परेरित 6

6
सातगोरा सेबकके छानल्‍कै
1जब बिस्‍बासीसबके संख्‍या बरहै छेलै, तब हिबरुसबके बिरोधमे गिरिक यहुदीसब बताबती करेलाग्‍लै, कथिलेत दिनदिने खाइबला चिजसब बाँटै बखत ओइसबके बिधुवासब आबसेक्‍ता बमौजी नै पाबैछेलै। 2तब बारहो परेरितसब बिस्‍बासीसबके बोल्‍याके कहल्‍कै, “परमेस्‍वरके बचनके सिक्‍छा दैले छोइरके खियाइ-पियाइमे लगनाइ अपनासबके उचित नै छै। 3तहैले हौ भाइसब, तोरासबमेसे पबितर आत्‍मासे भरल, असल बुइधके आ आदर पाबैबला सातटा लोक छान जकरा अपनासब यि कामके जिम्‍मा देबै। 4तब अपनासबके परथना आ परमेस्‍वरके बचनके सिक्‍छा दैबला काममे पुरा समय लागल रहबै।”
5यि बिचार सुइनके सबकोइके असल लाग्‍लै आ सबकोइ खुसी भेलै, उसबमेसे स्‍तिफनस जे पबितर आत्‍मा आ बिस्‍बाससे भरपुर छेलै आ फिलिप, परखरस, निकनोर, तिमोन, परमिनास आ पहिने एन्‍टिओखियाके यहुदी धरम मानैबला निकोलाउसके सेहो छानल्‍कै। 6तकरबाद उसब ओइ लोकसबके परेरितसबके सामने आनल्‍कै आ परेरितसब ओकरासबके उपर आपन-आपन हाथ राइखके परथना करल्‍कै।
7अहिनङ परमेस्‍वरके बचन पसरैत गेलै। यरुसलेममे बिस्‍बासीसबके संख्‍या बरहैत गेलै। पुजारीसबमेसे बहुत गोरे बचनके सुइकार कैरके परभुमे बिस्‍बास करल्‍कै।
स्‍तिफनस पकरल गेलै
8स्‍तिफनस परमेस्‍वरके किरपा आ सक्‍तिसे भरपुर भ्‍याके लोकसबके बिचमे बरका बरका अचमके काम आ चेन्‍हासब देखेल्‍कै। 9महज कतहेक यहुदीसब जे “स्‍वतन्‍तर-दल” कहाइबला सभाघरसबके आ कुरेनी, अलेकजेन्‍डरिया, किलिकिया आ एसियाके लोकसब रहै, उसब स्‍तिफनसके बिरोधमे खरा भ्‍याके ओकरसङे बताबती करेलाग्‍लै। 10महज स्‍तिफनसके बोलैत खिना पबितर आत्‍मा अतहेक निक बुइध देल्‍कै कि उसब ओकर सामने नै टिके सक्‍लै। 11तब उसब चुपचाप लोकसबके चरह्‍या-बरह्‍याके एहेन कहैले उकसेल्‍कै, “तुसब कहै जे हमरासबके अकरा मोसा आ परमेस्‍वरके बिरोधमे बोलैत सुनलियै।” 12तब अहिनङे उसब जनताके, धरमगुरुके आ अगुवासबके बहकेल्‍कै, उसब मिलके स्‍तिफनसके पकैरके महासभामे आनल्‍कै। 13उसब झुठा गबाहीसबके आइनके यि बोलैले लगेल्‍कै कि, “यि लोक पबितर मन्‍दिर आ धरम नियमके बिरोधमे बात करैले नै छोरने छै। 14कथिलेत एहनङे कहैत हमसब सुनलियै, नासरतके येसु यि मन्‍दिरके नास करतै आ मोसाके देल्‍हा चलनसब बदैल देतै।” 15महासभामे बैठल उ सब लोकसब स्‍तिफनस दिसन गौरसे ताकल्‍कै त ओकर चेहरा स्‍वरगदुत जखा देखल्‍कै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

परेरित 6: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល