युहन्‍ना 3

3
लबका जलमके बारेमे सिक्‍छा
1निकोदेमस नामके एकटा फरिसी लोक यहुदी महासभाके सदस रहै। 2राइतमे उ येसुलग आइबके कहल्‍कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्‍वरके पठाल गुरु चियै से हमसब जानैचियै, कथिलेत अहाँके करल अजगुतके कामसब जखा कोनो लोक परमेस्‍वरके सहायता बेगर करैले नै सक्‍तै।”
3येसु निकोदेमसके कहल्‍कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक फेनोसे लोक लया कैरके जलम नै लेतै ताबेतक उ परमेस्‍वरके राज देखे नै सक्‍तै।”
4निकोदेमस ओकरा पुछल्‍कै, “बुढ भ्‍यागेल लोक फेनो कनङके जलमतै? उ फेनो आपन माँके कोइखमे ढुइकके कनङके जलम ल्‍यासकैछै?”
5तब येसु ओकरा जबाफ देल्‍कै, “हम तोरा साँचोके कहैचियौ, जाबेतक कोइ पानी आ आत्‍मासे जलम नै लेतै ताबेतक परमेस्‍वरके राजमे परबेस करैले नै सक्‍तै। 6लोक त खालि देहमे जलम दैछै महज पबितर आत्‍मा आत्‍मिक जलम दैछै। 7हम तोरासबके कहैचियौ लया कैरके जल्‍मे परतौ से बात सुइनके अजगुत नै मान। 8हबाके जने बहैले मन लागैछै तने बहैछै। हबाके अबाज त तुसब सुनैचिही, महज कतेसे आबैछै आ कते जाइछै से नै जानैचिही। ओहिनङ लोकसब आत्‍मासे कनङ जलम लैछै से बात तु नै जानैचिही।”
9तब निकोदेमस ओकरा कहल्‍कै, “यि सब कनङ भ्‍यासकैछै?”
10तब येसु जबाफ देल्‍कै, “तु त इजराएलके गुरु चिही, तैयो यि बात नै बुझैचिही? 11साँचोके हम तोरा कहैचियौ, जे बात हमसब जानैचियै, ओह्‍या बात हमसब कहैचियै आ जे बात देख्‍ने चियै ओहैके गबाही दैचियै, महज तैयो तुसब हमरासबके गबाहीके सुइकार नै करैचिही। 12हम अहै सनसारके बात कहैचियौ त तुसब बिस्‍बासे नै करैचिही, यदि हम स्‍वरगके बात कहबौ त तुसब औरो कनङके बिस्‍बास करे सकबिही? 13स्‍वरगसे उतैरके एल हम मानबके बेटा बाहेक कोइ नै स्‍वरगमे चरहल छै। 14उजार जगहमे जहिनङ मोसा पितैरके साँपके उठेल्‍कै तहिनङे मानब बेटा उठाल जेतै।#गन्‍ती २१:९ 15अहिनङ जेसब ओकरमे बिस्‍बास करतै, से सब अनन्‍त जिबन पाबतै।” 16कथिलेकी परमेस्‍वर सनसारके लोकसबके एहेन परेम करल्‍कै कि उ आपन एकलौता बेटाके देल्‍कै। ओकर उपर बिस्‍बास करैबला नास नै हेतै, महज उ अनन्‍त जिबन पाबतै। 17परमेस्‍वर त आपन बेटाके सनसारके दोसी ठहराबैके लेल नै महज ओकरसे सनसारके लोकसब बचे कैहके पठेल्‍कै। 18ओकर उपर बिस्‍बास करैबला कोइने दोसी ठहरतै, महज ओकर उपर बिस्‍बास नै करैबलासब पहिने दोसी ठहैरगेलछै। कथिलेत उसब परमेस्‍वरके एकलौता बेटाके बिस्‍बास नै करनेछै। 19इजोत सनसारमे एलछै आ लोकसब इजोतके बदला अन्‍हारके परेम करल्‍कै। कथिलेत ओइसबके काम दुस्‍ट छेलै। अहैकारन उसब दोसी ठहरतै। 20दुस्‍ट काम करैबलासब इजोतके घिरना करैछै आ ओइसबके करल दुस्‍ट कामसब देखलेतै कैहके इजोतमे नै आबैछै। 21महज सत काम करैबला लोकसब इजोतमे आबैछै आ अहिनङे ओकर करल कामसब परमेस्‍वरके इक्‍छा अनुसार चियै से निकसे देखैछै।
बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍नाके गबाही
22तकरबाद येसु आ ओकर चेलासब यहुदिया परदेसके गाम दिसन गेलै आ उसब कुछ दिनतक ओतै रैहके लोकसबके बप्‍तिस्‍मा देल्‍कै। 23युहन्‍ना सेहो सालीमके कात एनोनमे बप्‍तिस्‍मा दैतरहै कथिलेकी ओते बहौत पानी छेलै। लोकसब ओते आबैछेलै आ बप्‍तिस्‍मा लैछेलै। 24(तैबखत तक युहन्‍ना जहलमे नै परल रहै।)#मती १४:३, मरकुस ६:१७, लुका ३:१९,२०
25ओहै बखत युहन्‍नाके चेलासब एकटा यहुदी सङे सुध हैके बारेमे बताबती करेलाग्‍लै। 26उसब युहन्‍ना लग आइबके कहल्‍कै, “गुरु जी, यरदन लदीके ओइपार जे अहाँसङे रहै, जकर बारेमे अहाँ गबाही देने रहियै, से बप्‍तिस्‍मा द्‍यारहलछै आ सबगोरा ओकरे लग जाइछै।” 27युहन्‍ना जबाफ देल्‍कै, “जाबेतक परमेस्‍वरसे नै देतै ताबेतक लोकके कुछो नै मिल्‍तै। 28‘हम खिरिस्‍ट नै चियै, महज हम ओकरसे पहिने पठाल लोक चियै’ जे हम कहलियौ से बातके तुसब आपनेसे सुन्‍ने चिही।#युहन्‍ना १:२० 29जकरसङे कनिया छै वह्‍या बर चियै। बरसङे ठार हैबला बरेके अबाज सुइनके बहौत खुसी हैछै। अहैलेल हमर यि खुसी आब पुरा भेलछै। 30उ बढते जाइत रहे, महज हम घटते जाइत रही।”
स्‍वरगसे एल्‍हा बेटा
31जे उपरसे एलछै उ सबसे महान छै। सनसारमे जलमल लोक सनसारके हैछै आ सनसारेके बात करैछै। महज जे स्‍वरगसे आबैछै उ सबसे महान छै।
32उ जे बात देखनेछै आ सुन्‍नेछै, उ तहै बातके गबाही दैछै, महज ओकर गबाही कोइ नै सुइकार करैछै। 33महज जे ओकर गबाही सुइकार करनेछै, उ लोक परमेस्‍वर सत छै कैहके गबाही दैछै। 34परमेस्‍वरसे पठाएल लोक परमेस्‍वरेके बात बाजैछै कथिलेत परमेस्‍वर ओकरा आपन आत्‍मा भरपुर कैरके दैछै। 35परमेस्‍वर आपन बेटाके परेम करैछै आ सब चिज ओकरे हाथमे राइखदेनेछै।#मती ११:२७, लुका १०:२२ 36जे कोइ परमेस्‍वरके बेटामे बिस्‍बास करैछै, ओकरसङे अनन्‍त जिबन छै। जे कोइ परमेस्‍वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्‍त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्‍वरके करोध परतै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

युहन्‍ना 3: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល