YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 10

10
1कैसरिया सहरमे कर्नेलियस नामके एकटा आदमी रहै, जे रोमी सेनाके इटालिया नाम भेल टुकडीके कप्तान रहै। 2ऊ परमेश्वरके आराधना करेवाला आदमी रहै, आर पुरे घराना समेत परमेश्वरके भय मान्ते रहै। आर ऊ गरिब यहूदी आदमीसिके खुल्ला दिलसे दान दै, आर हरदम परमेश्वरसे प्रार्थना करै।
3एक दिन, कर्नेलियस दिपहरियाके लगभग तीन बजेके आसपास दर्शन देखल्कै। उटा दर्शनमे ऊ परमेश्वरके एकटा स्वर्गदूतके देखल्कै। स्वर्गदूत कर्नेलियसके कहैल्कै, “हे कर्नेलियस।” 4कर्नेलियस ओकर महर टकटकी लग्याके देखल्कै आर डरैते कहैल्कै, “हे प्रभु कि कहैछ?” स्वर्गदूत कहैल्कै, “तोर प्रार्थनासब आर तोरद्वारा गरिबसिके लिए कैल दयाके कामसब परमेश्वरके समनामे पुग्ल छौ। ऊ यी सभे बातके याद राखल्कौ छे। 5आब तुहें आदमीसिके योप्पा सहरमे भेजिके सिमोनके, जे पत्रुस कहलाबैछै ओकरा बोलाबैले भेज। 6ऊ चमडाके काम करेवाला सिमोनके घरमे छै, जकर घर समुन्दरके किनारमे छै।”
7एतनें कहिके स्वर्गदूत कर्नेलियस लगतसे बिदा भेलै। तकरबाद कर्नेलियस आपन दीटा नोकर आर परमेश्वरके आराधना करेवाला एकटा सिपाहीके बोलैल्कै। ऊ सिपाही सभे दिन कर्नेलियसके सेवा-टहल कर्ते रहै। 8कर्नेलियस आपन देख्ल सभे बात बत्याके ओकरासिके योप्पा सहरमे भेजल्कै।
पत्रुसके दर्शन
9दोसर दिन जब कर्नेलियसके द्वारा भेज्ल ऊ तीनटा मरदसब सहरके नज्दिक दिपहरियाके आसपासमे पहुँचलै तखनिहैं पत्रुस प्रार्थना करैले घरके छतमे गेलै। 10ओकरा भुख लाग्लै आर कुछु खैके मन भेलै, मगर दोसर आदमीसब भोजन तैय्यार कर्ते रहै आर ऊ ध्यान मगन भ्यागेलै। 11ऊ स्वर्ग उघर्ल देखल्कै आर ओत्तेसे चारो कोनामे पकड्ल बडका तन्नाके जुगुर कुछु धर्ती महर उतर्ते देखल्कै। 12उटा तन्नामे धर्तीके सभे किसिमके चौपाया जानवर आर ससरेवाला जीव-जन्तु आर आकाशके चिडियासब रहै। एकरामे ऊ जानवर आर चिडियासब सामिल रहै जकर विषयमे मूसाके विधि-विधान कहैछै कि ऊ अशुद्ध आर अपवित्र छै आर यहूदी आदमीसिके ओकरा खैके लिए मनाही छै। 13तब ऊ एकटा आवाज सुनल्कै, “हे पत्रुस उठ् आर मारिके खो।” 14मगर पत्रुस कहैल्कै, “नै, नै प्रभु, कहिनेकी हमे कहियो कोनो अपवित्र आर अशुद्ध चीज नैखैलियै छे।” 15उहे आवाज फेर दोसर बेर सुनल्कै, “जे कुछु परमेश्वर शुद्ध कैल्कै छे, ओकरा तुहें अशुद्ध नैक।” 16तीनबेर एरं भेलै आर तुरन्ते उटा तन्ना आकाशमहर घिची लेल गेलै।
कर्नेलियसके घरमे पत्रुस
17जब पत्रुस आपन मनमे दुविधामे रहै, कि यी दर्शनके मतलब कि हुए सकैछै, तब ऊ आदमीसब जकरा कर्नेलियस भेजल्कै रहे, सिमोनके घर पता लग्याके केबाडीके आगुमे आबिके खडा भेलै। 18ऊसब सोर करिके पुछल्कै, “कि सिमोन जे पत्रुस कहलाबैछै, एत्ते मैजमानी छै?” 19जब पत्रुस दर्शनके विषयमे विचार कर्तहैं रहै तब पवित्र आत्मा ओकरा कहैल्कै, “देख, तीनटा आदमीसब तोरा खोजैछौ। 20सेल्याके भला ही ऊसब गैर-यहूदी आदमीसब छै, उठ् आर निच्चा जो, आर बेधडक ओकरसिके संगमे जो, कहिनेकी हम्हीं ओकरासिके भेज्लियै छे।” 21तब पत्रुस निच्चा उतरिके ऊ आदमीसिके कहैल्कै, “देख, जकरा तुहेंसब खोजैछ, ऊ आदमी हम्हीं छियै। तुहेंसब एत्ते आबैके कारण कि छै?” 22ऊसब कहैल्कै, “कर्नेलियस कप्तान जे धर्मी आर परमेश्वरके डर राखेवाला आर सारा यहूदी आदमीसिमे सम्मान पैल आदमी छै, ऊ एकटा पवित्र स्वर्गदूतसे यी निर्देशन पैल्कै, कि तोरा आपन घरमे बोल्याके तोरासे उपदेश सुनै।” 23तब ऊ ओकरासिके भितर बोल्याके स्वागत-सत्कार कैल्कै। आर दोसर दिन पत्रुस ओकरसिके संगे गेलै आर योप्पा सहरके कुछु विश्वासी भ्यासब भी ओकरसिके संगमे गेलै।
24तेसर दिन ऊसब कैसरिया सहरमे पहुँचलै। आपन कुटुमसिके आर घनिष्ठ मित्रसिके बोल्याके जमा करिके कर्नेलियस ओकरसिके इन्तजार कर्ते रहै। 25जब पत्रुस भितर जैते रहै, तब कर्नेलियस ओकरसंगे भेट कैल्कै आर ओकर आगुमे झुकिके आराधना कैल्कै। 26मगर पत्रुस ओकरा एरं कहिके उठैल्कै, “उठ्, हमर आराधना नैकर, हम्हुँ ते आदमीए छियै।” 27तब ऊसब गफसफ कर्ते घरके भितर गेलै आर ऊ ओत्तेना बहुते आदमीसिके जमा भेल देखल्कै। 28तब पत्रुस ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब जानैछ, कि गैर-यहूदी आदमीसिके संगत करना या ओकरसिसे भेटघाट करना हमे, यहूदी आदमीसिके लिए हमरसिके नियमके विरुद्ध छै, मगर परमेश्वर हमरा बतैल्कै छे कि कोनो आदमीके अपवित्र या अशुद्ध नैकहिहैं। 29सेल्याके जब हमरा बोलैल गेलै ते हमे बिना कुछु कहले चल ऐलियै। आब कह, तुहेंसब हमरा कहिने बोलैलह छे?”
30तब कर्नेलियस कहैल्कै, “चार दिन पहेला, इहे समयमे घरमे हमे दिपहरियाके तीन बजे प्रार्थना कर्ते रहियै, तब चमकौव्वा कपडा पिन्हल एकटा मरद हमर समनामे आबिके खडा भेलै। 31आर कहैल्कै, ‘हे कर्नेलियस, तोर प्रार्थनासब आर तोरद्वारा गरिबसिके लिए कैल दयाके कामसब परमेश्वरके समनामे पुग्ल छौ। ऊ यी सभे बातके याद राखल्कौ छे। 32सेल्याके योप्पा सहरमे आदमी भेजिके सिमोनके, जे पत्रुस कहलाबैछै ओकरा बोला, ऊ समुन्दरके किनारमे चमडाके कारोबार करेवाला सिमोनके घरमे मैजमान छै। जब ऊ ऐतौ ते, ऊ तोरा परमेश्वरके तरफसे एकटा सन्देश बतैतौ।’ 33तब हमे तुरन्ते तोरलगत आदमी भेज्लियै आर यी तोर कृपा भेलै कि तुहें हमरलगत ऐलह। आब हमेसब सभेको परमेश्वरके समनामे एत्ते उपस्थित भेल छियै ताकी प्रभु जे कुछु कहैके आदेश तोरा देल्कहौं छे ऊ सभे बात सुनैले हमेसब तैय्यार छियै।”
कर्नेलियसके घरमे पत्रुसके उपदेश
34तब पत्रुस कहे लाग्लै, “आब हमे बढियाँसे बुझी गेलियै कि परमेश्वर ककरो संगे पक्षपात नैकरैछै। 35मगर जात-जातके आदमीसब जेसब परमेश्वरसे डराबैछै आर सही काम करैछै, परमेश्वर ओकरा स्वीकार करैछै। 36तुहेंसब ऊ सन्देशके जानैछ जे परमेश्वर हमरासिके यानिकी इस्राएलीसिके भेजल्कै। ऊ शान्तिके बारेमे खुश-खबरी सुनैल्कै जे आदमीसिके येशू ख्रीष्टमे विश्वासके द्वारा मिले सकैछै। ऊ सभे आदमीसिके प्रभु छै। 37ऊ वचन तुहेंसब जानैछ, जे बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके बप्तिस्माके प्रचार कैलके बाद गालील जिलासे शुरु भ्याके सारा यहूदिया प्रदेशभर फैली गेलै। 38परमेश्वर कोन तरहसे नासरत गाँवके निवासी येशूके पवित्र आत्मा आर शक्तिसे अभिषेक कैल्कै। आर कोन तरहसे ऊ सभे जगहमे घुमि-घुमिके भलाइके काम कर्ते रहै आर शैतानसे सतैल आदमीसिके ठीक करि देते रहै, कहिनेकी परमेश्वर ओकर संगमे रहै। 39आर हमेसब ऊ सभे कामके गवाह छियै, जे ऊ यहूदिया प्रदेश आर यरूशलेम सहरमे कैल्कै, आर यरूशलेममे यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मारल्कै। 40मगर परमेश्वर ओकरा तेसर दिनमे मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै आर प्रकट करिके देखैल्कै। 41सभे आदमीसब ओकरा नैदेखल्कै मगर परमेश्वर हमरासिके यानिकी चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके शुरुसे ही चुनल्कै, ऊ मुर्दासे जिन्दा भेलके बाद हमेसब ओकरसंगे खैलियै पिलियै। 42आर ऊ हमरासिके आज्ञा देल्कै कि सभे आदमीसिके प्रचार कर आर गवाही दहैं, कि येशू उहे छै जकरा परमेश्वर जिन्दा आर मर्ल आदमीसिके फैसला करेवाला नियुक्त कैल्कै छे। 43सभे परमेश्वरके वक्तासब ओकर गवाही देल्कै छे, जे कोय ओकरापर विश्वास कर्तै कि जे काम ख्रीष्ट क्रूसपर कैल्कै, ऊ कारणसे पापके माफी मिल्तै।”
गैर यहूदी आदमीसब भी पवित्र आत्मा पैल्कै
44पत्रुस जखनी यी बात बोल्तहैं रहै, तखनी जेसब वचन सुन्ते रहै ओकरासिपर पवित्र आत्मा उतर्लै। 45आर जतनें यहूदी विश्वासीसब पत्रुसके संगे ऐलै रहे, ऊसब सभेको चकित भेलै कि परमेश्वर गैर-यहूदी आदमीसिके भी पवित्र आत्मा दानके रुपमे दैछै। 46कहिनेकी ऊसब ओकरासिके अनजान भाषासिमे बोल्ते आर परमेश्वरके प्रशंसा कर्ते सुन्लकै। तब पत्रुस कहैल्कै, 47“इहोसब ते हमरेसिके जुगुर परमेश्वरके तरफसे पवित्र आत्मा पैल्कै छे। आब एकरासिके पानीसे बप्तिस्मा हुऐसे के मना करैले सक्तै?” 48तब पत्रुस ओकरासिके येशू ख्रीष्टके नाममे बप्तिस्मा लियैले आज्ञा देल्कै तब ऊसब पत्रुसके कुछु दिन एथै हमरसिके संगे रह कहिके बिन्ती कैल्कै आर सेल्याके ऊसब कुछु दिनके लिए रुकी गेलै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in