परेरित 1

1
पबितर आत्‍माके परतिग्‍या
1पिरिय थियोफिलस, हमर पहिल्‍का किताबमे सुरुवेसे येसुके करल आ सिख्‍याल सब चिजके बारेमे लिखने चियै। 2येसु स्‍वरग जाइसे पहिने आपनेसे छानल परेरितसबके पबितर आत्‍माके सक्‍तिसे आग्‍या देल्‍कै। 3चालिस दिनतक कुरूसके मिरतुसे जिबित भ्‍याल परमान दैले बहुतो बेर ओइसबके अगा देखा परलै। उसब ओकरा देखल्‍कै आ ओकरासबके परमेस्‍वरके राजके बारेमे बतेल्‍कै।
4एकबेर जब उ ओइसबके सङे खाइले बैठलै, ओइसबके एहेन कैहके आग्‍या देल्‍कै, “तुसब यरुसलेम छोइरके कतौ नै जो, महज स्‍वरगके पिता पबितर आत्‍मा पठाइबौ कैहके करल परतिग्‍याके खातिर असियाल रह। यि त पहिने हमरसे तुसब सुइनलेने चिही। 5युहन्‍ना त पानीसे बप्‍तिस्‍मा देल्‍कै, महज आबके कुछ दिनमे तुसब पबितर आत्‍मासे बप्‍तिस्‍मा हेब्‍ही।”
येसु स्‍वरगमे उठ्‍यालगेलै
6जब परेरितसब येसुसङे एक ठाममे जम्‍मा भेलै तब उसब ओकरा पुछल्‍कै, “हे परभु, कि अहाँ इजराएल राजके पुनह-अस्‍थापना कैरदेबै?” 7येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “परमेस्‍वर आपन अधिकारसे तोकल तिथी आ मिती तोरासबके जानैके जरुरी नै छौ। 8महज पबितर आत्‍मा तोरासबके उपर एतौ तब तुसब सक्‍ती पाबबिही आ यरुसलेममे, सरा यहुदिया इलाकामे, सामरिया इलाकामे आ पिरथिबीके अन्‍ततक हमर साक्‍छी हेब्‍ही।”
9येसु यि बात कहलाके बाद, ओइसबके देखते देखते उ स्‍वरगमे उठ्‍यालगेलै आ बादलमे ओकरासबके नजरसे बिल्‍या गेलै।
10जब उसब एकटक लग्‍याके ओकरा अकास दिसन जाइत देखैतरहै, तब अचानक उजर बस्‍तर लगेल्‍हा दुइटा लोक ओइसबके लग ठार भेलै। 11उसब कहल्‍कै, “ए गालिलके लोक, तुसब कथिले अकास दिसन ताकैत ठार भेलचिही? येसु त स्‍वरगमे गेलौ, जैहनङ अखुन स्‍वरगमे जाइत देखलिही, ओहिनङ ओकरा फेनो आबैत देखबिही।”
यहुदाके ठाममे मतियास
12तब उसब जैतुन नामके पहारसे यरुसलेम घुइमके एलै। यरुसलेमसे यि पहार लगभग एक किलोमिटर जतेक दुर परैछै। 13सहर भितर ढुक्‍लाके बाद उसब उपरका महलाके कोठलीमे गेलै, जते उसब रहैछेलै। उसब पतरुस, युहन्‍ना, याकुब, अन्‍दरियास, फिलिप आ थोमा, बारथोलोमाइ आ मती, अल्‍फयासके बेटा याकुब आ देसभक्‍त दलके सिमोन आ याकुबके बेटा यहुदा छेलै। 14ओइमेसे कतहेक छौरी-मौगी आ येसुके माँ मरियम आ ओकर भाइसबसङे उसब एके मनके भ्‍याके लगातार परथना करैतरहै।
15ओइ दिनमे करिब एकसय बिस गोरा बिस्‍बासीसब एक ठाम जम्‍मा भेल छेलै तब पतरुस उसबके बिचमे ठार भ्‍याके कहल्‍कै, 16“हौ, भैयारीसब, धरमसास्‍तरके बचन पुरा हैकेचाही, जे बचन येसुके पकराबैके लेल लोकसबके अगुवाइ करैबला यहुदाके बिसयमे दाउदके मुहसे पैहनैये पबितर आत्‍मासे बाजल छेलै। 17उ हमरेसबसङे गनल गेलरहै आ अहै सेबाके लेल उ चुनलगेल छेलै।”
18उ लोक अधरमके कमाइसे एकटा खेत किनल्‍कै। उ ओहै खेतमे मुहचुरिये खैसके मैरगेलै आ ओकर पेट फुइटके सब भोटी आंटी बाहर निकैल गेलै। 19यि बात यरुसलेमके सब लोकसबके थाह भेलै।
ओइ खेतके नाम उसब आपन भसामे आखेल्‍दामा राखल्‍कै, अरथात लहुके खेत।
पतरुस कहल्‍कै,
20“कथिलेत भजनके किताबमे एहेन लिखल छै,
‘ओकर घर उजार हेबे,
ओइमे कोइ नै बास करे
आ ओकर काम करैके जिम्‍मा दोसरे कोइ लेबे।’#भजनसङगरह ६९:२५, १०९:८
21“अहै खातिर अपनासबमेसे एक गोरे एहन लोकके चुननाइ जरुरी छै जे परभुसङे रहैबला अपनोसबसङे रहै। 22अरथात एहेन लोक जे युहन्‍नाके बप्‍तिस्‍मासे ल्‍याके येसु स्‍वरग उठ्‍याल गेल दिनतक अपनासबसङे छेलै। उ लोक हमरासब सङे-सङे ओकर जि उठैके साक्‍छी हेबेपरतै।”
23उसब दुइगोराके नाम परस्‍ताब करल्‍कै, एकटा योसेफ छेलै, जकरा बरसाबास सेहो कहैछेलै। ओकर खानदानी नाम युस्‍तस छेलै आ दोसर मतियास छेलै। 24तखुन उसब अनङ परथना करल्‍कै, “सबलोकके हिरदयके बात जानैबला परभु, यि दुइगोरामेसे अहाँ ककरा चुन्‍ने चियै से हमरासबके देखाबु, 25आ उ यि सेबाके काम आ परेरितके सेबाके काम कैर सके, जे सेबाके कामसे यहुदा भटैकके आपने ठाममे मरलै।” 26तब उसब ओइ दुइ गोरेके बिचमे चिठा खोलल्‍कै आ उ चिठा मतियासके नाममे परलै, तब उ एगारहो परेरितसबमे थपलगेलै।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

परेरित 1: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល