परेरित 26
26
1तकरबाद अगरिपास पावलके कहल्कै, “अहाँके आपन पक्छमे बोलैके अनुमति छै।” तब पावल आपन हाथ पसारके आपन सफाइ देबेलाग्लै- 2“हे रजा अगरिपास, यहुदीसब हमर उपर लगेल्हा सब आरोपके बिसयमे आइ हम अहाँके सामने आपन बात राखैले मौका पाबलियै यि हमर लेल सौभाग्यके बात चियै। 3कथिलेकी अहाँ यहुदीसबके रितिरिबाजसे भिनल आ बाद-बिबाद हैबला बातसबसे जानकार लोक भेलाके कारन हमर बात धियान द्याके सुइन दिय कैहके बिन्ती करैचियै।
4“हम आपन जातिके बिच आपन देसमे आ यरुसलेममे आपन बचपन कनङके बितेलियै से बात यहुदीसब निकसे जानैछै। 5उसब हमरा बहुत पहिनेसे जानैछै आ यदि उसब चाहतै त यि बातके गबाही द्या सकैये कि हम आपन धरमके एकटा बहुत कटरबादी पन्थमे रैहके एक फरिसी जिबन बिताइने चियै। 6परमेस्वर हमरसबके पितापुरखाके करल परतिग्यामे हम आसा राखलाके कारन आइ हम अहाँके अगा ठरा भेलचियै। 7ओह्या बचन पुरा हेबे तै आसमे हमरासबके बारहो कुल पुरे मनसे दिनरात भक्ती करैत आइबरहलछै। हे रजा अगरिपास, हम्हु एह्या आसा राखलाके कारन यहुदीसब हमरा दोस लगेने छै। 8परमेस्वर मरलहासबके जियाइछै तै बातमे अहाँसब कथिले बिस्बास नै करैचियै?
9“हम्हु सोचै छेलियै कि, येसु नासरीके नामके बिरोधमे बहुत काराबाही करेके परतै। 10हम यरुसलेममे ओहै परकारसे बिरोध करलियै, मुल पुजारीसबके अखतियार पाइबके परमेस्वरमे बिस्बास करैबला लोकसबके जहलमे ढोकलियै आ जब ओइसबके मिरतुदन्ड दैछेलै त हमे ओइसबके बिरोधमे सहमति दैछेलियै। 11बेर-बेर सभाघरसबमे ज्याके ओकरासबके दन्ड द्याके उसब परभु नै माने कैहके कोसिसो करलियै। हम तामससे चुर भ्यागेलियै आ ओकरासबके आनो देसके सहरसबमे ज्याके सताबैले लागलियै।
12“अहिनङ मुल पुजारीसबसे अधिकार आ आग्या पाइबके हम दमस्कस सहर दिसन गेलियै। 13हे रजा, हम रस्तामे जाइतखिना दुपहरमे स्वरगसे एहेन इजोत देखलियै जे सुरुजोके इजोतसे तेज हम आ हमर सङिसबके चारुकातमे चमकलै। 14सबगोरे जमिनपर खैस परलियै। तहै बखत हम हिबरु भसामे एहेन कहैत सुनलियै, ‘साउल, ए साउल, तु हमरा कथिले सताइचिही? तु हमर बिरोध कैरके आपनेमे कथिले दुख उठ्यारहल चिही।’ 15तब हम पुछलियै, ‘परभु, अहाँ के चियै?’ परभु हमरा उतर देल्कै, ‘हम येसु चियै, जकरा तु सताबैचिही। 16आब उठ! आपन टाङ पर ठार हो, हम तोरा दरसन अइलेल देलियौ जे हम तोरा सेबक आ हमर गबाही दैबला लोक बनाबी आ जे कुछो हमर बिसयमे देख्नेचिही आ जे कुछो हम तोरा देखाइबौ ओकर तु साक्छी हेब्ही। 17हम तोरा तोहर आपने जाती आ गैर-यहुदीसबसे बचाइबौ। हम तोरा गैर-यहुदीसब लग अइलेल पठारहल चियौ कि, 18तु ओकरासबके आँख खोइलके अन्हारसे इजोतमे आ सैतानके बन्धनसे परमेस्वर दिसन घुमाबे। जैसे उसब हमरमे बिस्बास करे आ ओकरसबके पाप छमा भ्याजाय आ परमेस्वरके पबितर करल लोकसब रहल ठाममे रहे पाबे।’
19“तहैलेल, हे रजा अगरिपास, हम स्वरगिय दरसनके आग्यापालन करलियै। 20पहिने दमस्कस आ यरुसलेममे तब सारा यहुदिया परदेसमे आ गैर-यहुदीसबके सेहो हम ज्याके परचार करलियै कि आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताप कैरके परमेस्वरमे बिस्बास करु आ आपन कामसबसे हिरदय परिबरतन भेल परमान देखाबैले सिखेलियै। 21तहिलेल यहुदीसब हमरा मन्दिरमे पकैरके मारैले कोसिस करल्कै। 22महज आइके दिनतक हम परमेस्वरसे सहायता पाइबिये रहलचियै। अहै खातिर हम अते ठार भ्याके छोटका-बरका सबके गबाही दैचियै। अगमबक्तासब आ मोसाके कहल बचन अबस्य पुरा हेतै से बातसबके अलाबा हम कोनो बात बेसिसे नै कहनेचियै। 23खिरिस्टके दुख भोगैये परतै आ उ मरलहासबमेसे जिबित भ्याके उठैबला पहिन्का भ्याके उ यहुदी आ गैर-यहुदीके इजोतके सन्देस सुनेतै।”
24पावल यि बातसब आपन बचाउके लेल कहैत खिना फेस्तस जोरसे कहल्कै, “ऐ, पावल तुहे पागल भ्यागेल चिही! तोहर बहुत ग्यान तोरा पागल बन्यादेनेछौ।” 25पावल कहल्कै, “हे परतापी फेस्तस, हम पागल नै चियै, महज हम जे कहैचियै उ एकदम सत आ जाइज छै। 26खुद रजा अगरिपासके यि बातसब मालुम छै तै लेल हम ओकर सामने निडर भ्याके बोइलरहल चियै। हम बिस्बास दियाबैचियौ कि कोनो भि बात ओकरसे घोसरल नै छै। कथिलेत यि सब बातसब गुप-चुपमे नै भेल छै। 27रजा अगरिपास, कि अहाँ अगमबक्तासबमे बिस्बास करैचियै? हम जानैचियै कि अहाँ पक्का बिस्बास करैचियै।” 28अगरिपास पावलके कहल्कै, “कि अहाँ हमरा थोरबेहेक समयमे खिरिस्टियन बनाबैले चाहैचियै?” 29पावल उतर देल्कै, “एके रतिमे या बहुत देरमे हेबे, हम परमेस्वरसे परथना करैचियै कि हथकरी छोइरके, अहाँ मातरे नै बल्की उ सबगोरे जे आइ हमर बात सुनैछै, से सबगोरे हमरे जखा हेबे।”
30अतहेक कहैत मातर रजा अगरिपास, बडा हाकिम फेस्तस, बरनिकी आ ओकरसङे बैठलहा सबगोरे ठार भेलै। 31तब उसब निक्लै बखत एक-दोसरसे एहेन कहैत निकल्लै, “यि लोक त जहलमे ढोकाइबला या मिरतुदन्डके सजाय पाबैबला एहेन कोनो काम नै करनेछै।” 32अगरिपास फेस्तसके कहल्कै, “यदि यि कैसरसे बिन्ती नै करने रहतियै त अकरा छोइर देतियै।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
परेरित 26: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: