परेरित 4
4
महासभाके अगा पतरुस आ युहन्ना
1पतरुस आ युहन्ना लोकसबसे बात करैतरहै, तखुन्ते कुछ पुजारीसब, मन्दिरके सिपाहीसबके कप्तान आ सदुकीसब एलै। 2उसब एकदम खिस्याल रहै, कथिलेत उ दुनुगोरा लोकसबके सिखाइछेलै आ घोसना करैछेलै कि येसु मुरदासे जिबित भ्याके उठाएल काम दुवारा औरो लोकसब सेहो मुरदासे जिबित भ्याके उठाएल जेतै। 3तब उसब पतरुस आ युहन्नाके पकरल्कै आ बिहानतक थुनुवामे राखल्कै, कथिलेत ओइ बखत साँझ पैरगेल छेलै। 4महज बचन सुनैबला बहौत लोकसब बिस्बास करल्कै आ बिस्बास करैबला मरद-पुरुख बैढके पाँच हजार भेलै।
5तकर बिहान यरुसलेमके सासकसब, अगुवासब आ धरमगुरुसब यरुसलेममे भेला भेलरहै। 6परधान पुजारी हन्नास, कैयाफा, युहन्ना, अलेक्जेन्डर आ मुल पुजारीके खानदानके ओते औरो लोकसब रहै। 7उसब पतरुस आ युहन्नाके महासभाके अगामे ठार कैरके पुछल्कै, “कोन सक्तिसे या ककर नाममे तुसब यि कामसब करैचिही?”
8तब पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके पतरुस ओइसबके कहल्कै, “लोकसबके सासक आ अगुवासब, 9आइ हमसब नेङर लोकके एकटा असल काम करलियै तै बिसयमे उ कोन उपायसे निक भेलै कैहके सबाल करैचिही त, 10तोरासबके आ इजराएलके सब लोकसबके थाह हेबे, कि तोरेसबके अगा येसुके कुरूसमे लटकेल्कै आ परमेस्वर मरलसे जिबित करल्कै, ओह्या नासरतके येसु खिरिस्टके नाममे यि लोक तोरासबके अगामे निक भ्याके ठारभेल छौ। 11उ ओहे पथल चियै,
‘जे पथलके तुहे मिसतिरीसब बेकार समैझके छाइटदेने छेल्ही,
ओह्या पथल अखुन जगके मुल खम्हा भेल छौ।’#भजनसङगरह ११८:२२
12“येसु बाहेक औरो कोइ दोसरमे उधार नै छै, कथिलेत अपनासबके उधार पाबैले स्वरगके निचा लोकसबके बिचमे औरो कोनो दोसर नाम नै देनेछै।”
13जब उसब पतरुस आ युहन्नाके निडर भ्याके बाजैत देखल्कै आ यि बुझल्कै कि यिसब कम परहल-लिखल आ सधारन लोक चियै से देखके उसब छक परलै। तब उसब येसुसङे रहै से थाह पाबल्कै। 14महज ओहैसबसङे नेङर लोक ठारभेल देखके उसब कुछो नै बाजे सक्लै। 15अहैले उसब पतरुस आ युहन्नाके महासभासे बाहर निकलैले आग्या करल्कै, तब उसब आपनमे बातचित करल्कै, 16“यि लोकसबके आब अपनासब कथी करबिही? साच्चोके यिसब अच्चमके काम करनेछै, से बात यरुसलेमके सब लोकसब जानैछै आ आब अपनासब इन्कार करे नै सकबिही। 17महज यि बात औरो लोकसबमे नै पसरे कैहके, ‘फेनो येसुके नाममे कोनो लोकसबसङे उसब कुछो नै बाजे’ कैहके अपनासब ओकरासबके चेताबे परतै।”
18तब ओइसबके बोल्याके आग्या देल्कै, “आबके बाद येसुके नाममे नै बाज आ कोनो सिक्छा नै दहै।” 19महज पतरुस आ युहन्ना ओइसबके जबाफ देल्कै, “परमेस्वरके बात सुननाइ कि लोकके कहल बात सुननाइ परमेस्वरके नजरमे कोन उचित छै, अकर बिचार अहाँ आपने करु। 20कथिलेत जे बात देख्ने चियै आ सुनने चियै हमसब नै कैहके नै रहे सक्बै।” 21ओइसबसङे सजाय दैके कोनो उपाय नै भेलाके कारनसे डर-धम्की द्याके छोइरदेल्कै, कथिलेत जे घटना घटल छेलै ओइ घटनाके खातिर सब लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैतरहै। 22कथिलेकी जे लोक आस्चरजके कामसे निक भेल छेलै, ओकर उमेर चालिस बरिससे उपर छेलै।
साहसके खातिर परथना
23ओतेसे छुटलाके बाद पतरुस आ युहन्ना आपन सङि-साथीसबलग एलै, मुल पुजारीसब आ अगुवासबके कहल बातसब ओइसबके सुनादेल्कै। 24जब उसब सब बात सुनल्कै, तब उसब जोरसे एके अबाजमे परमेस्वरके कहल्कै, “हे परमपरभु, जे स्वरग, पिरथिबी, समुन्दर आ ओइमे भेल सब चिज अहाँ बनेलियै। 25जे पबितर आत्मासे आपन सेबक, अपनासबके पुरखा दाउदके मुहसे कहल्कै:
दुनियाके जात-जातीसब कथिले हुलदङा मचाबैछै,
लोकसब बलौसे कथिले नै निक योजना बनाबैछै?
26परमपरभु आ ओकर अभिसिक्त जन खिरिस्टके बिरोधमे पिरथिबीके रजासब
आ सासकसब एक ठाम जम्मा भेलै।#भजनसङगरह २१
27“साँचोके अहाँके अभिसेक करल पबितर सेबक येसुके बिरोधमे हेरोद आ पन्तियस पिलातस दुनुगोरा आन जात आ इजराएलीसबसङे अहै सहरमे जम्मा भेलरहै। 28ओह्यासब करैले अहाँ आपन सक्तिसे आ आपन योजना अनुसार निस्चित करने छेलियै। 29हे परभु, ओकरासबके धम्किके देखु आ अहाँके सेबकसबके सक्ती दिय ताकि साहसके साथ अहाँके बचन परचार करैले दिय, 30आ निक करैले अहाँ आपन हाथ बरहाइत, आपन पबितर सेबक येसुके नामसे आस्चरज कामसब हैतरहे।”
31जब उसब परथना समापत करल्कै तब ओइठाम जते उसब जम्मा भेलरहै ओते सबकोइ थरकलै आ उ सबकोइ पबितर आत्मासे भरलै आ उसब साहसके साथ परमेस्वरके बचन परचार करेलाग्लै।
सब चिज सझिया
32बिस्बास करैबलासब एकेमन आ एके परानके भेलरहै, ओइसबमेसे कोइ नै आपन धन-सम्पतीके आपन चियै कहैछेलै, महज सब चिजके सझिया मानैत रहै। 33उ परेरितसब बहुत सक्तिसे परभु येसु मरके जिबित भ्याके उठलै तै बातके गबाही दैछेलै आ उसब सबके सङे परमेस्वरके बहुत बरका आसिस छेलै। 34ओइसबके कोनो चिजके कमी नै हैछेलै, कथिलेत कतहेक गोरा जमिन आ घरके मालिक रहै, उ सब बेचके पैसा-कौरी आनै, 35आ परेरितसबके चरनमे राख दैछेलै, जकरा-जकरा जे-जे चिजके जरुरत परैछेलै से सबकोइके बाइटदैछेलै।
36जनङ साइपरस देसके लेबी खानदानके योसेफ, जकरा परेरितसब बरनाबास कैहके नाम राखने रहै (जकर अरथ उत्साह दैबला लोक हैछै)। 37उ आपन जमिन बेचल पैसा परेरितसबके चरनमे राइखदेल्कै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
परेरित 4: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.