युहन्ना 15
15
साँचो अङगुरके लती
1 येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “साँचो अङगुरके लती हम्ही चियै आ हमर पिता किसान चियै। 2हमरमे रहल सब ठाइर जे फल नै फराइछै, उ ओइसबके काइटदैछै आ फल फराइबला सब ठाइर औरो बेसिसे फराबे कैहके उ ओइसबके काटछाट करैछै। 3किसान ठाइरके साफ करल जखा तुसब पहिनेसे हमर बचनसे सुध भेलचिही। 4तुसब हमरमे रह आ हम तोरासबमे रहबौ। जनङकी ठाइर अङगुरके लतिमे नै रहतै त उ आपनेसे फल फराइले नै सक्तै, तहिनङ तुसब हमरमे नै रहबिही त तुहुसब फल फराइले नै सकबिही।
5 “अङगुरके लती हम्ही चियौ, तुसब ठाइर चिही। यदि कोइ हमरमे रहतै आ हम ओकरमे रहबै त, उ बहौत फल फराइतै, कथिलेकी हमरसे अलग रैहके तुसब कुछो करैले नै सकबिही। 6यदि कोइ हमरमे नै रहतै त, उ काटल ठाइर जखा बाहर फेकल जेतै आ उ सुइख जेतै। एहेन ठारइरसबके लोकसब एक ठाममे जम्मा कैरके आइगमे झोइक दैछै आ उ डैहजेतै। 7यदि तुसब हमरमे रहबिही आ हमर बचन तोरासबमे रहतौ त, तुसब जे माङैले चाहैचिही से माङ आ उ तोरासबके देतौ। 8जब तुसब बहुत फल फराइबिही त हमर पिताके महिमा परकट हेतै आ तुसब हमर असल चेला चिही से बात परमानित हेतौ।
9 “जनङ पिता हमरा परेम करनेछै, हम्हु तोरासबके परेम करनेचियौ। आब तुसब हमर परेममे रह। 10जनङ हम आपन पिताके आग्यापालन करनेचियै आ ओकर परेममे रहैचियै, तहिनङे तुहुसब हमर आग्यापालन करबिही त हमर परेममे रहबिही। 11हमर आनन्द तोरासबमे रहे आ तोरासबके आनन्द पुरा हेबे कैहके हम यि बातसब तोरासबके कहलियौ।
12 “हमर आग्या यह्या चियै कि जहिना हम तोरासबके परेम करनेचियौ तहिना तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। #
युहन्ना १३:३४, १५:१७, १ युहन्ना ३:२३, २ युहन्ना १:५ 13साथि-सङीके लेल आपन परान देनाइसे बरका परेम औरो किछो नै छै। 14यदि तुसब हमर देल आग्यापालन करैचिही त, तुसब हमर सङी चिही। 15आबसे हम तोरासबके नोकर नै कहबौ, कथिलेकी मालिक कथी कैररहलछै से नोकर नै जानैछै। महज हम तोरासबके सङी कैहरहल चियौ, कथिलेकी हमर पितासे हम जे सुन्ने चियै से सब तोरासबके कैहदेने चियौ। 16तुसब हमरा नै चुनलिही, महज हम तोरासबके चुनलियौ। आब जो आ सबदिन रहैबला फल फराइहे कैहके हम तोरासबके चुनलियौ। तहैलेल तुसब हमर नाममे पितासे जे कुछ माङबिही उ तोरासबके देतौ। 17हम तोरासबके यि आग्या करैचियौ कि तुसब एक-दोसरके परेम कर।
सनसारके लोकसबसे घिरना
18 “यदि सनसारके लोकसब तोरा घिरना करतौ त, तोरासबसे पहिने हमरा घिरना करल्कै कैहके जान। 19यदि तुसब अइ सनसारके रहतिही त, सनसारके लोकसब तोरा आपन कैहके परेम करतियौ। महज तुसब अइ सनसारके नै चिही। हम तोरासबके सनसारसे चुनलियौ, ओहैसे अइ सनसारके लोकसब तोरासबके घिरना करैछौ। 20हम जे बातसब कहलियौ तै बातसबमे गौरसे बिचार कर कि ‘नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै।’ सनसारके लोकसब हमरा त सतेल्कै उसब तोरोसबके सताइतौ। यदि सनसारके लोकसब हमर बात मान्तै त, तोरोसबके बात सेहो मान्तौ।#मती १०:२४, लुका ६:४०, युहन्ना १३:१६ 21हमर नाममे बिस्बास करलाके खातिर उसब तोरासबके यि सब सताइबला काम करतौ, कथिलेत उसब हमरा पठाइबला पिताके नै चिन्हैछै।
22 “यदि हम आइबके नै कहने रहतियै त पापके दोसी नै हेतियै, महज आब आपन पापके लेल बहाना करैबला कोनो ठाम नै छै। 23जे हमरा घिरना करैछै, उ हमर पिताके सेहो घिरना करैछै। 24हम तोरासबके बिचमे जे काम करने छेलियौ, उ काम औरो दोसर नै करनेछै। यदि उ काम हम नै करने रहतियै त, उसब पापके दोसी नै हेतियै। महज हमर करल अजगुतके कामसब देखियोके उसब हमरा आ हमर पिता दुनोगोराके घिरना करैछै। 25महज ‘उसब हमरा बिना कारन घिरना करल्कै’ कैहके ओइसबके बेबस्थामे लिखल बचन पुरा हैकेलेल यि सब भेलै। #भजनसङगरह ३५:१९, ६९:४
26 “हम पिताके तरफसे तोरासबके लेल सल्लाह दैबला पबितर आत्माके पठादेबौ। उ पितालगसे एल सत आत्मा चियै जे हमर बारेमे गबाही देतै। 27तुहुसब हमर बारेमे गबाही देब्ही, कथिलेकी तुसब सुरुवेसे हमरसङे चिही।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
युहन्ना 15: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: