१ कोरन्‍थी 12

12
पबितर आत्‍माके बरदानसब
1हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब आब हम पबितर आत्‍माके बरदानके बारेमे तोरासबके बताइले चाहैचियौ। तुसब अकर बारेमे अनजान नै रह कैहके हमर इक्‍छाछै। 2तोरासबके थाहेछौ कि, जब तुसब परभुमे बिस्‍बास नै करनेछेल्‍ही, तब कोनो न कोनो परकारसे भटैकके बोले नै सकैबला मुरतिसबके पुजा करैछेल्‍ही। 3तैखातिर हम तोरासबके यि बात बुझ कैहके चाहैचियौ, कि परमेस्‍वरके आत्‍माके अगुवाइमे चलैबला कोइ नै “येसु सरापित हेबे” कहतै आ पबितर आत्‍माके अगुवाइसे मातरे कोनो लोक “येसुवे परभु चियै” कैहके आपन मुहसे सुइकार करैले सक्‍तै।
4पबितर आत्‍माके बरदानसब बहौत किसिमके छै, महज बरदान दैबला पबितर आत्‍मा एके चियै।#रोमी १२:६-८ 5सेबा बहौत किसिमके छै, महज अपनासब एकेटा परभु सेबा करैचियै। 6तहिनङे कामसब बहौत किसिमके छै, महज सबके जिबनमे काम करैबला सक्‍ती ओह्‍या परमेस्‍वर दैछै। 7सबकोइके भलाइ हेबे कैहके सबलोकके पबितर आत्‍माके बरदान देलगेल छै। 8ककरो पबितर आत्‍मासे बुधिके बात बोलैबला, ककरो ओह्‍या पबितर आत्‍मा ग्‍यानके बात बोलैबला बरदान दैछै। 9ओह्‍या पबितर आत्‍मा ककरो बिस्‍बास करैबला, ककरो रोग-बिमारसबके निक करैबला बरदानसब दैछै। 10ओह्‍या पबितर आत्‍मा ककरो अचमके काम करैबला, ककरो अगमबानी बोलैबला, ककरो आत्‍मासब छुटयाबैबला, ककरो बहौत किसिमके भसासब बोलैबला आ ककरो भसासबके अरथ खोलैबला बरदान दैछै। 11यि सब एके पबितर आत्‍माके काम चियै। उ आपन इक्‍छा अनुसार सबकोइके अलग-अलग किसिमके बरदान दैछै।
एकेटा देह, बहौत अङसब
12जहिनङे देह एकेटा छै आ ओइमे अङसब बहौत छै, महज अलग-अलग अङसब मिलके पुरे देह बनैछै। खिरिस्‍टके देह ओहिनङे छै।#रोमी १२:४-५ 13हमसब चाहे यहुदी हेबे, चाहे गिरिक, चाहे दास हेबे, चाहे स्‍वतन्‍तर, सबकोइ एके पबितर आत्‍मासे बप्‍तिस्‍मा पाबनेचियै आ एके देह भेलचियै। तब अपनासबके एके पबितर आत्‍मा देनेछै।
14कथिलेत अपनासबके देह एकेटा अङसे नै महज बहौत अङसब मिलके बनलछै। 15यदि टाङ, “हम हाथ नै चियौ, ओहैसे हम देहके अङ नै चियौ” कहैछै त, कि उ देहके अङ नै हेतै से? 16तहिनङे यदि कान “हम आँख नै चियौ, ओहैसे हम देहके अङ नै चियौ” कहैछै त, कि उ देहके अङ नै हेतै से? 17यदि पुरे देह आँख हेतै त कथिसे सुनबिही? यदि पुरे देह कान हेतै त कथिसे सुङबिही? 18महज परमेस्‍वर आपन इक्‍छा अनुसार देहके सब अङके मिल्‍याके राइखदेनेछै। 19यदि पुरे देह एकेटा अङसे बनल रहतियै त, उ कनङके देह हेतियै? 20ओनङ त अङसब बहौत छै, महज देह एकेटा छै।
21आँख हाथके, “हमरा तोहर कोनो जरुरी नै छै” कहैले नै सक्‍तै। तहिनङे मुर टाङके, “हमरा तोहर कोनो जरुरी नै छै” कहैले नै सक्‍तै। 22बरु देहके कमजोर मानैबला अङसब औरो बेसी आबसेक हैछै। 23हमसब जे अङसबके कम आदरके सोचैचियै, तकरा बेसी कैरके आदर दैचियै। हमसब जे अङसब देखाइले नै सकैचियै, तकरा निकसे झाइपके राखैचियै। 24महज देखाइले मिलैबला अङसबके बेसी वास्‍ता नै करेपरैछै। परमेस्‍वर त कम आदरके अङसबके निकसे हिफाजत करैले परैछै कैहके मिल्‍याके राखनेछै। 25ताकि देहमे बेमेल नै हेबे, महज देहके अङसब एक-दोसरके लेल समान वास्‍ता राखे। 26यदि एकटा अङके दुख हैछै त, देहके पुरे अङ दुख भोगैछै। यदि एकटा अङके आदर हैछै त, देहके पुरे अङसब एकसाथ खुसी मनाबैछै।
27हमर कहैके मतलब यि चियै कि, तुसब खिरिस्‍टके देह चिही आ हरेक बिस्‍बासी उ देहके अङसब चिही। 28परमेस्‍वर मन्‍डलीमे सबसे पहिने परेरितसब, दोसर अगमबक्‍तासब, तेसर गुरुसब, तब अचमके काम करैबलासब, बिमारसबके निक करैबलासब, दोसरके सहायता करैबलासब, परसासन चलाइबलासब आ आन भसा बोलैबलासबके नियुक्‍त करनेछै।#एफिसी ४:११ 29कि सब परेरितसब चियै? कि सब अगमबक्‍तासब चियै? कि सब गुरुसब चियै? आ कि सब अचमके काम करैबलासब चियै? 30कि सबकोइसङे निक करैबला बरदानसब हैछै? कि सबकोइ आन भसा बोलैछै? कि सबकोइ आन भसाके अरथ बताइले सकैछै? 31महज तुसब उतम बरदान पाबैके लेल उतकट इक्‍छा राख।
आब बरदान कनङके परयोग करबिही से उतम उपाय हम बत्‍यादेबौ।

ទើបបានជ្រើសរើសហើយ៖

१ कोरन्‍थी 12: MTHB

គំនូស​ចំណាំ

ចែក​រំលែក

ចម្លង

None

ចង់ឱ្យគំនូសពណ៌ដែលបានរក្សាទុករបស់អ្នក មាននៅលើគ្រប់ឧបករណ៍ទាំងអស់មែនទេ? ចុះឈ្មោះប្រើ ឬចុះឈ្មោះចូល