YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 8

8
मण्डलीपर अत्याचार
1स्तिफनसके हत्यामे शाउल भी पुरा तरहसे सहमत रहै। उहे दिन यरूशलेम सहरके मण्डलीके विरोधमे बडका सतावट शुरु भेलै, आर चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके सिवाय बाँकी सभेको यहूदिया प्रदेश आर सामरिया प्रदेशके इलाका महर छिरिया गेलै। 2कुछु मरदसब जे परमेश्वरके आदर कर्ते रहै ऊसब स्तिफनसके लज्याके सारामे गाडल्कै, आर ओकर लिए बहुते शोक मनैल्कै। 3मगर शाउल मण्डलीके सतैते रहै। आर ऊ घर-घर ढुकिके विश्वासी मरद आर जनानीसिके घिसिया-घिसियाके लज्याके जेलमे बन्द कर्या देते रहै।
सामरिया प्रदेशमे खुश-खबरीके प्रचार
4जे विश्वासीसब छिरियैल रहै, ऊसब चारो महर जैके खुश-खबरी प्रचार करे लाग्लै। 5मगर फिलिप सामरिया प्रदेशके एकटा सहरमे जैके ओकरासिके ख्रीष्टके विषयमे प्रचार करे लाग्लै।
6जे बात फिलिप कहैल्कै रहे ऊ बात आदमीसब सुनिके आर जे चमत्कार ऊ देखैते रहै ऊ देखिके आदमीसिके भीड एक मनके भ्याके ओकर बातके ध्यानसे सुने लाग्लै। 7कहिनेकी जब फिलिप आदेश देल्कै बहुते आदमीसिसे भूतसब जोरसे चिच्यैते निक्ले लाग्लै, आर बहुते झन लखुवाके रोगीसब आर नेंग्डा आदमीसब भी ठीक भेलै। 8यी सभे बातसे उटा सहरके बहुते आदमीसब आनन्दित भेलै।
जादुगर सिमोन
9उटा सहरमे सिमोन नामके एकटा जादुगर रहै। ऊ बहुते दिनसे आपन जादुगरी देख्याके सामरिया प्रदेशके आदमीसिके आश्चर्य-चकित बनैल्कै रहे, आर ऊ अपने आपके एकटा बडका महापुरुष छियै कहिके कहते रहै। 10आर सभेको छोटकासे ल्याके बडका आदमी तक ओकर सम्मान करिके कहै, “यी आदमी परमेश्वरके ऊ शक्ति छै, जे महान कहलाबैछै।” 11सभेकोय ओकरा मानै कहिनेकी बहुते समयसे ऊ आपन जादुगरीसे आदमीसिके आश्चर्य-चकित बनैल्कै रहे। 12जब आदमीसब परमेश्वरके राज्य आर येशू ख्रीष्टके नामके खुश-खबरीमे फिलिपके सन्देश सुनिके विश्वास कैल्कै, तब सभे जनानीसब आर मरदसब बप्तिस्मा लेल्कै। 13सिमोन खुद भी फिलिपके सन्देशपर विश्वास कैल्कै आर बप्तिस्मा ल्याके फिलिपके संगे रहे लाग्लै आर चमत्कार आर बडका-बडका शक्तिके काम हैते देखिके चकित भ्याजै।
सामरी विश्वासीसिके पवित्र आत्मा पाना
14सामरिया प्रदेशके आदमीसब परमेश्वरके वचन स्वीकार कैल्कै कहिके सुन्लके बाद यरूशलेम सहरमे रहेल चुन्ल आर भेज्ल चेलासब पत्रुस आर यूहन्नाके फिलिपसिके लगत भेजल्कै। 15सामरिया प्रदेशमे पहुँचलके बाद पत्रुस आर यूहन्ना प्रभुमे विश्वास कैल आदमीसब पवित्र आत्मा पाबै कहिके ओकरसिके लिए प्रार्थना कैल्कै। 16कहिनेकी तखनतक ओकरसिमेसे ककरो लगत पवित्र आत्मा नैभेज्ल गेलै रहे। ऊसब ते खाली प्रभु येशू ख्रीष्टके नाममे बप्तिस्मा लेल्कै रहे। 17तब पत्रुस आर यूहन्ना आपन हात प्रभुमे विश्वास कैल ऊ आदमीसिके उप्परमे राखल्कै, आर ऊसब पवित्र आत्मा पैल्कै।
सिमोनके पाप
18जब सिमोन देखल्कै कि चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके हात राख्ल से पवित्र आत्मा देल जैछै ते, ऊ ओकरासिके पैसा देते कहैल्कै, 19“हमरा भी यी शक्ति द्या, आर हमे जकर उप्परमे भी हात राखी देलके बाद ऊ आदमी पवित्र आत्मा पाबि जै।” 20मगर पत्रुस ओकरा कहैल्कै, “तुहें आर तोर पैसा नाश भ्याजौ, कहिनेकी तुहें परमेश्वरके वरदान रुपिया-पैसासे किनैले सकैछै कहिके विचार कैल्हैं। 21यी सेवामे तोर कोनो हिस्सा या अधिकार नैछौ, कहिनेकी परमेश्वरके नजरीमे तोर मन भ्रष्ट छौ। 22सेल्याके तोर यी खराब विचारके लिए पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लग्याके प्रभुसे प्रार्थना कर, हुए सकैछै परमेश्वर तोर खराब विचारके माफ करि देतौ। 23पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगा, कहिनेकी हमे देखैछियै कि तुहें द्वेषके कडवा-जहरसे भर्ल छैं आर पापमे जकडल छैं।” 24सिमोन जबाब देल्कै, “तुहेंसब हमर लिए प्रभुसे प्रार्थना करि द्या, ताकी जे बात तुहेंसब कहेलह छे, ओकरामेसे कोनो बात हमरसंगे नैघटै।”
25तब पत्रुस आर यूहन्ना गवाही द्याके आर प्रभु येशूके वचन सुन्याके यरूशलेम सहर वापस लौटै बेरियाँ, ऊसब सामरिया प्रदेशके कतनें सामरी आदमीसिके गाँवसिमे खुश-खबरीके प्रचार कैल्कै।
फिलिप आर इथियोपिया देशके एकटा हाकिम
26फेर प्रभुके एकटा स्वर्गदूत फिलिपके कहैल्कै, “उठिके दक्खिन दिशाके तरफ ऊ रस्तासे जो जे रस्ता यरूशलेम सहरसे सुनसान जगह हैते गाजा सहरमहर जैछै।” 27तब फिलिप उठिके गेलै, आर अचानक ऊ इथियोपिया देशके एकटा आदमीसे मिल्लै, जे एकटा नपुंसक रहै। ऊ इथियोपिया देशके एकटा महारानीके#८:२७महारानीके ओकर भाषामे आदमीसब आपन रानीके कन्दाकी कहते रहै। बडका हाकिम आर सभे धन-दौलतके खजान्ची रहै। ऊ नपुंसक यरूशलेम सहरमे आराधना करैले गेलै रहे।
28ऊ घुमिके आपन देशमहर जैते रहै आर आपन रथमे बैठिके जोर-जोरसे यशैया परमेश्वरके वक्ताके किताब पढ्ते रहै। 29तब पवित्र आत्मा फिलिपके कहैल्कै, “नज्दिक जैके ऊ रथके संगे-संगे जो।” 30फिलिप दौडिके रथके लगत पहुँचलै, आर ओकरा यशैया परमेश्वरके वक्ताके किताब पढ्ते सुनिके ओकरा पुछल्कै, “तुहें यी पढ्ल बातके बुझैछ?” 31तब ऊ कहैल्कै, “यदि कोय हमरा सम्झाबेवाला नैहैतै ते हमे एकरा नैबुझे सक्बै।” तब ऊ फिलिपके रथमे चढिके आपन संगमे बैठैले अनुरोध कैल्कै आर फिलिप जैके बैठ्लै।
32ऊ नपुंसक धरमशास्त्रके यी खण्ड पढ्ते रहै,
“जेरंके भेंडा वध करैले लजैल जैछै, आर भेंडाके बच्चा ऊन काटैके बखत शान्त रहैछै,
ओहिने करिके जब आदमीसब ओकरा पिडा देल्कै,
ऊ शान्त रहलै।
33ओकरा अपमानित कैल गेलै आर ओकरा न्याय नैमिल्लै,
शायद कोय भी ओकर सन्तानके विषयमे नैबताबे सक्तै,
कहिनेकी एकरासे पहेला कि धर्तीपर ओकर कोनो सन्तान हैतियै, आदमीसब ओकर जान मारि देल्कै।”
34तब ऊ नपुंसक फिलिपके पुछल्कै, “कृपा करिके हमरा कह परमेश्वरके वक्ता यी ककर विषयमे कहैछै, आपन विषयमे या कोय दोसरके विषयमे?” 35तब फिलिप बोलैले शुरु कैल्कै, आर धरमशास्त्रसे इहे खण्डसे शुरु करिके ओकरा येशूके खुश-खबरी सुनैल्कै। सेल्याके ऊ हाकिम बुझी गेलै आर येशूपर विश्वास कैल्कै।
36रस्तामे जैते-जैते ऊसब रस्ताके बगलमे एकटा पोखर देखल्कै तब ऊ नपुंसक कहैल्कै, “देख एत्ते पानी छै, आब हमरा बप्तिस्मा लियैमे कोन बाधा छै?” 37फिलिप कहैल्कै, “यदि तुहें आपन पुरा मनसे विश्वास करैछ कि ख्रीष्ट येशू ही परमेश्वरके बेटा छै ते तुहें बप्तिस्मा लियैले सकैछ।” ऊ जबाब देल्कै, “येशू ख्रीष्ट ही परमेश्वरके बेटा छै कहिके हमे विश्वास करैछियै।” 38तब ऊ रथ रोकैले आज्ञा देल्कै, तब फिलिप आर नपुंसक दोनो झन पोखरके पानीमे गेलै आर फिलिप ओकरा बप्तिस्मा देल्कै।
39जब ऊसब पोखरसे निक्लीके बाहार ऐलै, तब परमेश्वरके आत्मा फिलिपके उठ्याके ल्यागेलै, आर ऊ नपुंसक ओकरा फेर नैदेखल्कै आर ऊ परमेश्वर ओकरा बच्या लेल्कै छे कहिके आनन्द मनैते आपन देश वापस चल गेलै। 40मगर फिलिप खुदके अश्दोद सहरमे पैल्कै आर जबतक ऊ कैसरिया सहरमे नै पहुँचलै तबतक ऊ हरेक सहर आर गाँवमे खुश-खबरी प्रचार कर्ते हुए एकटा जगहसे दोसर जगह आपन यात्रा जारी राखल्कै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in