गलाती किताबके परिचय

किताबके परिचय
यि चिठी पावल गलातीके लोकसबके लेल लिखने छेलै। गलाती रोम सामराजके मध्‍यपुरुब एसियामे भेल एकटा परदेस छेलै, जे अखैन टरकी कहाइबला देसके बिचमे परैछै। पावल यि चिठी एकेटा इसाइ मन्‍डलीसबके लेल मातरे नै, महज गलातीमे रहल बहुतो मन्‍डलीसबके लिखने छेलै, जे मन्‍डली पावल आपनेसे अस्‍थापना करनेरहै। यि चिठी पावल कोन सालमे लिखने छेलै कैहके थाह नै छै, महज कोइ इस्‍वी सम्‍बत ४८-४९ मे लिखने रहै कैहके कहैछै त कोइ इस्‍वी सम्‍बत ५४-५६ मे लिखने छेलै कहैछै।
जब पाबल गलातियामे भेल गैर-यहुदी जातिके बिचमे मन्‍डली खरा करल्‍कै तब औरो ठामके कतहेक यहुदी इसाइसब ओइ मन्‍डलीमे ज्‍याके पावलके देल सिक्‍छाके बिरोध करैले लाग्‍लै। पावलके मुल सिक्‍छा अह्‍या छेलै कि अनुगरह आ बिस्‍बाससे मातरे लोकके उधार हैछै (एफिसी २:८)।
बिसय-सुची
परिचय १:१-१०
परेरितके समबन्‍धमे पावलके अधिकार १:११-२:२१
परमेस्‍वरके दयाके सुसमाचार ३:१-४:३१
खिरिस्‍टियन छुटकरा आ जिम्‍मेबारी ५:१-६:१०
समाप्‍ती ६:११-१८

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

गलाती किताबके परिचय: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល