युहन्‍ना 1

1
बचन लोक भ्‍याके एलै
1सिरिस्‍टी हैसे पहिने बचन रहै। बचन परमेस्‍वरसङे रहै आ बचने परमेस्‍वर रहै। 2उ सुरुवेसे परमेस्‍वरसङे छेलै।
3सब चिज परमेस्‍वर ओकरेसे सिरिस्‍टी करल्‍कै। सिरिस्‍टी भ्‍याल चिजसबमेसे एकोटा चिज ओकरबिना नै बन्‍लै। 4बचन सिरिस्‍टी भेल सब चिजके जिबन दैबला छेलै। यि जिबन दैबला लोकसबके लेल इजोत छेलै। 5उ इजोत अन्‍हारमे चम्‍कैछै आ अन्‍हार कहियो नै इजोतके मुझाइले सकल छै।
6परमेस्‍वरसे पठ्‍याल एकटा युहन्‍ना नामके लोक छेलै।#मती ३:१, मरकुस १:४, लुका ३:१,२ 7ओकरेसे सबकोइ इजोतमे बिस्‍बास करे कैहके इजोतके गबाही दैले उ साक्‍छी भ्‍याके एलै। 8युहन्‍ना आपने इजोत नै छेलै, महज इजोतके बारेमे गबाही दैले एलछेलै। 9साँचोके इजोत उ चियै जे सनसारके सबकोइके इजोत दैछै उ इजोत आइबरहल छेलै।
10उ सनसारमे छेलै, सनसार ओकरेसे बन्‍लै, तैयो सनसार ओकरा नै चिन्‍हल्‍कै। 11उ आपने लोकसबलग एलै, महज ओकर आपने लोकसब ओकरा सुइकार नै करल्‍कै। 12जेसब ओकरा सुइकार करल्‍कै आ ओकरमे बिस्‍बास करल्‍कै, तैसबके उ परमेस्‍वरके धियापुता हैके हक देल्‍कै। 13उसब नै त लहुसे, नै त सारिरीक इक्‍छासे, नै लोकके कोनो इक्‍छासे महज उसब परमेस्‍वरसे आत्‍मिक रुपमे जल्‍मैछै।
14तब बचन लोक बैनके अपनासबके बिचमे बास करल्‍कै आ अपनासब ओकर महिमा देखलियै, जे महिमा परमेस्‍वरसे आबैबला एक मातरे बेटामे छेलै। उ अपनासबके पुरा रुपसे अनुगरह करैछै आ सत बात मातरे बोलैछै।
15युहन्‍ना ओकरे बारेमे गबाही दैत जोरसे कहल्‍कै, “हमरसे पछा आबैबला हमरसे बहौत महान छै, कथिलेत उ हम जलमैसे पैहनैयेसे छेलै। यि ओह्‍या लोक चियै, जकर बारेमे सब बात हम कहने छेलियौ।”
16ओकरे अनुगरहसे उटुङ-टुटुङ भैरके आसिस उपर आसिस मिलरहल छै। 17कथिलेत बेबस्‍था मोसासे एलै, महज अनुगरह आ सत्‍यता येसु खिरिस्‍टसे एलै। 18परमेस्‍वरके कोइ नै कहियो देखनेछै। महज पिताके लगमे रहैबला ओकर एकलौता बेटा ओकरा हमरासबलग परगट करनेछै।
बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना
(मती ३:१-१२, मरकुस १:१-१८, लुका ३:१-१८)
19जखन यहुदी अगुवासब यरुसलेमसे पुजारी आ लेबीके युहन्‍ना लग “तु के चिही?” कैहके पुछैले पठेल्‍कै। 20युहन्‍ना नै अकमक्‍याके सिधा जबाफदैत कहल्‍कै, “हम खिरिस्‍ट नै चियौ।”
21तब उसब ओकरा पुछल्‍कै, “कि तु एलिया चिही त?”
युहन्‍ना जबाफ देल्‍कै, “नै।”
“तब कि तु अगमबक्‍ता चिही त?” उ जबाफ देल्‍कै, “नै।”#मलाकी ४:५, बेबस्‍था १८:१५,१८
22तब उसब फेनो ओकरा कहल्‍कै, “कह त, तुहे के चिही? हमरासबके पठाइबलाके जबाफ दैलेपरतै। तु आपन बारेमे कथी कहैचिही त?”
23युहन्‍ना कहल्‍कै, “यसैया अगमबक्‍ता कहने रहै, ‘परभुके आबैबला रस्‍ता दुरुस कर’ कैहके हम उजार जगहमे जोरसे कहैबलाके एकटा अबाज चियै।”#यसैया ४०:३
24यि पुछे आबैबला लोकसबके फरिसीसब पठाइनेरहै। 25तब उसब युहन्‍नाके पुछल्‍कै, “यदि तु खिरिस्‍टो नै चिही, एलियो नै चिही आ कोनो अगमबक्‍तो नै चिही त, कथिले बप्‍तिस्‍मा दैचिही?” 26युहन्‍ना जबाफ देल्‍कै, “हम त पानीसे मातरे बप्‍तिस्‍मा दैचियै। महज तोरासबके बिचमे एकगोरा ठार छौ, तकरा तुसब नै चिन्‍हैचिही। 27हमरसे पछा आबैबला ओह्‍या चियौ। जकर हम जुताके फितो तक खोलैके जोकर नै चियै।”
28यि सब बात यरदन लदीके ओहै कात बेथानिया कहैबला ठाममे भेलै, जते युहन्‍ना बप्‍तिस्‍मा दैतरहै।
परमेस्‍वरके थुमा येसु
29तकर बिहानके युहन्‍ना येसुके आपन दिसन आबैत देखके कहल्‍कै, “देख, यि सनसारके पाप उठाके लजाइबला परमेस्‍वरके थुमा चियै। 30ओकरे बारेमे हम कहने छेलियौ, ‘हमरसे पछा एकगोरा आबैछौ, उ हमरसे महान छै कथिलेत उ हम जलमैसे पैहनैयेसे छेलै।’ 31उ के चियै से हम्‍हु नै चिन्‍हैछेलियै, महज ओकरा इजराएलीसबके बिचमे परगट हेबे कैहके हम पानीके बप्‍तिस्‍मा दैत एलियै।”
32युहन्‍ना अहिनङ कहैत गबाही देल्‍कै, “हम परमेस्‍वरके आत्‍माके पौरकीके रुपमे स्‍वरगसे उतैरके ओकर उपर बैठल देखलियै। 33साँचोके उ के चियै से हम नै चिन्‍हैछेलियै, महज जे हमरा पानीसे बप्‍तिस्‍मा दैले पठाइल्‍कै ओह्‍या हमरा कहल्‍कै, जकर उपरमे पबितर आत्‍मा उतैरके बैठल देखबिही ओह्‍या पबितर आत्‍मासे बप्‍तिस्‍मा दैबलाहेतौ। 34हम यि सब देख्‍ने चियै आ गबाही दैचियै कि, ओह्‍या परमेस्‍वरके बेटा चियै।”
येसुके पहिन्‍का चेलासब
35फेनो दोसर दिन युहन्‍ना आपन चेलासबमेसे दुइगोरा सङे ओहै ठाममे ठारभेल छेलै। 36येसुके लगे बाटे जाइत देखके उ कहल्‍कै, “देख, एह्‍या चियौ परमेस्‍वरके थुमा।” 37यि बात सुइनके दुइगोरा चेलासब येसुके पछा लाग्‍लै। 38येसु पछामाथे घुइमके ताकल्‍कै त ओइसबके आपन पछा लागल देखके पुछल्‍कै, “तुसब कथी ताकैचिही?” उसब जबाफ देल्‍कै, “रब्‍बी, (जकर अरथ गुरु जी चियै) अहाँ कते रहैचियै?” 39तब येसु जबाफ देल्‍कै, “आइबके देख!” उसब ओकरसङे ज्‍याके ओकर रहैबला ठाम देखल्‍कै आ ओइ दिन ओकरेसङे रहलै। कथिलेकी तैबखत बेरियाके चार बजे लागल छेलै।
40युहन्‍नाके बात सुइनके येसुके पछुवाइबला दुइगोरामेसे एकगोरा सिमोन पतरुसके भाइ अन्‍दरियास रहै। 41अन्‍दिरियास सबसे पहिने आपन भैया सिमोन पतरुसके भेटके कहल्‍कै, “हमसब मसिहके भेटलियै।” (हिबरु भसामे खिरिस्‍टके मसिह कहैछै।) 42अन्‍दिरियास सिमोनके येसुलग ल्‍यागेलै। येसु सिमोनके देखके कहल्‍कै, “तु युहन्‍नाके बेटा सिमोन चिही। देख तु केफास कहाइबिही।” (केफास गिरिक भसामे पतरुस कहैछै।)
येसु फिलिप आ नथानेलके बोलाइल्‍कै
43तकर बिहानके येसु गालिल इलाका जाइले निरनय कैरके निकल्‍लै। तहै बखत ओकरा फिलिपसङे भेट भेलै आ उ ओकरा कहल्‍कै, “हमर पछा लाग।” 44अन्‍दरियास आ पतरुसे जखा फिलिपो बेथसेदा सहरमे रहैबला रहै। 45तकरबाद फिलिप नथानेलके भेटके कहल्‍कै, “हमरासबके उ भेटलै जकर बारेमे धरमसास्‍तरमे मोसाके बेबस्‍था आ अगमबक्‍तासब सेहो लिखने छेलै। उ योसेफके बेटा नासरतके येसु चियै।”
46यि सुइनके नथानेल कहल्‍कै, “कि नासरतसे कोनो निक बात आइब सकैछै?”
तब फिलिप ओकरा कहल्‍कै, “आइबके देखले।”
47नथानेलेके आपन दिसन आबैत देखके येसु कहल्‍कै, “देख, उ पक्‍के इजराएली चियै, ओकरमे कोनो छलकपट नै छै।”
48तब नथानेल पुछल्‍कै, “अहाँ हमरा कनङके चिन्‍हलियै?”
येसु जबाफ देल्‍कै, “फिलिप तोरा बोलाइसे पैहनैये हम तोरा अन्‍जिरके गाछतरमे रहैतखिना देख्‍ने छेलियौ।”
49नथानेल जबाफ देल्‍कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्‍वरके बेटा चियै! अहाँ त इजराएलके रजा चियै।”
50येसु ओकरा जबाफ देल्‍कै, “हम तोरा अन्‍जिरके गाछतरमे देखलियौ कहलियौ त तु बिस्‍बास करलिही? तु त अहौसे बरका बरका कामसब देखबिही।” 51येसु फेनो कहल्‍कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, तुसब स्‍वरग उघरैत आ परमेस्‍वरके स्‍वरगदुतसबके मानब बेटाके उपरमे चरहैत आ उतरैत देखबिही।”#उतपती २८:१२

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

युहन्‍ना 1: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល