लुका 11
11
परथना करैले येसुके सिक्छा
(मती ६:९-१३, ७:७-११)
1एक दिन कोनो एक ठाममे येसु परथना करैतरहै। परथना कैरलेलाके बाद ओकर चेलामेसे एकटा चेला कहल्कै, “परभु जी, युहन्ना जैहनङ आपन चेलासबके परथना करैले सिखेल्कै तैहनङे हमरोसबके सिखाबु।” 2येसु ओकरासबके कहल्कै, “तुसब परथना करैतखिना अनङ कह,
‘हे हमरासबके परमेस्वर पिता,
अहाँके पबितर नामके आदर हेबे,
अहाँके राज आबे,
3 हमरासबके दिनदिनके खाना सबदिन दिय,
4 हमरासबके पापसब छमा कैरदिय,
कथिलेत हम्हु हमर बिरुध पाप करैबलाके छमा करैचियै।
हमरासबके परिक्छामे परैले नै दिय।’”
5तब येसु ओकरासबके फेनसे कहल्कै, “मान कि, तोरासबमेसे ककरो कोइ साथी छौ। उ अधा रातके साथीके घरमे ज्याके कहतै, ‘साथी, हमरा तिनटा रोटी पैंचा दिय।’ 6कथिलेत हमर घरमे एकटा साथी बहुत दुरसे चैलके एलछै, ओकरा ख्या दैले कुछो नै छै। 7उ भितरसे जबाफदैत कहल्कै, ‘हमरा परेसान नै करु। केबार बन कैरलेने चियै आ हम धियापुतासङे सुतलचियै। हम उठके अहाँके कुछो नै दैले सकब।’” 8तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “साथीके नतासे ओकरा उठके कुछो नै देतै तैयो उ लगातार माइङरहलाके कारन ओकरा आवस्यकता भेल जतहेक माङतै ततहेक रोटी देतै।”
9 तहै खातिर हम तोरासबके कहैचियौ, माङ, त तोरासबके देतौ। खोज, त तोरासबके भेटतौ। ढकढका, त तोरासबके खातिर केबार खुलतौ। 10कथिलेत जे माङैछै, उ पाबैछै, जे खोजैछै ओकरा भेटैछै आ जे ढकढकाबैछै ओकर खातिर खुलैछै। 11“तोरासबमेसे ककर एहेन बाप हेतै, जकर बेटा रोटी माङतै त पथल देतै#११:११ रोटी माङतै त पथल देतै- यि खन्ड मुख सोरोतमे नै छै। माछ माङतै त साँप देतै? 12आ त डिम्मा माङतै त ओकरा बिछी देतै? 13तुसब खराब हैतोपरभी आपन धियापुतासबके असल चिजसब दैले जानैचिही त, स्वरगमे रहैबला तोरासबके पितासे माङैबलाके औरो कतहेक बेसिसे पबितर आत्मा देतै!”
येसु उपर सङका
(मती १२:२२-२९,४३-४५, मरकुस ३:२०-२७)
14येसु एकटा लोकसे भुत निकाइल रहल छेलै, जे बौक छेलै। ओकर देहसे भुत निकललाके बाद उ बौक लोक बोले लाग्लै, यि देखके लोकसब छक परलै। 15महज ओइसबमेसे कतहेक लोक कहल्कै, “यि त भुतसबके रजा बालजिबुलके सक्तिसे भुतसब निकालैछै।” 16औरो लोकसब येसुके जाँचैके लेल, यि काम परमेस्वरके सक्तिसे करल चियै से हमरोसबके स्वरगसे एकटा आस्चरजके चेन्हा देखाबु। 17महज ओकरासबके बिचार बुइझके येसु कहल्कै, “जै राजमे भितरसे फुट हैछै, उ उजार भ्याजाइछै आ जै घरमे फुट हैछै, उ घर नास भ्याजाइछै। 18यदि सैतानोसबके आपनेमे मतभेद हेतै त, ओकर राज कनङके टिक्तै? यि बात अइलेल पुछलियौ कथिलेत तुसब कहैचिही, कि हम बालजिबुलके सक्तिसे भुतसब भगाइचियै से तुसब बुझैचिही। 19यदि हम बालजिबुलके सक्तिसे भुतसब भगाइचियै त, तोहर चेलासब ककर सक्तिसे भगाइछौ? ओहेसब तोरासबके नियाय करतौ। 20महज हम परमेस्वरके सक्तिसे भुतसब निकालैचियै त, परमेस्वरके राज तोरासबमे आइबगेलछौ। 21सेना जखा हथियार लके एकटा बौकार लोक आपन घरके सुरक्छा करतै त, ओकर सरसमानसब सुरक्छित रहतै। 22महज ओकरसे सक्तिसाली लोक आइबके हमला कैरके जितलेतै त, ओकरमे भर परलहा सब हथियारसब छिनके ल्याजेतै आ ओकर लुटल सरसमानसब आपनमे बाँटतै। 23जे लोक हमर पक्छमे नै छै, उ हमर बिरोधमे छै। जे हमरसङे नै बिछैछै, उ लोक छिरियाइछै।
24 “जब भुत आत्मा लागल लोकसे निकैलके जाइछै तब उ उजार जगह दिसन सुस्थाइले ताकैछै आ कतौ कोनो जगह नै भेटलाके बाद तब उ कहैछै, ‘हम पहिने रहैबला घरमे घुइमके जेबै।’ 25जब उ घुइमके आबैछै, तब उ घर साफ सुधरा करल आ मिलल देखैछै। 26तब उ फेनो ज्याके आपनोसे खराब सातटा भुत आत्मासबके सङे लाबैछै, उसब भितरमे बास करे लागैछै। तब ओइ लोकके दसा पहिन्कोसे खराब हैछै।”
27येसु यि बात बोलैछेलै तखुन्ते लोकसबके भिरसे एकटा जनी हल्ला करैत कहल्कै, “धैन जे तोरा जलम देल्कौ आ आपन दुध पियाइल्कौ।” 28महज येसु कहल्कै, “उसब धैनके चियै, जेसब परमेस्वरके बचन सुनैछै आ मानैछै।”
योनाके चेन्हा
(मती १२:३८-४२)
29लोकसबके भिर बरहैत गेलै। तहै बखत येसु कहल्कै, “यि पुस्ता दुस्ट पुस्ता चियै। अखुन्का पुस्तामे चेन्हा देखैले चाहैछै, महज परमेस्वर योनाके जिबनमे देख्याल चेन्हा बाहेक अकरा औरो कोनो चेन्हा देखैले नै देतै। 30कथिलेत जै रितिसे योना निनवेके लोकसबके लेल चेन्हा भेल छेलै, तहै रितिसे मानबके बेटा अइ पुस्ताके लेल चेन्हा हेतै।” 31नियायके दिनमे दछिनसे सेबा देसके रानी ठार होके अइ पुस्ताके लोकसबके दोस लगाइतै कथिलेत उ सोलोमन रजाके ग्यानके बातसब सुनैले बहुत दुरसे एलछेलै। महज देख, अते एकगोरा छै, उ सोलोमन रजासे बरका चियै। 32नियायके दिनमे निनवेके लोकसब यि पुस्ताके लोकसबसङे ठार होके अकरा दोस लगाइतै, कथिलेत योना परमेस्वरके सिक्छा परचार करैबखत ओतेके लोकसब पस्चाताप करने छेलै। देख, अते एकगोरा छै, उ योनासे बरका छै।
देहके इजोत
(मती ६:२२-२३)
33 “कोइ इजोत बाइरके ढकियासे नै झापैछै नै त घोसाइरके राखैछै, बरु भितर आबैबलासब इजोत देख्तै कैहके डैठमे राखैछै। 34तोहर आँख देहके लेल इजोत चियौ। तोहर आँख असल छौ त तोहर पुरे देह इजोत हेतौ, महज उ खराब छै त तोहर देहो अन्हार हेतौ 35अइ खातिर होसियार रह, तोहरसङे भेल्हा इजोत अन्हार नै हेबे। 36अगर तोरासबके सौसे देह इजोतसे भरल छौ त आ कोनो भाग अन्हार नै छौ त, उ सब चमकतौ, जनङ डिबिया तोरासबके इजोत दैछौ।”
येसु फरिसीसबके धिक्कारल्कै
(मती २३:१-३६, मरकुस १२:३८-४०)
37येसु बोइललेलाके बाद एक गोरे फरिसी खाना खाइले नौता देल्कै। ओहैसे उ घर भितर ज्याके खाना खाइले बैठलै। 38महज खाइसे पहिने हाथ नै धुवाइत देखके उ फरिसी छक परलै। 39महज येसु ओकरा कहल्कै, “तु फरिसीसब थारी आ बाटी बाहरसे त माजैचिही, महज तोरासबके भितर लोभ आ नै निक बातसे भरल रहैछौ। 40हे मुरुख लोक, जे बाहरके भाग बनाइनेछै, उहे भितरोके बनाइने नै छै त? 41महज भितरोमे राखल चिजसब गरिबसबके दान दहै, तब तोरासबके खातिर सब चिज सुध हेतौ।
42 “महज तु फरिसीसबके धिक्कार! कथिलेत तुसब पुदिना, मसला आ हरेक जरिबुटीके दसांस चरहाइचिही, महज औरो कामके बास्ता रखैत नियाय आ परमेस्वरके परेमके ओहौसे बेसी ध्यान दैके चाही।
43 “तु फरिसीसबके धिक्कार! कथिलेत तुसब यहुदी सभाघरसबमे आदरके ठाउ आ बजारके रस्ता चलैत खिना लोकसबसे गोरलगी चाहैचिही। 44धिक्कार तोरासबके! कथिलेत तुसब ओइ चिहान नहाइत चिही जकर कोनो पहिचान नै हैछै।” तब थाह नै पाइबके ओकर उपर चलैफिरै छै।
45धरमगुरुसबमेसे एकगोरा येसुके कहल्कै, “गुरु जी, एहेन बात कैरके त अहाँ हमरासबके बेजत करैचियै।” 46येसु जबाफ देल्कै, “तु धरमगुरुवोसबके धिक्कार! कथिलेत बोकैयोसे बेसी भारी लोकसबके उपर तुसब लाधैचिही, महज तुसब आपन एकटा औङरीयोके दुख नै दैले चाहैचिही।
47 “तोरासबके धिक्कार! कथिलेत तोरासबके पुरखासब मारने रहै तै अगमबक्तासबके लेल चिहान बनाइचिही। 48तैखातिर तुसब आपन पितापुरखाके साक्छी भ्याके सहमत हैचिही, कथिलेत उसब अगमबक्तासबके मारल्कै आ तुसब ओकरासबके लेल चिहान बनाइबिही। 49अहै खातिर सबकुछ जानैबला परमेस्वर कहल्कै, ‘हम तोरासबके लगमे अगमबक्ता आ परेरितसबके पठाइबौ। महज ओइमेसे ककरो मारबिही त ककरो सताइबिही।’ 50सनसारमे सुरुसे जतेक अगमबक्तासबके खुन बहल छै ओकर लेखा अहै पुस्तासे लेतै। 51हँ, हम तोरासबके कहैचियौ, हाबिलके खुनसे ल्याके बली बेदी आ परमेस्वरके मन्दिरके पबितर जगहके बिच मारल जकरिया तकके खुनके लेखा अहै पुस्ताके लोकसबसे ल्याल जेतै।
52 “तोहे धरमगुरुसबके धिक्कार! कथिलेत तुसब ग्यान-बुइधके केबार खोलैले कुजी त लेल्ही, महज अपना नै भितर ढुकलिही नै दोसर ककरो ढुकैले देल्ही।”
53जब येसु ओइठामसे चैलगेलै, तब धरमगुरुसब आ फरिसीसब बिरोध करेलाग्लै आ बहुत बातसब पुछे लाग्लै। 54आ ओकर मुहसे गलत बात निक्ले कैहके उसब पकरैके बहाना खोजे लाग्लै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
लुका 11: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.