जोरसे दोस लगाबे लाग्‍लै। 11हेरोद आपन सेनासबसङे येसुके गिल्‍ला करैत ओकरा अपमान करल्‍कै। तकरबाद ओकरा रजासब जेहन बस्‍तर लगाइछै तैहनङे बस्‍तर पिन्‍हाके पिलातसलग घुम्‍याके पठादेल्‍कै। 12तहैदिनसे रजा हेरोद आ पिलातसके मेल-मिलाप भेलै। कथिलेत अइसे पहिने उसब दुनुगोरामे दुस्‍मनी छेलै।
येसुके मिरतुदन्‍ड
(मती २७:१५-२६, मरकुस १५:६-१५, युहन्‍ना १८:३९-१९:१६)
13तकरबाद पिलातस मुल पुजारीसब, सासकसब आ लोकसबके बोल्‍याके जम्‍मा करल्‍कै। 14तब पिलातस ओइसबके कहल्‍कै, “तुसब यि लोक जनतासबके भरकाइछै से कैहके अकरा हमर अगामे आनलिही। तोरेसबके सामनेमे अकरा केरकार करलियै महज तुसब अकर उपरमे लगेल्‍हा कोनो दोस नै देखलियै। 15हेरोदोके कोनो दोस नै भेटलै, तैल्‍याके हेरोद अकरा फेनो हमरलग घुम्‍याके पठादेल्‍कै। ले आब देख, यि लोक कोनो एहेन बरका गलत काम नै करनेछै जैसे अकरा मिरतुदन्‍डे दैलेपरतै। 16तैखातिर आब हम अकरा दन्‍ड द्‍याके छोइर दैचियै।” 17[तब ओतेका चलन अनुसार निस्‍तार पाबैनके अबसरमे तै दिन रोमी सासक एकटा कैदी छोइरदेबे परैछेलै।]#२३:१७ यि खन्‍ड बहुत पहिन्‍का बाइबलमे नै छै। 18महज सब लोकसब हल्‍ला कैरके कहल्‍कै, “अकरा मारैये परतै! बरु हमरासबके खातिर बारब्‍बाके छोइरदियौ!” 19(महज बारब्‍बा सहरमे बिदरोह आ हतियाके आरोपमे जेल परल छेलै।)
20पिलातस येसुके छोइरदैके इक्‍छा करैत फेनो ओइसबके समझेल्‍कै। 21महज सब लोकसब हल्‍ला करते रहलै, “अकरा कुरूसमे लटका, कुरूसमे लटका!” 22तब पिलातस तेसर बेर फेनो ओइसबके कहल्‍कै, “कथिले? यि लोक कोनो खराबी करनेछै से? अकरा त मिरतुदन्‍ड दैके हमरा कोनो कारन नै भेटल, तैखातिर अकरा हम सजाय द्‍याके छोइरदेबै।” 23महज तैयो उसब हल्‍ला कैरते रहलै अकरा कुरूसमे टाङैये परतै से बात कहते रहलै। तकरबाद ओइसबके माङके सुनबाइ भेलै। 24तब पिलातस ओइसबके माङ पुरा करैके निरनय सुनाइल्‍कै। 25जनङ लोकसब माङ करनेरहै, पिलातस बारब्‍बाके छोइरदेल्‍कै, जे कोइ बिदरोह आ हतियाके अभियोगमे जहलमे परल छेलै। महज येसुके ओहैसबके इक्‍छामे जिमा लग्‍या देल्‍कै।
येसुके कुरूसमे लटकेल्‍कै
(मती २७:३२-४४, मरकुस १५:२१-३२, युहन्‍ना १९:१७-२७)
26जब सिपाहीसब येसुके ओतेसे लजाइत खिना, उसब कुरेनीमे रहैबला सिमोन नामके लोकके पकरल्‍कै आ येसुके कुरूस बोक्‍याके ओकर पछा-पछा जाइले लगाइल्‍कै। 27लोकसबके बहुत बरका भिर येसुके पछा-पछा लागल छेलै। ओइ भिरमे जनिजाइतोसब छेलै, उ जनिजाइतसब येसुके खातिर कानैत-खिजैत आ सोक करैतरहै। 28तब येसु ओइसब दिसना घुइमके कहल्‍कै, “हे यरुसलेमके बेटिसब, हमर खातिर तुसब नै कान, महज तुसब आपन खातिर आ आपन धियापुताके खातिर कान। 29कथिलेत उ दिन आइबरहलछै, जब लोकसब कहतै, ‘धैन बाइझसब, देहभारी नै हैबला कोइखसब आ दुध नै पियाइबाली जनिजाइतसब।’ 30उसब परबतके कहतै ‘हमरासबके उपर खैस पर’ आ पहारके कहतै ‘हमरासबके तोइप दहै।’#होसे १०:८ 31कथिलेत जब उसब गाछ हरियर रहैत एहेन करैछौ त, सुइखगेलाके बाद कथी करतौ?”
32तब उसब दुइगोरे डाकुसबके ओकरेसङे मिरतुदन्‍ड दैले ल्‍याके एलै। 33जब उसब खप्‍परे#२३:३३ खप्‍परे- यि ठाउ खप्‍पर जैसन देखेलाके कारन अकर नाम राखल गेलै। कहैबला ठाउमे एलै, तब ओते उसब येसुके कुरूसमे लटकेल्‍कै, ओइ दुइटा डाकुवोसबके, एकटाके देहनाकता आ दोसरके बमा कता कुरूसमे लटकादेल्‍कै। 34तब येसु कहल्‍कै, “हे पिता, अकरासबके छमा कैरदियौ, कथिलेत यिसब कथी करैछै से नै जानैछै।” तब उसब येसुके बस्‍तर लैले चिठा लग्‍याके भाग लगाइल्‍कै। 35लोकसब ठार भ्‍याके देखैत रैहगेलै। तब यहुदी सासकसब येसुके ठट्‍टा करैत कहल्‍कै, “यि औरो लोकसबके त बचेल्‍कै, महज यि परमेस्‍वरके छानल खिरिस्‍ट चियै त आपनके बचाबे।”
36सिपाहीयोसब आइबके येसुके गिल्‍ला करल्‍कै। गन्‍हौवा अङगुरके मध पियैले देल्‍कै, 37आ कहल्‍कै “तु यहुदीसबके रजा चिही त अपने-आपके बचा।” 38“यि यहुदीसबके रजा चियै” से बात पाटिमे लिखल ओकर मुरीके उपरमे टाङल छेलै। 39ओकरसङे कुरूसमे टाङल डाकुमेसे एकटा डाँकु ओकर अपमान करैत कहल्‍कै, “कि तुही मुक्‍ती दैबला रजा खिरिस्‍ट चिही नै? आब तु आपनो आ हमरो बचा।” 40महज ओकरा खिस्‍याके दोसर डाँकु जबाफ देल्‍कै, “तुहु त ओकरे जखा सजाय काइटरहलचिही, तैयो तोरा परमेस्‍वरके डर नै हैछौ? 41हमरासबके सजाय त उचित छै, कथिलेत हमसब जैहनङ करम करनेचियै ओहिनङ फल भोइगरहलचियै, यि लोक त तेहन कोनो नै निक काम नै करनेछै।” 42तकरबाद उ येसुके कहल्‍कै, “हे येसु, अहाँ आपन राजमे जेबै त हमरा नै बिसरबै मनमे राखने रहबै।” 43तब येसु ओकरा जबाफ देल्‍कै, “साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइयेके तु हमरसङे स्‍वरगमे रहबिही।”
येसुके मिरतु
(मती २७:४५-५६, मरकुस १५:३३-४१, युहन्‍ना १९:२८-३०)
44तैबखत ठिक-ठिक्‍या दिन बार बजेके समय छेलै, महज तिन बजेतक देस भैरमे अन्‍हारे रहलै। 45सुरुजो इजोत दैले छोइरदेल्‍कै, मन्‍दिरमे लटकल परदा फाइटके दुइ चिरा भ्‍यागेलै। 46तब येसु जोर-जोरसे कहल्‍कै, “हे पिता, हम आपन आत्‍मा अहाँके हाथमे सोपै चियै!” अतेक कैहके ओकर परान छुइटगेलै।#भजनसङगरह ३१:५
47यि सब घटनासब देखके सैनिकसबके कप्‍तान एहेन कैहके परमेस्‍वरके महिमा करल्‍कै, “साँचोके यि लोक धरमी रहै।” 48तब ओइठाम यि घटना देखैले एल लोकसब सब चिज देखैत छाति पिट-पिटके कानैत घुइमके घर दिसन गेलै। 49महज ओकरा चिन्‍है जानैबलासब आ गालिली दिसनसे ओकर पछा-पछा आबैबाली जनिजाइतसब दुरेमे ठार भ्‍याके यि सब घटनासब देखरहल छेलै।
चिहानमे येसुके लहास
(मती २७:५७-६१, मरकुस १५:४२-४७, युहन्‍ना १९:३८-४२)
50योसेफ नामके एकगोरा महासभाके सदस छेलै, उ असल आ धरमी लोक रहै। 51उ ओइसबके सल्‍लाहमे आ काममे येसुके मारैमे सहमत नै रहै। उ यहुदिया इलाकाके अरिमाथिया सहरके लोक छेलै। उ परमेस्‍वरके राजके बाट ताकैतरहै। 52तब उ पिलातसलग ज्‍याके येसुके लहास माङल्‍कै। 53अनुमति पाबलाके बाद उ लहासके कुरूससे निचा उताइरके छनगर कफनसे लपेटल्‍कै आ चटानमे खाइध खुइनके बनाल चिहानमे राखल्‍कै। ओइ सरामे पहिने ककरो नै राखने छेलै। 54उ पबितर बिसरामके तयारिके दिन छेलै तब उ दिन सुरु हैले लागल छेलै। 55गालिलसे येसुसङे एल्‍हा जनिजाइतसब योसेफके पछा-पछा गेलै आ ओइ सरामे ओकर लहास कनङके राखल छै सोहो देखल्‍कै। 56तब उसब घुइमके घर एलै, लहासके लगाइले गमकौवा अतर आ तेल तयार करल्‍कै। तब नियम अनुसार पबितर बिसरामके दिनमे उसब आराम करल्‍कै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

लुका 23: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល