२ कोरन्थी 12
12
पावलके दरसन
1हमरा किछो फैदा नै हेतै तैयो गर्भ करैये परतै। आब हम परभुसे पाबलहा दरसनसब आ परभुसे परकट करल बातसब कहैचियौ। 2हम खिरिस्टमे बिस्बास करल एक गोरे लोकके चिन्हैचियै, जे चौद बरिससे पहिने तेसर स्वरगमे उठ्यालगेलै। उ देहमे या बिना देहमे उठ्यालगेलै, से हम नै जानैचियै, उ परमेस्वर मातरे जानैछै। 3हम ओइ लोकके चिन्हैचियै, उ लोक स्वरगमे उठ्यालगेलै, उ देहमे या बिना देहमे गेलै से हम नै जानैचियै, उ परमेस्वर मातरे जानैछै। 4उ बखानो करे नै सकैबला बातसब सुनल्कै, जे ककरो कहैले अनुमति नै देल्कै। 5हम ओइ लोकके बारेमे घमन्ड करबै महज हम आपन कमजोरी बाहेक औरो कोनो बातमे घमन्ड नै करबै। 6यदि हम घमन्ड करबो करबै त हम मुरुख नै हेबै, कथिलेत हम सत बात बाजैचियै। महज लोकसब हमर जिबनमे देखल आ सुनलसे बेसी हमरा नै सम्झे कैहके चाहैचियै।
7हमरमे महान रहस परकट करनेछै तैल्याके हम घमन्डसे नै फुली कैहके हमर देहमे एकटा काँट राइखदेने छै, उ सैतानके दुत जखा हमरा दुख दैछै। 8हमर देहसे यि हट्या दिय कहैके हम तिन बेर परभुसे परथना करलियै। 9महज परभु हमरा कहल्कै, “हमर अनुगरह तोहर लेल परसस्त छौ, कथिलेत हमर सक्ती कमजोरीमे पुरा हैछै।” तैखातिर खिरिस्टके सक्ती हमरमे रहे कैहके कमजोरीमे हम औरो खुसिसे घमन्ड करैचियै। 10ओहैसे खिरिस्टके खातिर कमजोरीमे, बदनामीमे, कठिनाइमे, सताबटमे, आपत-बिपतमे हम सन्तुस्ट चियै। कथिलेकी जब हम कमजोर हैचियै, तब हम सक्तिसाली हैचियै।
कोरन्थीसबके लेल पावलके चिन्ता
11हम त मुरुख जखा भेलियै, महज तुहिसब हमरा एहेन करैले कर लगेल्ही। बास्तममे तोरेसबके हमर पक्छमे निक बात बोलैले परतियौ, कथिलेत हम किछो नै छेलियै तैयो महान परेरितसबसे त हम कम नै चियै। 12हम पुरा धिरजकेसाथ सक्तिसाली आ अचमके कामसब कैरके तोरासबके बिचमे खिरिस्टके परेरित भेल परमान देनेचियौ। 13औरो मन्डलीके तुलनामे हम तोरासबके कोन बातमे नै निक बेबहार करलियौ? हँ, हम तोरासबके लेल बोझ नै भेलियौ। एह्या हमर गल्ती चियै, अइमे हमरा छमा कैरदे।
14आब हम तेसर बेर तोरासबलग आबैले तयार भेल चियौ आ हम तोरासबके लेल बोझ नै हेबौ। हम तोरासबसे पैसा-कौरी नै, महज तोरासबके चाहैचियौ। कथिलेत बाप-महताइरके लेल बेटाबेटी नै महज बाप-महताइरके बेटा-बेटिके लेल धन-सम्पती जोग्याके राइखदैले परैछै। 15तोरासबके भलाइके लेल हमरसङे भेल सब चिज खुसिसे देबौ आ अपना स्वयमके देबौ। यदि हम तोरासबके बेसी परेम करैचियौ त कथिले हमरा कमतियै परेम करैचिही? 16हम तोरासबके भार नै भेलियौ, यि बात त तोरासबके थाहेछौ। हम चलाकी कैरके तोरासबके फसेलियौ कैहके कोइ-कोइ कहैछौ। 17कि हम तोरासबलग लोकसबके पठ्याके तोरासबसे फैदा उठेलियौ से? 18हम तितसके तोरासबलग जाइले बिन्ती करलियै आ दोसरो भाइके ओकरसङे पठेलियै। कि तितस तोरासबसे किछो फाइदा उठेल्कौ? कि हमसब एके आत्मासे नै चललियै आ कि हमसब एके रस्तामे नै चललियै?
19भ्यासकैछै, हमसब यि सब आपन बचाबके लेल करैचियै कैहके आपन मनमे बिचार करैचिही। महज एहेन नै छै! पिरियसब, हमसब परमेस्वरके अगा खिरिस्टमे बोलैचियै। यि सबकाम तोरासबके बलगर बनाइके लेल करैचियौ। 20कथिलेत हम तोरासबलग भेट करैले एबौ त हमर आस करल जखा नै हेबौ आ तोरासबके आस करल जखा हम नै हेबौ कि से हमरा डर लागल छै। तोरासबके बिचमे झगरा करैबला, डाह करैबला, रिस करैबला, आपने भलाइ चाहैबला, बदनाम करैबला, घमन्ड आ गोलमाल करैबलासब भेटतै कि कैहके हमरा डर लागल छै। 21तोरासबके भेटैले फेर एबौ त परमेस्वर हमरा तोरासबके अगा निच बनाइतै कैहके हमरा डर लागैछै। जेसब पहिने पाप करने छेलै आ तोरासब आपनेसे करल असुध काम, बेबिचार, घिनलागैबला छाडा कामसे पस्चाताप नै करनेचिही त हमरा निच बनैले परतै।
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
२ कोरन्थी 12: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.

: