१ कोरन्थी 4
4
खिरिस्टके सेबकसब
1तुसब हमरासबके खिरिस्टके सेबकसब आ परमेस्वरके रहसके बात परकट करैबला सम्झैले परतौ। 2सेबकसब मालिकके बिस्बासयोग्य हैलेपरतै। 3महज हमर बिस्बायोग्यताके बारेमे तुसब या अदालतसे नियाय करबिही तैयो उ हमर लेल बरका बात नै चियै। बास्तममे हम्हु आपन नियाय आपनेसे नै करैचियै। 4हमर आपने गल्ती हमरा थाह नै छै, महज यि हमरा निरदोस चियै कैहके साबित नै करैछै। हमर नियाय परभुवे करतै। 5तैखातिर परभु नै आबैतक ककरो दोस#मती ७:१ नै लगा। आब अन्हारमे घोसरल बातसब उ इजोतमे लाबतै आ लोकके मन भितरके बिचारसब परकट करतै। तब सबलोक परमेस्वरसे आपन परसन्सा पाबतै।
6हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबके भलाइके लेल हम आपने आ अपोल्लोसके उदाहरन द्याके यि सब बातसब लिख्नेचियौ, ताकि तुसब पबितर धरमसास्तर अनुसार जियैले सिख आ तुसब एक गोरेके पक्छ ल्याके दोसरके बिरोध कैरके घमन्डी नै हो। 7के तोरासबके औरोसे बरका बनेल्कौ? कि तोरासबसङे जे छौ, उ परमेस्वर नै देल्कौ? यदि तुसब उ पाबनेचिही त, कथिले घमन्ड करैचिही?
8तुसब सोचैचिही कि पहिने सबकुछ पाइबलेने चियै, पहिने धनिक भेलचियै। बिना हमरासबसे तुसब रजा बैनगेल चिही। साँचोके तुसब राज करतिही त, हम्हुसब तोरासबसङे राज करतियौ! 9कथिलेत हमरा एहेन लागैए कि परमेस्वर हम परेरितसबके मिरतुदन्ड पाबैबला कैदीसब जखा बिजय जुलुसके सबसे पछा राखनेछै। हमसब सनसार, स्वरगदुतसब आ लोकसबके अगा तमसा बैनगेल चियै। 10हमसब खिरिस्टके सेबक भेलासे लोकसबके नजरमे मुरुख भेलचियै, महज तुसब त खिरिस्टके लेल बुधिमान चिही। हमसब कमजोर चियै, महज तुसब बौकार चिही। लोकसब त तोरासबके आदर करैछौ महज हमरासबके अनादर करैछै। 11हमसब अखुन्तो भुखल आ पियासल चियै, फाटल-चिटल बस्तर पिन्हैचियै आ मार-पिट खाइचियै आ हमरासबके रहैबला घरो-दुवार नै छै। 12हमसब आपन हाथसे काम कैरके मेहनत करैचियै। जे हमरासबके सराप दैछै ओकरासबके हमसब आसिरबाद दैचियै आ सताबट आबैछै त हमसब सहैचियै।#परेरित १८:३ 13जब लोकसब हमरासबके अपमान करैछै तब नमर्से ओकरासबके जबाफ दैचियै। अखुनतक हमसब सनसारके मैल आ कुरकुट बनल चियै।
14हम तोरासबके लाजमे पारैके लेल नै, महज हमर पिरिय बालकसब जखा चेताबनी दैले यि बात लिखैचियौ। 15तोरासबके खिरिस्ट येसुके बारेमे सिखाइबला दसो हजार गुरुसब भेलोपर पिता त बहुत नै छौ। महज सुसमाचार परचार कैरके खिरिस्ट येसुमे हम तोरासबके पिता भेल चियौ। 16तैखातिर हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, तुसब हमर देखासेखी कर।#१ कोरन्थी ११:१, फिलिप्पी ३:१७ 17अहैसे हम तोरासबलग तिमोथीके पठाबैचियै। उ परभुमे हमर पिरिय आ बिस्बासयोग्य बेटा चियै। हम सबठाम आ मन्डलीमे सिख्याल अनुसार खिरिस्ट येसुमे हमर जिबन केहन छेलै, से बात उ तोरासबके बतेतौ।
18हमरा तोरासबलग फेनसे आबैले हिम्मत नै छै कैहके तोरासबमेसे कोइ-कोइ घमन्डी भेलचिही। 19महज परभुके इक्छा हेतै त, हम तोरासबलग जल्दिए एबौ। उ घमन्डी लोकसबके बात मातरे नै महज उसबके सक्ती केहन छै से पता लगाइबै। 20कथिलेत परमेस्वरके राज बातमे नै, महज सक्तिमे छै। 21तुसब कथी चाहैचिही? हम तोरासबलग अनुसासनके लाठी ल्याके एबौ कि परेम आ नमर आत्माके साथ एबौ?
ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖
१ कोरन्थी 4: MTHB
គំនូសចំណាំ
ចែករំលែក
ចម្លង
ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល
© 2025 by Mother Tongue Translators Society and Wycliffe Bible Translators, Inc.