परेरित 27
27
पावलके रोम यातरा
1जब हमसब पानी जहाजसे इटालिया देस जाइले निरनय भेलै तब उबस पावलके औरो कैदीसबसङे समराट अगस्तसके सेनाके कप्तान युलियसके जिम्मा लग्यादेल्कै। 2हमसब एन्डरामिटेनोससे एसिया परदेसके समुन्दर काते-काते परैबला सहरसब हैत जाइबला जहाजमे चहैरके यातरा सुरु करलियै। अरिस्तारखस नाम भेल्हा थेसलोनिके इलाकाके एक गोरे माकेडोनि हमरासबकेसङे सेहो छेलै।
3ओकर बिहान हमसब सिदोन इलाकामे पुगलियै। युलियस पावल उपर दया देख्याके ओकर साथि-सङीसबके आपन-आपन आबसक्ताके सरसमानसब आनैले अनुमति देल्कै। 4ओतेसे फेनो हमसब पानी जहाजमे चललियै आ हबा उलटाकातसे बहैके कारन हमसब साइपरस टपुके सहारा लैत गेलियै। 5किलिकिया आ पामफिलिया इलाकाके नजदिकके समुन्दर पार करैत लुकिया इलाकामे परैबला माइरा सहर पहुच गेलियै। 6ओते कप्तान युलियस अलेकजेन्डरिया सहरसे इटालिया देसमे जाइबला जहाज भेटलै आ उ हमरासबके ओहै जहाजमे चरहादेल्कै।
7हमसब रसे-रसे अगा दिसन चललियै आ एकदम दिकतसे हमसब क्नीडसमे पुगलियै। हबा हमरासबके आगादिसन जाइले एकदमसे दिकत करलक। ओहै खातिर हमसब केरेट टपुके सहारा लैत सालमोनके पखा-पखा हैत गेलियै। 8बहुत दिकतसे टपुके काते-काते अगा दिसन बरहैत हमसब लासिया सहरके नजदिक सुन्दर बन्दरगाह कहैबला ठाममे आइबगेलियै।
9ओते पुगैके लेल बहौत समय लागल छेलै आ उपास रहैबला बिसेस दिन सेहो बितगेल छेलै आ समुन्दरमे चलैबला हबा-बिहाइरके कारन समुन्दर यातरा एकदमसे खतरा छेलै। तहैलेल पावल लोकसबके एहेन कैहके समझेल्कै, 10“हौ दाजु-भाइसब, हमरा यि लागैये जे यदि हमसब समुन्दर यातरा करलासे जहाज आ अकर सर-समान मातरे नै, महज अपनासबके परानो जाइके डर छै।” 11महज सेनाके कप्तान पावलके बात नै माइनके जहाज चलाबैबला आ जहाजके मालिकके बातमे बेसिसे बिस्बास करल्कै। 12जार महिना बिताबैके लेल उ जहग उचित नै छेलै। अहै खातिर बहौत लोकसब कोनो भि हालतमे ओतेसे चैलके फोनिक्समे जार मास बिताइबै कैहके जहाज चलाबैले सल्लाह देल्कै। केरेट टपुके एक बन्दरगाह फोनिक्स चियै जकर मुहरा दछिन-पछिम आ उतर-पछिम तरफ घुमल छै।
जहाजके बिनास
13जब दछिन दिसरसे रसे-रसे हबा बहे लाग्लै तब उसब सोचल्कै कि आब हमसब जाइले सकब। जहाज चलाबैबलासब लङगर खोइलके केरेट टपुके काते-कात हैत जाइले लाग्लै। 14महज कन्हिक देरके बाद टपुसे बरका अन्हर-बिहाइर उठलै जकरा “उतरा-पुरबैया” कहैछै। 15जब जहाज हबाके चपेटामे फस्लै तब जहाज बिहाइरके चिरके अगा दिसन बरहैले नै सकैके कारन हबेके रुहमे जाइले छोइरदेलियै। 16कलौडा नामके छोट टपुके सहरामे पुगलियै त बहुत कठिनसे जहाजके पछा बान्हल छोट नाहके जोगाइले सकलियै। 17नाहके जहाजमे तानके भितर आन्लाके बाद जहाज चलाइबलासब जहाजके मोटगर-मोटगर रसासे कैसके बानहल्कै। तकरबाद कहि जहाज लिबियाके पखा दिसन सिरटिस कहैबला ठामके बौलमे धैस जेतै कि कैहके डर हैतरहै। तैखातिर जहाज चलाबैबलासब जहाजके पाल गिराइल्कै आ जहाजके हबेके रुहमे जाइले छोइरदेल्कै। 18तकर बिहानतक अन्हर अतेक नै झिझोरै छेलै कि उसब जहाजमे भेल्हा सरसमानसब समुन्दरमे फेके लाग्लै। 19तेसर दिन उसब जहाजमे बान्हल रसा आ पलरासब आपने हाथसे काटके फेकदेल्कै। 20बहुत दिनतक नै त रौद आ नै तरे देखैले पाबलियै। अन्हर-बिहाइर चलिए रहलाके कारन बच्बै कि नै कैहके आसो मरगेलै।
21जहाजमेके लोकसब खाना नै खेने बहुत दिन भेल छेलै। ओइ बखत पावल ओइसबके कहल्कै, “हौ भाइ-भैयासब, अहाँसब हमर बात माइनके केरेटसे जहाज नै चलाइने रहतियै त नै यि बिपतमे एतियै, नै कोनो बिनासे हेतियै। 22महज अखनियो हम अहाँसबके बिन्ती करैचियै कि, साहस मातरे करु, कोइ नै आपन जान गुमाइतै, महज जहाज मातरे नास हेतै। 23आइएके रातमे, हम जै परमेस्वरके चियै आ जेकर हम सेबा करैचियै ओकर स्वरगदुत हमरलग खरा भ्याके कहल्कै कि, 24‘हे पावल, नै डेरा! तोरा कैसरके अगा ज्याके ठार हैये परतौ आ परमेस्वर तोरा दया करलाके कारन तोहरसङे जहाजमे चरलहा सबके परान परमेस्वर बचाइनेछौ।’ 25अहै खातिर हे हमर भाइ-भैयारीसब साहस कर। कथिलेत परमेस्वरमे हम पुरा बिस्बास करैचियै कि जनङ हमरा कहनेछै तैहनङ हेबे करतै। 26महज हमसब कोनो टपुके पखामे भाइस जेबै।”
जहाज खुन्डी-खुन्डी भेलै
27महज जब चौद रातमे अन्दिरियास समुन्दरमे अने-ओने भटकैत रहलै तब अधा रातके जहाज चलाइबलासबके यि लाग्लै जे कोनो जमिनके पाखा दिसन पुइगरहल चियै। 28तब उसब पानीके गहिर नापल्कै तब ओइसबके थाह भेलै कि पानीके गहराइ असी हाथ जतेक छै। कन्हिक औरो अगा ज्याके फेनो नापल्कै त साठी हाथ जतेक मातरे छेलै। 29पानीके गहिराइ कम भेलासे उसब घबराल छेलै कि कतौ चटानमे ठोकर लाग्तै कि तै डरसे जहाजेके पछासे चारु लंगर समुन्दरमे खसेल्कै। तब अनगुत हेबे कैहके परथना करेलाग्लै। 30जहाज चलाइबलासबके भाइग जाइके बिचार छेलै, तहै खातिर जहाजके अगिल्का भागसे लंगर खसाइके बहानासे उसब छोटका नाह समुन्दरमे खसाइने छेलै। 31महज पावल सेनाके कप्तान आ सैनिकसबके कहल्कै, “यि जहाज चलाइबलासब जहाजमे नै रहतै त अहुँसब नै बाँच्बै।” 32यि बात सुनलाके बाद सैनिकसब जहाजमे बान्हल छोटका नाहके रसा काइटके समुन्दरमे बह्या देल्कै।
33जब अनगुत हैले लाग्लै तब पावल ओइसबके खाना खाइले आगरह करल्कै। उ कहल्कै, “आइके चौद दिन भेलै आ अहाँसब डरसे भुखले कुछो नै ख्याके रहलचियै। 34अखन हम अहाँसबके बिन्ती करैचियै कुछो ख्यालिय, नै त कनङके जिबित रहबै। नै डराबु अहाँसबके ककरो मुरीके एकोटा केसो तक नै नोक्सानी हेत।” 35अतेक कैहके उ रोटी लेल्कै आ सबके सामने परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै आ तोइरके खाइले लाग्लै। 36तब उहोसब हौसला पाबल्कै आ उसब खाइले लाग्लै। 37जहाजमे हमसब जम्मा २७६ गोरे लोकसब छेलियै। 38सबगोरे आपन इक्छा भैर खेलाके बाद जहाजके हलुक बनाबैके लेल सब गहुम समुन्दरमे फेकदेल्कै।
39जब अनगुत भेलै उसब ओइ ठामके चिन्हैले नै सकल्कै, महज ओकरसबके नजर बौलेबौल भेल एकटा ठाममे परलै आ उसब निरनय करल्कै कि यदि सम्भव हेतै त जहाजके ओहै ठामदिसन लजाइबै। 40उसब लंगरके रसासब काइटके लंगरके समुन्दरमे छोइरदेल्कै आ पतबारके बान्हल रसासबके खोइलदेल्कै। तब अगा दिसरके पाल उठाके हबा दिसन घुम्या देल्कै आ जहाजके पखा दिसन ल्यागेलै। 41महज जहाज पानीके निचला भागमे रहल बौलमे ठकर लाइगके एहेनसे भास्लै कि एकोरती टस-मस नै हेबे सक्लै, जहाजके पछिला भाग समुन्दरके छालसे ठोकरा ठोकराके टुटे लाग्लै।
42कैदीसब पौरके भाइगजेतै कि कैहके सैनिकसब ओइसबके मारैके बिचार करल्कै। 43महज सैनिकके कप्तान पावलके बचाइले चाहैछेलै। तहै खातिर उ ककरो मारैले नै देल्कै। उ आग्या करल्कै कि जकरासबके पैरी मारैले आबैछै उसब पहिने जहाजसे पानीमे कुइदके पौरैत-पौरैत पखामे निकैल जाय। 44आ बाकी लोकसब जहाजके टुटल काठके पटरासबके सहारा ल्याके जाय। अहिना कैरके सबगोरे असलेसे पखामे निकैल गेलियै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
परेरित 27: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: