युहन्ना 14
14
चेलासबके येसु अनुगरह करल्कै
1येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर। 2हमर पिताके घरमे बहौत रहैबला ठामसब छै आ हम तोरासबके लेल रहैबला ठामसब तयार करैले जाइचियौ। यदि तेहन नै रहतियै त हम तोरासबके यि बात कहबे नै करतियौ। 3हम ज्याके तोरासबके खातिर ठाम तयार करलाके बाद फेनो एबौ आ तोरासबके आपनलग ल्याजेबौ, तैल्याके हम जते रहैचियै ओतै तुहुसब हमरसङे रहबिही। 4हम जते ज्यारहल चियै उ बाट त तुसब जान्बे करैचिही।”
5थोमा ओकरा कहल्कै, “परभु, अहाँ कते ज्यारहल चियै, से हमसब नै जानैचियै, तब हमसब उ बाट कनङके जाने सक्बै?”
6येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै। 7तुसब हमरा साँचोके चिनतिही त, हमर पितोके चिनतिही। आबसे तुसब हमर पिताके चिन्हबिही कथिलेत तुसब ओकरा देखलेनेचिही।”
8फिलिप येसुके कहल्कै, “परभु, हमरासबके पिता देख्यादिय। ओतबेसे हमरासबके पुइग जेतै।”
9येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “फिलिप! अतहेक दिनसे त हम तोरेसबसङे चियौ, तैयो तु हमरा नै चिन्हैचिही? जे हमरा देख्ने छै, उ पिताके देख्ने छै। तब तु कनङके कहैचिही, कि ‘हमरासबके पिताके देख्यादिय?’ 10‘हम पितामे चियै आ पिता हमरमे छै’ से कि तु बिस्बास नै करैचिही? जे बात हम तोरासबके कहैचियौ, से बात हम आपने मनसे नै कहैचियौ। महज हमरमे रहैबला पिता यि कामसब करैछै। 11हम पितामे चियै आ पिता हमरमे छै कैहके बिस्बास कर। कम्तिमे हमर करल अजगुतके कामसब देखके त बिस्बास कर।
12 “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, हमरमे बिस्बास करैबला सेहो यि कामसब करेसक्तै जे कामसब हम करैचियै आ ओहौसे पैध कामसब करतै कथिलेत हम पितालग जाइचियै। 13तुसब हमर नाममे जे कुछ माङबिही, से हम पुरा कैरदेबौ ताकि बेटा दुवारा पिताके महिमा हेबे। 14तुसब हमर नाममे कोनो चिज माङबिही त से हम पुरा कैरदेबौ।
पबितर आत्माके परतिग्या
15 “यदि तुसब हमरा परेम करैचिही त हमर देल आग्यासबके मानबिही। 16हम पितासे बिन्ती करबै आ उ तोरासबसङे सबदिन रहैके खातिर एकगोरा सल्लाह दैबला पठाइतौ। 17उ पबितर आत्मा चियै जे सब सत्यतामे अगुवाइ करैछै। जकरा सनसार गरहन नै करे सकैछै कथिलेत सनसार ओकरा नै देखैछै नै चिन्हैछै। महज तुसब ओकरा चिन्हैचिही कथिलेत उ तोरासबसङे-सङे रहतौ आ उ तोरासबमे बास करतौ। 18हम तोरासबके टुगर बनाके नै छोरबौ, हम फेनो तोरासबके लग एबौ। 19कुछ देरके बाद हमरा फेनो सनसार नै देख्तै, महज तुसब हमरा देखबिही। हम जिबित भेलाके कारन, तुहुसब जिबित रहबिही। 20‘हम पितामे आ तुसब हमरमे आ हम तोरासबमे चियौ’ से बात तुसब ओइ दिन जानबिही। 21हमरा परेम करैबला उ चियै जे हमर आग्या सुइकार करैछै आ ओकर पालन करैछै। जे हमरा परेम करतै ओकरा हमर पितो परेम करतै। हम्हु ओकरा परेम करबै आ ओकरमे हम आपनके परगट करबै।”
22यहुदा इस्कोरियोत नै महज, दोसरे यहुदा कहाइबला चेला येसुके कहल्कै, “परभु, अहाँ सनसारके लग परगट नै भ्याके कथिले हमरेसबलग मातरे अपने-आपके परगट करैचियै?”
23येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “जे हमरा परेम करैछै, से हमर बचन पालन करैछै। हमर पिता ओकरा परेम करतै तब हमर पिता आ हम ओकरलग ज्याके ओकरसङे रहबै। 24जे हमरा परेम नै करैछै, उ हमर बचनके पालन नै करैछै। जे बचन तुसब सुनैचिही, उ बचन हमर नै, महज हमरा पठाइबला पिताके चियै।
25 “यि बातसब तोरासबसङे रहैतकाल हम तोरासबके कहनेचियौ। 26महज पिता हमर नाममे पठाइबला सल्लाहकार पबितर आत्मा तोरासबके सब बात सिखाइतौ आ हमर कहल सब बात तोरासबके मन पाइरदेतौ।
27 “हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सनसारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डेरा। 28‘हम अतेसे ज्यारहल चियै आ फेनो तोरेसबलग घुइमके एबौ’ कैहके कहल हमर बात त तुसब सुन्बे करनेचिही। यदि तुसब हमरा परेम करतिही त, हम पितालग ज्यारहल चियै से सुइनके तुसब खुसी हेत्ही, कथिलेकी पिता हमरसे महान छै। 29यि हैसे पहिने सब बात हम तोरासबके कैहदेने चियौ, ताकि जब यिसब हैले एतौ तब तुसब बिस्बास करैले सक। 30आब हम तोरासबसङे बहुत बात नै करबौ, कथिलेकी अइ सनसारके सासक आइबरहलछै। हमर उपर ओकर कोनो अधिकार नै छै। 31महज हम पिताके परेम करैचियै से बात सनसारके सबलोक जाने कैहके हम सबकाम ओकरे आग्या अनुसार करैचियै। आब उठ आ अपनासब अतेसे चल।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
युहन्ना 14: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: