२ कोरन्‍थी 11

11
पावल आ झुठा परेरितसब
1हमरा आसा छै कि, तुसब हमर कन्‍हिक मुरखता सहैचिही, बास्‍तममे तुसब सहैत एलचिही। 2परमेस्‍वर तोरासबके करल वास्‍ता जखा हम्‍हु तोरासबके वास्‍ता करैचियौ, कथिलेकी हम त एक मातरे बर खिरिस्‍टसङे तोरासबके बियाह कैरदैके परतिग्‍या करनेचियौ। ओहैसे तोरासबके ओकर पबितर कुमाइर कनियाके रुपमे कनियादान करैके बिचार करनेचियौ। 3जनङ सैतान साँपके रुप ल्‍याके चलाकिसे हब्‍बाके ठगल्‍कै, ओहिनङ खिरिस्‍ट परती तोरासबके इमान्‍दारी आ सुध भक्‍तिसे तोरासबके मन बहकतौ कि हमरा तकर डर लागैये।#उतपती ३:१-५, १३ 4यदि कोनो लोक आइबके हमरासबके करल येसुके परचार बाहेक दोसर येसुके परचार करतै त, तोरासबके भेटल आत्‍मासे दोसरे आत्‍मा तुसब गरहन करबिही त, या तोरासबके भेटल सुसमाचारसे कोनो दोसर सुसमाचार गरहन करबिही त, तुसब यि सबके अगा सहजे झुकैचिही। 5आपनके “महान परेरितसब” सम्‍झैबला ककरोसे हम कम नै सोचैचियै। 6हम बोलैमे फरहर लोक नहियो चियै त ग्‍यानमे कमके नै चियै। यि बात हमसब तोरासबके हर परकारसे साफ-साफ देख्‍यादेनेचियौ।
7तोरासबके बरका बनाबैके लेल हम आपनके छोट बैनके परमेस्‍वरके सुसमाचार फोकटमे सुनाइलियौ त कि हम पाप करलियै? 8हम तोरासबके सेबा करैबेर औरो मन्‍डलीसे मदत पाबलियै। एहेन मदत लेलियै त उ मन्‍डलीसबके लुटल जखा भेलै। 9तोरासबसङे रहैतकाल जब हमरा घटि-कमी भेलै, तब हम ककरो बोझ नै बनलियै, कथिलेकी माकेडोनिया परदेससे एल भाइसब हमर घटि-कमी पुरा करल्‍कै। हम तोरासबके बोझ पहिनो नै रहलियौ आ पाछुवो नै हेबौ।#फिलिप्‍पी ४:१५-१८ 10खिरिस्‍टके सत बात हमरमे रहैतक अखैया परदेसके कोइ नै हमर यि घमन्‍ड करैबला बातसबसे रोकैले सक्‍तै। 11हम कथिले अनङ कहैचियौ त? कि हम तोरासबके परेम नै करैचियौ? परमेस्‍वर जानैछै कि हम तोरासबके परेम करैचियौ।
12हम जे काम कैररहल चियै से काम कैरते रहबै, ताकि ओइसबके करल काम हमरे बराबर चियै कैहके उसब घमन्‍ड करैके मौका नै पाबे। 13कथिलेकी एहेन लोकसब झुठा परेरितसब आ छली काम करैबलासब चियै। उसब खिरिस्‍टके परेरितसबके भेस धैरके चलैबलासब मातरे चियै। 14यि कोनो अचमके बात नै चियै, कथिलेकी सैतानो चम्‍कैबला स्‍वरगदुतके जखा भेस धारन करैछै। 15ओहैसे सैतानोके सेबकसब परमेस्‍वरके अगा धरमी सेबक जखा देखा परनाइ कोनो अचमके बात नै चियै। आखिरमे उसब आपनेसे करल कामके सजाय पाबतै।
पावलके दुख-कस्‍ट
16हम फेनसे कहैचियौ, हमरा कोइ नै मुरुख सम्‍झे। महज तुसब ओहेन सम्‍झैचिही तैयो हमर बात सुन, ताकि हम्‍हु कुछ घमन्‍ड करेसकी। 17हम घमन्‍डसे जे बात बोइलरहलचियौ से बात हम परभुके अधिकारसे नै, महज मुरुख जखा बोइलरहलचियौ। 18बहुतो लोक सनसारके बातसबमे घमन्‍ड करलाके कारनसे हम्‍हु घमन्‍ड करैचियै। 19तुसब आपनके अतहेक बुधिमान ठानैचिही कि खुसिसे मुरखसबके बेबहारके सहैचिही। 20कथिलेकी कोइ तोरासबके दास बनाइछौ, तोरासबके सोसन करैछौ, तोरासबसे फाइदा उठाइछौ, तोरासबके अगा धाख लगाइछौ आ तोरासबके गालमे थपराइछौ तैयो तुसब सब सहैचिही। 21हमरा ओइसबके जखा बेबहार करैले लाज हैये से बात हमर कमजोरी चियै कैहके सुइकारै चियै। महज कोनो लोक कुछ बातमे घमन्‍ड करैछै त, हम्‍हु ओइ बातमे घमन्‍ड करैचियै। हँ हम मुरुख जखा बोइलरहल चियै।
22कि उसब हिबरु चियै? हँ हम्‍हु चियै। कि उसब इजराएली चियै? हँ हम्‍हु चियै। कि उसब अबराहमके खानदानके चियै? हँ हम्‍हु चियै। 23कि उसब खिरिस्‍टके सेबक चियै? हम बताह लोक जखा बोलैचियै, महज हम ओकरासबसे औरो असल सेबक चियै। ओकरासबसे त हम औरो बहौत मेहनत करनेचियै। कतहेक बेर त हम जहलमे परलियै, बहुत बेर कोर्‌रासे पिटाइ खेलियै आ बहुतो बेर कालके मुहसे बचल चियै।#परेरित १६:२३ 24हम यहुदीसबके हाथसे पाँच बेर उनचालिस उनचालिस कोर्‌रा पिटाइ खेलियै।#बेबस्‍था २५:३ 25हम तिन बेर लाठीसे माइर खेलियै। हम एकबेर पथलसे माइर खेलियै। हम पानी जहाजके यातरा करैबेर तिनचोटी जहाज डुइबगेलै। एक दिन आ एक रात हम समुन्‍दरमे बिताइलियै।#परेरित १६:२२, १४:१९
26हम बेर-बेर यातरा करैबखत लदिसबके, समुन्‍दरके, सहरके, उजार जगहके आ डाकुसबसे, आपने जाइतके लोकसबसे, गैर-यहुदीके लोकसबसे, झुठा सिक्‍छकसबसे आबैबला खतरामे परलियै।#परेरित ९:२३, १४:१५ 27हम कतहेक रात नै सुइतके खुब मेहनत करलियै। हम बहौत बेर खाना बिना भुखे पियासे रहलियै आ बस्‍तर नै भेलासे जारसे कठुवाइलियै। 28ओतबे नै, सब मन्‍डलीसबके चिन्‍ता फिकरीके बोझ हमरमे छै। 29कोइ कमजोर छै त हम्‍हु कमजोर भेल महसुस करैचियै। जब कोइ पापमे फस्‍याल जाइछै त हमरा एकदमसे रिस उठैछै। 30यदि हमरा गर्‌भ करेपरतै त, हम आपने कमजोरी देखाइबला बातसबमे गर्‌भ करबै। 31परभु येसुके परमेस्‍वर आ पिता, जे सबदिन धैनके चियै, उ जानैछै कि हम झुठ नै बाजैचियै। 32जब हम दमस्‍कस सहरमे छेलियै तब अरितस रजाके बडा हाकिम हमरा पकरैके लेल सहरके देहरीमे सिपाहीसबके पहरा लगाइल्‍कै। 33महज हमरा ढकियामे राइखके दबालके खिरकीसे निचा झाइर देल्‍कै आ हम ओकर हाथसे उमैक गेलियै।#परेरित ९:२३-२५

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

२ कोरन्‍थी 11: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល