परेरित 25
25
फेस्तसके अगामे पावल
1फेस्तस आपन परान्तमे एलाके तिन दिन बाद कैसरियासे यरुसलेम गेलै। 2ओते मुल पुजारीसब आ यहुदी अगुवासब पावलके बिरोधमे दोस लगाइल्कै, 3आ पावलके यरुसलेम पठादिय कैहके बिन्ती करल्कै, कथिलेत उसब पावलके रस्तेमे मारैके योजना बनाइने रहै। 4महज फेस्तस कहल्कै, “पावल कैसरियाके जहलमे बन्द छै आ हम ओते जल्दिए ज्यारहलछियै। 5यदि अहाँसबके अगुवासब हमरसङे जाइले चाहैछै त पठादियौ आ यि लोक कोनो खराबी करनेछै त ओतै दोस लगाइबै।”
6फेस्तस आठ-दस दिनतक उसबसङे यरुसलेममे रैहके कैसरिया घुइमके एलै। तब बिहानके नियाय आसनमे बैठके पावलके बोलाइले आदेस करल्कै। 7जब पावल ओते एलै तब यरुसलेमसे एल्हा यहुदीसब ओकर अगल-बगल खरा भ्याके गम्भिर किसिमके दोस लगाबे लाग्लै महज उसब कोनो दोसके परमान दैले नै सकल्कै। 8तब पावल आपन पक्छमे बोले लाग्लै, “हम नै त यहुदी नियमके बिरोधमे, नै मन्दिरके बिरोधमे आ नै कैसरके बिरोधमे कोनो अपराध करनेचियै।”
9महज फेस्तस यहुदीसबके खुसी करैके लेल पावलके पुछल्कै, “कि तु यरुसलेम ज्याके ओतै हमर अगा यि बातके बारेमे हम तोहर फैसला कैरदेबौ से चाहैचिही?” 10महज पावल कहल्कै, “हम कैसरके नियाय आसनके अगा खरा चियै। हमर नियाय अतै होना चाही। अहाँके निकसे थाहछै कि हम यहुदीसबके बिरोधमे कोनो खराबी नै करनेचियै। 11अगर हम कोनो अपराध करनेचियै त हम मरैले तयार चियै। महज उसब जे आरोप हमरा लगारहलछै तैके कोनो परमान नै छै त हमरा कोइ नै उसबके हाथमे सोपैले सक्तै। हम बडा हाकिम कैसरसे बिन्ती करैचियै।”
12तब फेस्तस आपन सलाहकारसबसे छलफल कैरके जबाफ देल्कै, “तु बडा हाकिम लग जाइले बिन्ती करलिही, तैखातिर हम तोरा ओकरलग पठाइचियौ।”
राजपाल फेस्तस आ रजा अगरिपास
13कुछ दिनके बाद रजा अगरिपास आ ओकर बहिन बरनिकी फेस्तसके स्वागत करैले कैसरिया एलै।
14उसब कुछदिन कैसरियामे रहलै आ फेस्तस उसबके पावलके बारेमे कहल्कै, “अते एकटा लोक छै, जकरा फेलिक्स जहलमे बन्द कैरके छोइरदेनेछै। 15जब हम यरुसलेम गेलछेलियै तब मुल पुजारीसब आ औरो यहुदी अगुवासब ओकर बिरोधमे दोस लगाइने रहै आ ओकरा दन्ड देबेपरतै कैहके बिन्ती करने छेलै। 16महज हम जबाफ देलियै, रोमीसबके एहेन चलन नै छै, कोनो भि लोकके दन्ड देबेसे पहिने जबतक दोस लगाइबलाके अगा खरा भ्याके आपन बचाउके लेल जबाफ दैके मौका नै मिलैछै। 17जब उसब अते हमरासङे एलै तब हम देर नै कैरके बिहान पावलके नियायके अदालतमे हाजिर हैले आग्या देलियै। 18तब बिरोधिसब ओकरा दोस लगाबे लाग्लै, महज उसब एहेन कोनो आरोप लगाबे नै सकल्कै जे सोच्ने छेलियै। 19महज ओकरासे ओइसबके आपन धरमके बारेमे बिबाद छेलै आ मरल येसुके बारेमे छेलै, जकरा पावल जिबिते छै कैहके जोर देनेरहै। 20यि बातके हम कनङके खोज-तलास करबै से दोधारमे परलियै। तैल्याके हम ओकरा पुछलियै, ‘कि तु यरुसलेम ज्याके ओतै हम तोहर फैसला कैरदेबौ से चाहैचिही?’ 21महज पावल कैसरसे फैसला करल जाय कैहके बिन्ती करलाके कारन ओकरा कैसर लग नै पहुचाबै तक पहरामे राखैले आदेस देलियै।”
22तब यि बात सुइनके अगरिपास फेस्तसके कहल्कै, “हमरा आपनेसे ओकर बात सुनैले मन लाग्लै।” तब उ कहल्कै, “अहाँ बिहाने ओकर बात सुइनलेबै।”
पाबल अगरिपासके अगामे
23तकर दोसर दिन अगरिपास आ बरनिकी बरका धुमधामके साथ सेनापतीसब आ सहरके परमुख लोकसबसङे सभामे एलै। तब फेस्तस पावलके हाजिर करैले आदेस देल्कै। 24फेस्तस कहल्कै, “रजा अगरिपास आ उपस्थित भेल भलादमी लोकसब, अहाँसब यि लोकके देखैचियै कि, अकर बारेमे यरुसलेममे आ अतौ सब यहुदी जातीसब ‘आबसे यि लोक जिबित रहैके योग्यके नै चियै’ कैहके जोरसे हल्ला करैत माङ करने छेलै। 25महज हम यि लोक मिरतुदन्ड पाबैके कोनो दोस नै भेटलियै। तब उ आपने रोमी समराट कैसर लग जाइले बिन्ती करलाके कारन हम ओकरा कैसर लग पठाबैके निरनय करलियै। 26अकर बारेमे हमरा कैसरके लिखैले कुछो खास बात थाह नै छै। तैखातिर हम ओकरा अहाँसबके अगा आ खास कैरके रजा अगरिपासके अगामे आनैले चाहलियै कि हमसब ओकर छनबिन करबै आ हमरा कुछ लिखैके लेल भेटत। 27कथिलेत कोनो दोसे बिना ओकरा पठाइले हमरा निक नै लाग्तै।”
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
परेरित 25: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.