युहन्ना 9
9
जलमेसे आन्हर भेल लोक निक भेलै
1एक दिन येसु जाइतखिना एकटा लोकके देखल्कै जे जलमेसे आन्हर छेलै। 2चेलासब येसुके पुछल्कै, “गुरु जी, यि लोक ककर पापके कारन जलमेसे आन्हर भेल छै? आपने पापके कारनसे कि ओकर बाप-महताइरके पापके कारनसे?” 3येसु जबाफ देल्कै, “नै त ओकर आपने पापके कारनसे नै त ओकर बाप-महताइरके पापके कारनसे। महज परमेस्वरके काम ओकरमे परगट हेबे कैहके ऐहेन भेल छै। 4हमरा पठाइबलाके कामसब अपनासबके दिन रहिते करेपरतौ, कथिलेत रातके अन्हारमे कोइ नै काम करे सकैछै। 5जाबेतक हम सनसारमे चियौ, ताबेतक हम सनसारके इजोत चियौ।”#मती ५:१४, युहन्ना ८:१२
6अतहेक बात कैहके येसु भुइयामे थुकल्कै आ माटी साइनके ओइ लोकके आँखमे लगादेल्कै आ कहल्कै, 7“जो, सिलोआमके पोखैरमे ज्याके मुह धुवाँ।” (सिलोआमके अरथ “पठेल्कै” हैछै।) उ लोक पोखैरमे ज्याके मुह धुवाइल्कै तब उ देखैबला भ्याके घुइमके एलै।
8ओकर परोसियासब आ जे ओकरा पहिने बैठके भिख माङैत देख्ने रहै सेसब कहल्कै, “कि यि एह्या लोक नै चियै, जे बैठके भिख माङैत रहै?” 9कतहेक लोक कहल्कै, “हँ, यि एह्या लोक चियै।” औरो गोरा कहल्कै, “नै! ओनङ त ओह्या अन्हरा जखा लागैछै, महज उ नै चियै।” महज उ आपनेसे कहल्कै, “हँ, हम ओह्या लोक चियै।” 10तब उसब फेनो ओकरा पुछल्कै, “तब कह त कनङके तोरा सुझे लाग्लौ?” 11उ कहल्कै, “येसु नामके लोक माटी साइनके हमर आँखमे लगादेल्कै आ कहल्कै सिलोआमके पोखैरमे ज्याके आँख धुवाँ। ओते ज्याके धोते मातर हम देखे लागलियै।” 12उसब ओकरा पुछल्कै, “येसु नामके लोक कते छौ?” उ जबाफ देल्कै, “से बात त हम नै जानैचियै।”
13तकरबाद उसब पहिनेसे आन्हर भेल लोकके फरिसीसब लग आनल्कै। 14जै दिन येसु माटी साइनके ओकर आँखमे लग्याके देखे सकैबला बनाइने छेलै, से दिन पबितर बिसरामके दिन छेलै। 15फरिसीसब सेहो ओकरा पुछैले लाग्लै, “तु कनङके देखे लागलिही?” उ ओइसबके जबाफ देल्कै, “उ हमर आँखमे माटी साइनके लग्या देल्कै, तब हम धोलियै त देखे लागलियै।” 16कोनो-कोनो फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक परमेस्वर दिसनसे नै एलछै, कथिलेत उ पबितर बिसराम दिनके पालन नै करैछै।” महज दोसर लोकसब कहेलाग्लै, “जे पापी हेतै, उ एहेन अचमके चेन्हासब कनङके देखाइले सक्तै?” अहै बातमे ओइसबके आपनमे मतभेद भ्यागेलै।
17तब फरिसीसब ओइ आन्हर लोकके एकबेर फेनो पुछल्कै, “जे लोक तोहर आँख खोइलदेल्कौ, तु ओकर बारेमे कथी कहैचिही?” उ जबाफ देल्कै, “उ त अगमबक्ता चियै।”
18यि बात सुनियोके यहुदीसब नै पतिएलै जे उ पहिने आन्हर छेलै आ आब देखे लागल छै। तैखातिर उसब ओकर बाप-महताइरके बोल्याके पुछल्कै, 19“कि यि तोरेसबके बेटा चियौ? कि यि जलमेसे आन्हर छेलौ? तब अखुन यि कनङके देखरहल छौ।” 20ओकर बाप-महताइर जबाफ देल्कै, “हँ, यि हमरे बेटा चियै आ यि अन्हरे जलमल छेलै।” 21महज यि कनङके देखेलाग्लै आ के अकर आँख खोइलदेल्कै सेहो हमसब नै जानैचियै। तुसब ओकरे पुछ। उ आब बच्चा नै छै, आपनेसे कहतौ। 22यहुदीसबके डरसे ओकर बाप-महताइर एहेन जबाफ देल्कै कथिलेत येसुके मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट जेसब कहतै, तैसबके सभाघरसे निकाले परतै तै बातमे यहुदीसब पहिने सहमत भेलरहै। 23तहै खातिर ओकर बाप-महताइर कहल्कै, “आब उ बच्चा नै छै, ओकरे पुछ।”
24तब यहुदीसब ओइ आन्हर लोकके फेनो दोसर बेर बोल्याके कहल्कै, “परमेस्वरके अगा सत-सत बाज, हमसब जानैचियै कि, यि लोक पापी चियै।”
25उ जबाफदैत कहल्कै, “उ पापी छै कि नै छै, से हम नै जानैचियै! महज एकटा बात हम जानैचियै, हम आन्हर रहियै, महज अखुन देखैबला भेलचियै।”
26उसब ओकरा फेनो पुछल्कै, “उ तोरा कथी करल्कौ? कनङके उ तोहर आँख खोइलदेल्कौ?”
27उ जबाफ देल्कै, “हम अहाँसबके पहिने कैहदेने चियै, महज अहाँसब नै सुनलियै। फेनो कथिले ओह्या बात पुछैचियै? कि अहाँसब सेहो ओकर चेला बनैले चाहैचियै?”
28यि बात सुइनके उसब ओकरा गाइर परहैत कहल्कै, “तुही ओकर चेला चिही, हमसब त मोसाके चेला चियै। 29हमसब जानैचियै मोसासङे परमेस्वर बाजल छेलै। महज उ लोक कतेके चियै, से बात हमसब नै जानैचियै।”
30तब उ लोक कहल्कै, “यि केहन अचमके बात! उ कतेसे एलछै से बात अहाँसब नै जानैचिही, महज उ हमर आँख खोइलदेल्कै। 31हमसब जानैचियै कि परमेस्वर पापीसबके बात नै सुनैछै, महज ओकर आराधना करैबला आ ओकर इक्छा अनुसार काम करैबलाके बात परमेस्वर सुनैछै। 32जहियासे सनसार सुरु भेल छै, तहियासे आइतक जलमेसे आन्हर लोकके आँख खोइलदेल्कै से बात कहियो नै सुन्ने चियै। 33यदि उ लोक परमेस्वरके पठ्याल नै रहतियै त उ कथियो नै करे सकतियै।”
34उसब ओकरा जबाफदैत कहल्कै, “तु त एकदमसे आपन पापेमे जलमल चिही आ तु हमरासबके सिखाबैचिही?” तब उसब ओकरा सभाघरसे बाहर निकाइलदेल्कै।
आत्मिक आन्हर
35यहुदीसब ओकरा सभाघरसे निकाइलदेल्कै से बात येसु सुनल्कै तब ओकरा भेटके कहल्कै, “कि तु मानब-बेटामे बिस्बास करैचिही?”
36उ जबाफ देल्कै, “परभु, उ के चियै? हमरा कहु आ हम ओकरमे बिस्बास करबै?”
37येसु ओकरा कहल्कै, “तु ओकरा देख्नेचिही आ उ ओह्या चियौ, जे अखुन तोहरसे बात कैररहलछौ।”
38यि बात सुइनके उ लोक कहल्कै, “परभु, हम बिस्बास करैची!” तब ओकर टाङमे गोरलागल्कै।
39तब येसु कहल्कै, “नै देखैबलासब देखे आ देखैबलासब आन्हर हेबे कैहके हम सनसारमे नियाय करैले एलचियै।”
40यि बात सुइनके ओते ठार भेल्हा फरिसीसब कहल्कै, “कि हम्हुसब आन्हर चियै त?”
41येसु ओइसबके कहल्कै, “यदि तुसब आन्हर रहतिही त पापके दोसी नै हेत्ही, तुसब त ‘हमसब देखैचियै’ कहैचिही, अहैसे तुसब दोसी रहलिही।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
युहन्ना 9: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.