YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 9

9
शाउलके येशू दर्शन देल्कै
1इहे बीचमे शाउल जे एखनतक प्रभु येशूके चेलासिके धम्की आर ओकरसिके हत्या करैके फिराकमे लाग्ल रहै, प्रधान पुजारीके लगत गेलै। 2आर ऊ दमसकस सहरके यहूदी आदमीसिके सभाघरके नाममे आज्ञा-पत्रके माँग कैल्कै, ताकी ऊ दमसकस सहरमे जे प्रभु येशूके पथके अनुयायीसब छै, चाहे ऊ मरद हुए या जनानी सभैके जबरजस्ती बन्दी बन्याके यरूशलेम सहरमे आने सकै।
3जब शाउल आर ओकर साथीसब दमसकस सहर जैते रहै। जैते-जैते सहरके नज्दिक पहुँचलके बाद एका-एक आकाशसे बहुते तेज उजेत ओकर चारो तरफ चमक्लै। 4ऊ भुइयाँमे गिर्लै आर प्रभुके आवाज सुनल्कै, “हे शाउल, हे शाउल, तुहें कहिने हमरा सताबैछैं?”
5ऊ पुछल्कै, “हे प्रभु तुहें के छह?” तब ऊ कहैल्कै, “हमे येशू छियै, जकरा तुहें सताबैछैं। 6मगर तुहें उठिके सहरमे जो, आर कोय तोरा बतैतौ कि हमे तोरासे कि करवाबैले चाहैछियौ।” 7शाउलके संगे जे आदमीसब जैते रहै, ऊसब चकित भ्यागेलै, कहिनेकी ऊसब आवाज ते सुन्ते रहै मगर कक्रहौ नैदेख्ते रहै। 8तब शाउल भुइयाँसे उठ्लै मगर जब आँख खोल्लकै ते ओकरा कुछु दिखाई नैदेल्कै, इहे ल्याके ऊसब ओकर हात पक्डीके दमसकस सहरमे ल्यागेलै। 9आर ऊ तीन दिनतक अनराह भेलै, आर नैते खाना खैल्कै आर नैते पानी पिल्कै।
10दमसकस सहरमे हननिया नामके एकटा प्रभु येशूके चेला रहै, ओकरा प्रभु येशू दर्शनमे कहैल्कै, “हे हननिया” ऊ कहैल्कै, “कि कहैछ, प्रभु?” 11तब प्रभु कहैल्कै, “उठ् आर सोझ नामके गल्लीमे जो आर ओत्ते यहूदाके घरमे टार्सस सहरके निवासीके शाउलके खोजी कर। कहिनेकी ऊ ओत्ते प्रार्थना करैछै। 12ऊ दर्शनमे हननिया नामके एकटा आदमीके आपन उप्परमे ओकर हात राख्ते देखल्कै, ताकी ऊ फेरसे देखे सकै।”
13मगर हननिया जबाब देल्कै, “हे प्रभु, हमे यी आदमीके विषयमे बहुते आदमीसिसे सुन्लियै छे कि यी आदमी यरूशलेम सहरमे तोर पवित्र आदमीसिके बहुते सतैल्कै छे। 14आर एत्ते भी प्रमुख पुजारीसिसे यी आज्ञा-पत्र ल्याके ऐलै छे कि ओकरा सभैके, जेसब तोरापर विश्वास करैछै, ओकरासिके बन्दी बन्याके यरूशलेम सहरमे ल्याजै।” 15मगर प्रभु येशू ओकरा कहैल्कै “तुहें जो! हमे ओकरा हमर सेवा करैके लिए चुन्लियै छे, जे गैर-यहूदी आदमीसब, राजासब आर इस्राएलीसिके बीचमे हमर बारेमे प्रचार कर्तै। 16हमे ओकरा देखैबै कि आदमीसिके हमर बारेमे बताबैके कारण कतनें दुःख उठाबे पड्तै।”
17तब हननिया उटा घरमे गेलै जते शाउल रहै आर ओकर उप्परमे हात राखिके कहैल्कै, “हे भ्या शाउल, प्रभु येशू जे तोरा रस्तामे आबै बखत दर्शन देल्कहौं रहे, उहे हमरा तोरलगत भेजल्कै छे, ताकी तुहें फेरसे देखे सकह आर पवित्र आत्मासे परिपूर्ण हुए सकह।” 18तखनिहैं शाउलके आँखीसे पपडी जुगुर कोनो चीज गिर्लै आर ऊ देखे लाग्लै आर उठिके बप्तिस्मा लेल्कै।
शाउल दमसकस सहरमे प्रचार कैल्कै
19तकरबाद ऊ कुछु खाना खैल्कै आर ओकर शरीरमे तागत ऐलै। शाउल कुछु दिनतक दमसकस सहरमे प्रभु येशूके चेलासिके संगे ही रहलै। 20तब ऊ तुरन्ते दमसकस सहरके यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे येशू ही परमेश्वरके बेटा छै कहिके प्रचार करे लाग्लै। 21आर सुनेवाला सभेकोय चकित भ्याके कहे लाग्लै, “कि यी आदमी उहे नैछै जे यरूशलेम सहरमे जेसब येशू ख्रीष्टके विश्वासी रहै ओकरासिके सतैते रहै, आर एत्ते भी एकरे खातिर ऐलै रहे, कि ओकरासिके पक्डीके प्रमुख पुजारीसिके लगत ल्याजै?” 22मगर शाउल आरहौ बेसी शक्तिशाली रुपसे प्रचार करैले शुरु कैल्कै, आर येशू ही ख्रीष्ट छै कहिके ऊ एरंको पक्का सबूत देल्कै कि दमसकस सहरमे रहेवाला यहूदी आदमीसब कोनो जबाब दिए नैसकल्कै।
23जब शाउलके दमसकस सहरमे रहेल बहुते समय बिती गेलै ते, यहूदी आदमीसब मिलिके शाउलके जान मारैके लिए षड्यन्त्र रचल्कै। 24मगर ओकरसिके षड्यन्त्रके बारेमे शाउलके मालुम भ्याजैछै। ऊसब ओकरा मारैले रात-दिन दमसकस सहरके फाटक लगत नुक्याके बैठै। 25एक रात चेलासब शाउलके पत्थलके उच्च दिवालमे ल्यागेलै जे दिवाल सहरके घेर्ते रहै। तब ऊसब दिवालके एकटा खुल्ल भागसे रस्सीके इस्तमाल करिके एकटा बडका ढाकीमे राखिके ओकरा निच्चा उतारि देल्कै। एरंके ऊ दमसकस सहरसे बचिके निक्ली गेलै।
यरूशलेम सहरमे शाउल
26शाउल यरूशलेम सहरमे गेलै आर ओत्ते चेलासिके संगे भेट करैके कोशिश कैल्कै। मगर ऊसब ओकरासे डरैते रहै कहिनेकी चेलासिके यी बातके विश्वासे नैहैते रहै कि शाउल सच्चेमे येशू ख्रीष्टके चेला बनी गेलै छे। 27मगर बरनाबास ओकरा आपन संगमे ल्याके चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके लगत ल्यागेलै। आर केरंके ऊ दमसकस सहर ज्यावाला रस्तामे प्रभु येशूके देखल्कै आर प्रभु येशू ओकरसंगे बात कैल्कै, आर फेर दमसकस सहरमे ऊ केरंके साहासके साथ प्रभु येशूके नामके प्रचार कैल्कै से बात ओकरासिके बत्या देल्कै।
28चुन्ल आर भेज्ल चेलासब बरनाबासके बातके विश्वास कैल्कै, आर सेल्याके शाउल यरूशलेम सहरमे चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके संगे निधडक रहे लाग्लै। आर यरूशलेम सहरमे सभे जगहमे साहासके साथ प्रभु येशूके नामके प्रचार करे लाग्लै। 29ऊ यूनानी भाषा बोलेवाला यहूदी आदमीसिके संगे भी वाद-विवाद कैल्कै। मगर ऊसब शाउलके जान मारैके कोशिश करे लाग्लै। 30यी बात मालुम भेलके बाद प्रभु येशूमे विश्वास करेवाला विश्वासी भ्यासब शाउलके कैसरिया सहरमे ल्यागेलै आर ओत्ते ऊसब शाउलके लिए जहाजसे टार्सस सहर जैके लिए बन्दोबस्त कैल्कै, जे ओकर आपन गाँव छै।
31एरंके सारा यहूदिया प्रदेश, गालील जिला आर सामरिया प्रदेश भरके मण्डलीमे शान्ति भेलै आर मण्डलीके उन्नति भेले गेलै, आर ऊसब प्रभुके भय आर पवित्र आत्माके द्वारा सहायता प्राप्त कैल्कै आर बहुते आदमीसब प्रभु येशूपर विश्वास कैल्कै आर मण्डलीमे वृद्धी भेलै।
एनियास ठीक भेलै
32फेर एरं भेलै कि पत्रुस ऊ सभे क्षेत्रमे हरेक जगहमे यात्रा कर्ते लुड्डा सहरमे रहेवाला विश्वासीसिके भेट करैले गेलै। 33ओत्ते ऊ एनियास नामके एकटा आदमीके भेट्लै जे आठ सालसे लखुवा रोगसे बिछनामे पड्ल रहै। 34पत्रुस ओकरा कहैल्कै, “हे एनियास येशू ख्रीष्ट तोरा ठीक करैछौं। उठ आर आपन बिछना उठाब।” तब ऊ तुरन्ते उठिके खडा भेलै। 35लुड्डा आर शारोनके सहरमे रहेवाला सभे झन ओकरा देखिके प्रभु येशूपर विश्वास कैल्कै।
तबीताके जिलैल गेलै
36योप्पा सहरमे तबीता नामके एकटा विश्वासी जनानी चेला रहै। यूनानी भाषामे ओकर नाम डोरकास छै, जकर मतलब छै “हरिण।” ऊ हरदम दोसराके भलाइ करै आर गरिब-गुरुवा आदमीसिके सहायता करै। 37ऊ समयमे जब पत्रुस लुड्डामे रहै, उहे समयमे तबीता बेमार पड्लै आर मरि गेलै। ओकर लासके लुहयाके उप्पर तल्लाके कोठामे राखल्कै।
38लुड्डा सहर योप्पा सहरके नज्दिक रहै। चेलासब यी बात सुनिके कि पत्रुस ओत्ते छै, दीटा आदमी भेजिके ओकरासे बिन्ती कैल्कै, “कृपा करिके जतनें जल्दी हुए, एत्ते आब।” 39तब पत्रुस उठिके ओकरसिके संगे गेलै। ओत्ते पुग्लके बाद ऊसब ओकरा उप्परके कोठामे ल्यागेलै। आर सभे मोसामातसब कान्ले आबिके ओकरलगत खडा भेलै आर जे कुर्ता आर कपडा डोरकास ओकरसिके संगे रहैके समयमे बनैल्कै रहे से देखाबे लाग्लै।
40मगर पत्रुस ओकरासिके सभैके बाहार निकालीके घुटुवा पारिके प्रार्थना कैल्कै आर ऊ लास महर देखिके कहैल्कै, “हे तबीता उठ्।” तब ऊ आपन आँख खोल्लकै आर पत्रुसके देखिके उठिके बैठ्लै। 41पत्रुस ओकर हात पक्डीके खडा कैल्कै। तकरबाद ऊ विश्वासीसिके आर मोसामातसिके बोल्याके मरिके भी जिन्दा भेल तबीताके जिम्मा लगैल्कै। 42यी बात सारा योप्पा सहरभर फैली गेलै, आर बहुते आदमीसब प्रभु येशूमे विश्वास कैल्कै। 43तकरबाद पत्रुस योप्पा सहरमे सिमोन नामके एकटा चमडाके कारोबार करेवाला आदमीके घरमे कुछु दिनतक रहलै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in