लुका 15
15
हरेल्हा भेंरा
(मती १८:१२-१४)
1एक दिन बटी उठाइबलासब आ पापीसब जम्मे येसुके बचन सुनैले ओकर नजदिक आबैछेलै। 2तब फरिसीसब आ धरमगुरुसब गुनगुनावे लाग्लै “यि लोक त पापी लोकसबके स्वागत करैछै आ ओइसबके सङे-सङे बैठके खान-पिन करैछै।” 3तब येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्कै, 4“मान कि तोरासबमेसे ककरो सय भेंरा छै, ओइमेसे एकटा हरेतै त निनानब्बेटाके बोनेमे छोइरके भेंरा नै भेटतै ताबेतक कि नै खोज्तै? 5हरेल्हा भेंरा भेटलाके बाद खुसिसे ओकरा आपन कन्हामे राखइके लेजाइछै, 6तब घरमे आइबके उ आपन सङिसब आ परोसियासबके बोलाइछै, तब ओइसबके कहैछै, ‘हमर हरेल्हा भेंरा भेटगेलै! सबकोइ आबैजो, हमरसङे खुसी मना।’ 7हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङ पस्चाताप नै करैबला निनानब्बे धरमात्मासबमेसे आपन पाप माइनके पस्चाताव करैबला एक गोरे पापीके लेल स्वरगमे बेसी खुसी हैछै।”
हरेल्हा टका
8 फेनो येसु ओइसबके एकटा खिसा सुनाइत कहल्कै, “कोन एहेन जनिसब हेतै जकर दस चानीके टकामेसे एकटा हराजेतै त इजोत बाइरके जाबेतक नै भेटतै ताबेतक बरहनीसे बरहाइरके निकसे नै ताक्तै? 9हरेल्हा टका भेटलाके बाद उ आपन सङिसबके आ परोसियासबके बोलाके कहैछै, ‘हमरसङे खुसी मना, कथिलेत हमर हरेल्हा टका भेटलै।’ 10हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङे पस्चाताप करैबला पापीके लेल स्वरगमे परमेस्वर स्वरगदुतसबके अगा खुसी मनाबैछै।”
हरेल्हा बेटा
11तब येसु फेनो एकटा खिसा कहल्कै, “कोनो लोकके दुइटा बेटा छेलै। 12एक दिन छोटका बेटा आपन बाबुके कहल्कै, ‘बाबुजी, हमर हिस्सामे परैबला धन-सम्पतीके अंस हमरा अखनिय दिय।’ तब ओकर बाबु आपन सम्पैत दुनु भैयारीमे बाइट देल्कै।
13 “कुछ दिनके बाद छोटका बेटा सब धन-सम्पैत जम्मा कैरके दोसर देस चैलगेलै आ ओते उ आपन मौज-मस्तीमे खा-पिके सब सम्पैत उराइल्कै। 14उ सब टका-पैसा खरच कैरलेने छेलै। तहै बखत ओइ देसमे बरका रौदी भेलै आ ओकरा सब चिजके दुख तकलिफ हेबे लाग्लै। 15तब उ ओइ देसके एकटा लोकसे काम माङल्कै। उ लोक ओकरा आपन खेतमे सुगर चराइले पठाइल्कै। 16उ सुगरके खाइबला आहारासे आपन पेट भरैले ताकैछेलै, महज ओकरा कोइ नै कुछो दैछेलै।
17 “जब ओकर मन फिरलै, तब उ मनेमन अपने-आपके कहल्कै, ‘हमर बाबुके घरमे त बहौतरा नोकर-चाकरसब भैर पेट ख्याके उबारबो करैछै, महज हम अते भुखसे मरैचियै। 18आब हम बाबुलग जेबै आ कहबै, बाबु हम स्वरगके बिरुधमे आ अहाँके बिरुधमे पाप करनेचियौ। 19आब त हम अहाँके बेटा कहाइके योग्यके नै चियै। हमरा दया कैरके एकटा नोकरे सरह अहाँके घरमे राखु।’ 20तब उठके उ आपन बाबुलग घुइमके एलै।
“महज बहुत दुरेसे ओकर बाबु आबैत देख लेल्कै, ओकर मन दयासे भरलै आ दौरले ज्याके ओकरा पजियाके गालमे चुम्मा लेल्कै। 21बेटा बाबुके कहल्कै, ‘बाबु, हम स्वरगके परमेस्वरके बिरुधमे आ अहाँके बिरुधमे पाप करनेचियै। हम फेनो अहाँके बेटा कहाइके योग्यके नै चियै।’ 22महज बाबु आपन नोकरसबके बोल्याके कहल्कै, ‘झटदबर सबसे असल बस्तर आइनके अकरा पिन्हादहै। ओकर हाथमे औंठी आ टाङमे जुता लगादहै, 23आ सबसे बरका मोटगर खसी काट, अपनासब भोज खेबै आ खुसी मनाइबै। 24कथिलेत यि हमर बेटा मरल छेलै, फेनो जियल छै, हराएल छेलै आ भेटलै।’ तब सबकोइ भोजमे खुसी मनाइले लाग्लै।
25 “तैबखत ओकर जेठका बेटा खेतमे छेलै, जब उ घुइमके घर नजदिक एलै तब आपन घरमे बजा-गजा बाजैत आ नाच-गान हैत सुनल्कै। 26उ एकटा नोकरके आपनलग बोल्याके पुछल्कै, ‘यि कथी भ्यारहलछै?’ 27नोकर ओकरा कहल्कै, ‘अहाँके भाइ आइबगेलै आ अहाँके बाबुजी बरका मोटगर खसी काटलक। कथिलेत मालिक ओकरा निके कुसले घुइमके एल भेटलै।’ 28महज उ खिसयाइलै आ अङना भितर जाइयोले नै मानल्कै, तब ओकर बाबु बाहर ज्याके ओकरा फुस्याइले लाग्लै। 29महज उ बाबुके कहल्कै, ‘देखु, अतहेक बरिससे हम अहाँके नोकर जखा सेबा कैररहल चियै, अहाँके बात कहियो नै काटने चियै, तैयो हमरा आपन सङि-साथीसब सङे भोज खाइले अहाँ कहियो नै हमरा एकटा पठरुवो तक देलियै। 30महज अहाँके सम्पती बेस्यासबसङे उराइबला बेटा एल त बरका मोटगरहा खसी काइटके भोज करलियै।’ 31तब बाबुजी कहल्कै, ‘बेटा तु त हमरसङे सबदिन चिहीके, हमर सब सम्पैत तोरे त चियौ। 32महज अपनासबके खुसी हेबैये परतै, कथिलेत तोहर यि भाइ मरल जखा छेलौ, जियल छौ, हर्याल छेलौ, भेटलौ।’”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
लुका 15: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.