चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 27
27
पावलके रोम सहर भेज्ल गेलै
1जब फेस्तस राज्यपाल द्वारा यी निश्चित भेलै कि हमेसब पानी जहाजमे चढिके इटालिया प्रदेश जैयै, तब ऊसब पावल आर कुछु दोसर कैदीसिके भी सम्राट अगस्तसके युलियस नामके कप्तानके जिम्मा लग्या देल्कै। 2हमेसब एड्रामिटेनोस सहरके एकटा पानी जहाजमे आपन यात्रा शुरु कैलियै, जे एशिया प्रदेशके समुन्दरी किनारमे पडेवाला बहुते बन्दरगाहसिके द्याके ज्यावाला रहै। अरिस्तार्खस नाम भेल एकटा आदमी जे माकेडोनिया प्रदेशके थेसलोनिके सहरके रहै, ऊ भी हमरसिके संगे रहै। 3दोसर दिन हमेसब सिदोन सहरमे पहुँचलियै। उटा जगहमे कप्तान युलियस पावलपर दया करिके आपन संगी-साथीसिकते जैके आपन जरुरतके समान लियैके अनुमति देल्कै। 4ओत्तेसे हमेसब फेर यात्रा शुरु कैलियै। मगर हावा हमरसिके जहाजके उल्टा दिशामे चल्ते रहै। सेल्याके हमेसब साइप्रस टापुके आड ल्याके चारो महर गेलियै। हमेसब टापुके किनार द्याके यात्रा कैलियै जते हावा बेसी तेज नैरहै। 5तब किलिकिया प्रदेश आर पामफिलिया सहरसिके तटके समुन्दरमे हैते हमेसब लुकिया प्रदेशके माइरा सहरमे पहुँचलियै। 6ओत्ते कप्तान युलियस अलेक्जेण्ड्रिया सहरसे इटालिया प्रदेशमे ज्यावाला एकटा जहाज पाबिके हमरासिके उटा जहाजमे चढ्या देल्कै। 7हमेसब बहुते दिनतक कले-कले जैके बहुते कठिनके साथ क्निडस सहरमे ऐलियै। हावा हमरासिके ऊ दिशामे आरहौ आगु बढैले नैदिऐके कारणसे हमेसब क्रेट टापुके किनार द्याके यात्रा करिके सालमोने नामके एकटा बालुके रासके जगहमे पहुँचलियै। 8टापुके किनारे-किनार हमेसब लासिया सहरके नज्दिक भेल सुन्दर बन्दरगाह नामके जगहमे ऐलियै।
9जब बहुते दिन बिती गेलै आर समुन्दरके यात्रा भी खतरनाक भेल रहै कहिनेकी प्रायश्चितके दिनवाला दिवस भी खतम भेल रहै आर यी मौसममे समुन्दरमे अन्हर-तूफान चलैछै। सेल्याके, पावल ओकरासिके कहैल्कै 10“हे भैय्यासब, हमरा लागैछै यी यात्रामे आगु बढ्ले से अपनासिके बहुते भारी खतरा हुए सकैछै। खाली पानी जहाज आर मालसमानके नै, मगर आपनसिके जानके भी खतरा उठाबैले पडे सकैछै। सेल्याके हमे सल्लाह दैछिहौं कि अपनासब अन्हर-तूफानके मौसम खतम नैहुऐतक एथै इन्तजार करैछियै।” 11मगर कप्तान पावलके बातसे बेसी जहाजके चालक आर जहाजके मालिकके बातके बेसी विश्वास कैल्कै। 12यी सुन्दर नामके बन्दरगाह जाडके समय बिताबैके लिए बढियाँ भी नैरहै। सेल्याके बहुते आदमीसब कोनो भी हालतमे ओत्तेसे निक्लीके फोनिक्स बन्दरगाहमे पहुँचैके कोशिशमे रहै। यी क्रेट टापुके किनारके बन्दरगाह रहै जकर द्वार दक्खिन-पच्छिम आर उत्तर-पच्छिम दिशामे छै, सेल्याके यी खराब मौसमसे बढियाँसे सुरक्षित रहै।
समुन्दरमे तूफान
13जब दक्खिनके हावा कने-कने बहे लाग्लै, ऊसब सोचल्कै कि ऊसब आपन बनैल योजना मुताबिक फोनिक्स सहर पहुँची जैतै, सेल्याके ऊसब लंगर उठैल्कै आर क्रेट टापुके किनारे-किनार हैते समुन्दरके तट महर ज्या लाग्लै। 14मगर कुछु देरमे टापुसे बडका अन्हर-तूफान उठ्लै, जे “उत्तरबरिया-पूरबरिया” अन्हर-तूफान कहलाबैछै। 15जब पानी जहाज अन्हर-तूफानके चपेटमे पड्लै, तब पानी जहाज अन्हर-तूफानके सामना करैले नैसकल्कै सेल्याके हमेसब पानी जहाजके हावाके बहावमे छोडी देलियै। 16तब क्लौडा नामके एकटा छोटका टापुके दक्खिनमहर पहुँचलके बाद टापु अन्हर-तूफानके कने रोकी देल्कै। मगर ओत्ते भी हमेसब जहाजके पाछुमे बान्हल जीवनरक्षक नावके बहुते कठिनसे बचाबे सक्लियै। 17फेर नाविक-गण जीवनरक्षक नावके उठैल्कै आर ऊसब पानी जहाजके निच्चासे ल्याके उप्पर तक रस्सीसे कसिके बान्हल्कै। सिर्टिस खाडीके बालुके धापमे फसैके डरसे ऊसब पालके हल्का निच्चा उतारिके पानी जहाजके हावाके बहावके संगे-संगे बहैके लिए छोडी देल्कै। 18आर जब अन्हर हमरासिके उठा उठ्याके पट्के लाग्लै तब दोसर दिन ऊसब पानी जहाजके मालसमान फेके लाग्लै। 19आर तेसर दिन ऊसब आपनहैंसे पानी जहाजके रस्सी आर पालसब फेकि देल्कै। 20बहुते दिनतक जब सुरुज आर तारासब दिखाई नैदेल्कै आर अन्हर-तूफान चल्ते रहलै ते, आखरीमे हमरसिके बचैके आशा भी खतम भ्यागेलै।
21हमरसिमेसे कोय भी बहुते दिनतक कुछु भी नैखैलियै रहे। तब पावल सभैके बीचमे खडा भ्याके कहैल्कै, “हे भैय्यासब, उचित ते यी रहै कि तुहेंसब हमर बात मानिके क्रेट टापुसे आगु नैबढना रहौं आर अपनासिपर यी विपत ऐतियै आर अपनासिके यी हानी भी उठाबे नैपड्तियै। 22मगर एखनिहौं हमे तोरासिके बिन्ती करैछिहौं कि हिम्मत राख। तोरसिमेसे ककरो जानके हानी नैउठाबे पड्तहौं, मगर खाली पानी जहाज नाश हैथौं। 23कहिनेकी जे परमेश्वरके हमे छियै आर जकर आराधना हमे करैछियै, ओकर एकटा स्वर्गदूत क्याल राती हमरलगत आबिके कहैल्कै, 24‘हे पावल, नैडर! तुहें रोमी महाराजाके समनामे जरुर खडा हैभैं आर परमेश्वर आपन अनुग्रहसे सभैके जे तोरसंगे यात्रा करैछै ओकरासिके सभैके जिन्दा राख्तै।’ 25सेल्याके, भैय्यासब हिम्मत राख! कहिनेकी हमे परमेश्वरमे विश्वास करैछियै कि हमरा जेरं कहेल गेलै छे, ठीक ओहिने ही हैतै। 26मगर अपनासिके कोनो एकटा टापुके किनारमे टकराबे पड्तै।”
जहाजके टुटना
27जब चौदहवां रात भेल रहै, आर हमेसब एड्रियास समुन्दरमे भटकते रहियै, तब आधा रात महर नाविक-गणसब अनुमानसे जानल्कै कि हमेसब कोनो देशके नज्दिक पहुँचैछियै। 28ऊसब जब पानीके गहराई नापल्कै ते ओत्ते सैतिस मिटर गहराई रहै आर फेर कुछु समयके बाद कनेजरा दूर जैके पानीके गहराई नापल्कै ते सत्तैस मिटर गहराई पैल्कै। 29तब कोनो पत्थलवाला जगहमे ठोकर खैबै कि कहिके डरसे ऊसब पानी जहाजके पाछुसे चारटा लंगर समुन्दरमे खसैल्कै, आर भोर है कहिके कामना करे लाग्लै। 30मगर नाविक-गणसब पानी जहाजसे भागैले खोज्ते रहै, आर ऊसब पानी जहाजके आगु महरसे लंगर खसाबैके बहानासे जीवनरक्षक नाव समुन्दरमे गिर्या देल्कै रहे। 31तब पावल कप्तान आर सिपाहीसिके कहैल्कै, “यदि यी आदमीसब पानी जहाजमे नैरहतै ते तुहेंसब भी बचे नैसक्भ।” 32तब सिपाहीसब जीवनरक्षक नावके रस्सी काटी देल्कै आर ओकरा भसे देल्कै।
33जब भोर हुऐ पर रहै, पावल ओकरासिके सभैके भोजन खैले आग्रह कैल्कै। ऊ कहैल्कै, “ऐज चौदह दिन भेलै छे, तुहेंसब चिन्ता कर्ते-कर्ते भुख्ले कुछु नैखैके बैठ्ल छह। 34सेल्याके कुछु खा कहिके हमे तोरासिके आग्रह करैछिहौं। कुछु खैभ ते तुहेंसब बल पैभ आर तोरसिके ककरो माथके एकटा केश भी नाश नैहैतै।” 35यी बात कहिके ऊ रोटी लेल्कै आर सभैके समनामे परमेश्वरके धन्यवाद चढ्याके रोटी तोडीके ख्या लाग्लै। 36तब एकरासे सभैके हौसला मिल्लै आर उहोसब भोजन ख्या लाग्लै। 37पानी जहाजमे हमेसब दी स छिहत्तर झन रहियै। 38जब ऊसब भोजन करिके अघैलै, तब पानी जहाजके हल्का बनाबैके लिए समुन्दरमे गहुम फेकि देल्कै।
39जब भोर भेलै ते ऊसब उटा जगहके नैचिन्हे सकल्कै, मगर ऊसब एकटा स्यार जगह देखल्कै जकर किनारमे बालु रहै। सम्भव हुए ते पानी जहाजके उहे किनारमे आनैके विचार ऊसब कैल्कै। 40तब ऊसब लंगरके रस्सीसिके काटी देल्कै आर लंगरसिके समुन्दरमे खसैले देल्कै आर उहे समय पतवारके रस्सीके बन्हन ढिल्ला करिदेल्कै आर जहाजके आगु महरके पाल उठ्या देल्कै ताकी हावा जहाजके आगु महर ल्याजै आर पानी जहाजके किनार महर बढ्लै। 41मगर पानीके निच्चामे भेल बालुके रासमे पानी जहाज ठेस लागिके ओथै धस्लै, पानी जहाजके आगुके भाग लस्कलै आर टसमस हुऐले नैसकल्कै, आर पछला भाग समुन्दरके लहरके चोटसे टुटे लाग्लै। 42कैदीसब हेलीके भाग्तै कि कहिके सिपाहीसब ओकरासिके मारैके विचार कैल्कै। 43मगर कप्तान पावलके बचाबैके मन करिके ओकरासिके ओरं करैसे रोकल्कै। हेले सकेवालासब जैके पहेला डङ्गामे बैठै कहिके ऊ हुकुम कैल्कै। 44आर ऊ बाँकी भेल आदमीसिके जकरा हेलैले नैआबैछै, ओकरासिके तख्तासिमे आर पानी जहाजके टुकरासिमे चढिके पार हुऐले कहैल्कै। एरंके सभेको सकुशल बचिके किनारमे पहुँचलै।
Currently Selected:
चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 27: KYVNT
Highlight
Share
Compare
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.