युहन्‍ना 16

16
1 “तोरासबके बिस्‍बास नै घटे कैहके हम यि सब बात तोरासबके कहनेचियौ। 2उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्‍वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्‍तै। 3उसब पिताके आ हमरा नै चिन्‍हैछै, तै कारन उसब एहेन काम करतौ। 4महज यि सब बातसब हम तोरासबके कैहदेने चियौ, ‘जब उ समय एतौ, तोरासबके कथी कहने रहौ से बात थाह हेतौ। पहिने हम यि बात तोरासबके नै कहलियौ, कथिलेत हम तोरेसबसङे रहियौ।’
पबितर आत्‍माके काम
5 “आब हम हमरा पठाइबला लग जाइचियै, महज ‘अहाँ कते ज्‍यारहल चियै?’ कैहके तुसब कोइ नै हमरा पुछैचिही। 6हमर एह्‍या बात बतेलाके कारनसे तोरासबके मन दुखसे भरल छौ। 7महज साँचोके हम तोरेसबके कहैचियौ, हम अतेसे जेबौ तब मातरे तोरासबके असल हेतौ। कथिलेत यदि हम नै जेबौ त तोरासबके सल्‍लाह दैबला पबितर आत्‍मा तोरासबके लग नै एतौ। महज जब हम जेबौ, तब हम ओकरा तोरासबके लग पठाइबौ। 8जब उ एतौ त सनसारके लोकसबके पाप, धारमिक्‍ता आ परमेस्‍वरके नियायके बिसयमे कैरते आइबरहल भुलसब देखाइतौ, 9कथिलेत उसब हमरमे बिस्‍बास नै करैछै। 10उ परमेस्‍वरके अगामे धारमिकताके बारेमे कथी असल चियै, ओह्‍या देखादेतौ कथिलेत हम पितालग जाइचियौ। आबसे फेनो तुसब हमरा नै देखबिही। 11उ तोरासबके परमेस्‍वरके नियाय कथी चियौ से देखादेतौ। कथिलेत यि सनसारके रजा पहिने दोसी ठहैरगेलछै।”
12 “हमरा तोरासबके कहैबला बातसब त बहौत छै, महज अखुन तुसब नै सहे सकबिही। 13महज सतके आत्‍मा जब एतौ तब उ तोरासबके सब बातसब बुझाइतौ। उ आपने दिसनसे बात नै करतौ महज उ जे सुन्‍तौ, ओह्‍या तोरासबके कहतौ तब पाछे हैबला बातसब सोहो कहतौ। 14उ हमर महिमा करतौ, कथिलेत जे हमर चियै, से हमरसे ल्‍याके तोरासबके कैहदेतौ। 15जे कुछ पिताके चियै, से सब हमर चियै। अहै खातिर हम कहैचियौ, जे हमर चियै से हमरसे ल्‍याके सतके आत्‍मा तोरासबके कैहदेतौ।”
चेलासबके दुख आ सुख
16 “आब तुसब कन्‍हिक देरके बाद हमरा नै देखबिही, तब कन्‍हिके देरमे तुसब फेनो हमरा देखबिही।” 17‘कन्‍हिके देरके बाद तुसब हमरा नै देखबिही, तकरबाद फेनो कन्‍हिक देरमे हमरा देखबिही’ ‘कथिलेत हम पितालग ज्‍यारहल चियै’, यि बातके अरथ कथी चियै?” से कैहके ओकर चेलासब एक-दोसरके पुछे लाग्‍लै। 18उसब कहेलाग्‍लै, “ओकर ‘कन्‍हिके देर बाद’ कहनाइके अरथ कथी चियै? हमसब नै बुझैचियै, उ कथी कहैछै।”
19उसब ओकरा पुछेके इक्‍छा करैछै से बात जाइनके येसु ओइसबके पुछल्‍कै, “‘कन्‍हिक देरके बाद तुसब हमरा नै देखबिही, तब कन्‍हिक देरमे फेनो हमरा देखबिही’ से हमर कहल बातमे कि तुसब आपसमे पुछा-पुछी नै करैचिही? 20साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, तुसब कानबिही आ खिजबिही, महज सनसार खुसी हेतौ। तुसब दुखमे परबिही, महज तोरासबके दुख, खुसी आ आनन्‍दमे बदैल जेतौ। 21जब एकटा जनी बच्‍चाके जलम दैतखिना दरदसे छटपटाइत रहैछै, कथिलेत ओकर समय आइबगेल रहैछै महज बच्‍चाके जलम दैत मातर ओकरा ओइ दरदके याद नै आबैछै कथिलेत सनसारमे एकटा बच्‍चाके जलम भेलै, तै बातमे उ खुसी हैछै। 22अहिनङे अखुन तुसब सोक करबिही, महज हम फेनो तोरासबके भेटैले एबौ त तोरासबके हिरदय खुसिसे भरतौ। तब कोइ नै तोरासबके खुसी तोरासबसे छिन्‍तौ। 23ओइ दिन तुसब हमरा कुछो नै पुछबिही। हम साँचोके कहैचियौ, तुसब हमर नाममे पितासङे जे माङबिही, से उ तोरासबके देतौ। 24अखुनोतक तुसब हमर नाममे कुछो नै माङनेचिही। माङ त तुसब पाबबिही आ तहैसे तोरासबके आनन्‍द पुरा हेतौ।
चेलासबके लेल सान्‍ती
25 “यि बात हम तोरासबके खिसा-पिहानीसबमे कहनेचियौ। महज समय आइबरहलछौ, तैबखत हम तोरासबके सङे फेनो खिसा पिहानीमे नै बाज्‍बौ, बल्‍की पिताके बिसयमे साफ-साफ कैहदेबौ। 26तैबखत तुसब आपनेसे हमर नाममे माङबिही। हम तोरासबके खातिर पितासङे माइङ देबौ कैहके नै कहे परतौ। 27पिता आपनेसे तोरासबके परेम करैछौ, कथिलेत त तुसब हमरा परेम करनेचिही आ हम परमेस्‍वर लगसे एलचियै से तुसब बिस्‍बास करनेचिही। 28हम पितालगसे सनसारमे एलचियै, आब फेनो सनसार छोइरके पितालग घुइमके ज्‍यारहल चियै।”
29तब चेलासब येसुके कहल्‍कै, “अखुन अहाँ खिसामे नै महज साफ-साफ बाजैचियै। 30आब हमसब जाइनगेलियै, कि अहाँ सब बात जानैचियै। आब अहाँसे ककरो नै कोनो सबाल करेपरतै। अहैकारन हमसब अहाँमे बिस्‍बास करैचियै, कि अहाँ परमेस्‍वरसे पठ्‍याल चियै।” 31येसु ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “कि आब त तुसब बिस्‍बास करैचिही? 32देख! समय आइबरहलछै, हँ, लग चैलएलै, जब तुसब चारुदिसन छिरिया जेब्‍ही। तुसब भाइगके आपन-आपन घर जेब्‍ही महज हमरा असगरे छोइर देब्‍ही। तैयो हम असगरे नै चियै, कथिलेत हमरसङे पिता छै।
33 “हम तोरासबके यि बात अहै खातिर कहनेचियौ, कि हमरमे रैहके तोरासबके सान्‍ती हेबे। सनसारमे तोरासबके सङकट हेतौ, महज साहस कर, हम सनसारके जितलेने चियै।”

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

युहन्‍ना 16: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល