YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 26

26
1तकरबाद राजा अग्रिपास पावलके कहैल्कै, “तोरा आपन विषयमे बोलैके अनुमति छौ।” तब पावल आपन हातसे इशारा करिके आपन बचावमे जबाब दिए लाग्लै:
2“हे राजा अग्रिपास, यहूदी आदमीसिके अगुवासिसे हमरा लगैल आरोपके विषयमे ऐज तोर समनामे हमे आपन बचावमे बोले पाबैके लिए अपने आपके भाग्यशाली सम्झैछियै। 3तोरा यहूदी आदमीसिके चालचलन, रितीरिवाज आर वाद-विवादके विषयमे बढियाँसे मालुम हुऐके कारणसे हमे अपने आपके भाग्यशाली सम्झैछियै। सेल्याके हमे तोरासे बिन्ती करैछिहौं, कि हमर बात धीरज धरिके सुनी द्या।
4हमे आपन देशमे आर यरूशलेम सहरमे यहूदी आदमीसिके बीचमे आपन जीवन बचपनसे केरंके बितैलियै, यी बात सभे यहूदी अगुवासब जानैछै। 5अगर ऊसब गवाही दियैले चाहैछै ते ऊसब हमरा जवानीसे चिन्हैछै, कि हमे आपन यहूदी आदमीसिके धरममे सभैसे बेसी कट्टर पन्थ, यानिकी फरिसी समूहके आदमीके पन्थमे चलेवाला एकटा आदमी रहियै। 6ऐज हमे परमेश्वरके द्वारा आपनसिके बाप-पुर्खासिके देल गेल प्रतिज्ञाके आशाके कारण एत्ते आरोपीके रुपमे खडा छियै। 7उहे प्रतिज्ञाके पुरा हुऐके आशा राख्ते हुए आपनसिके बारहो कुल आपन सारा मनसे रात-दिन परमेश्वरके आराधना कर्ते ऐलै छे। हे राजा अग्रिपास, इहे आशाके कारण जे परमेश्वर यहूदी आदमीसिसे पुरा करैके प्रतिज्ञा कैल्कै रहे यी यहूदी अगुवासब हमरापर आरोप लगाबैछै। 8तब पावल ओकर बात सुनेवाला सभे यहूदी आदमीसिके कहैल्कै, ‘तुहेंसब विश्वास करैछ कि परमेश्वर मुर्दा आदमीसिके फेरसे जिन्दा करे सकैछै ते, फेर तुहेंसब यी बात पर विश्वास करैसे इन्कार कहिने करैछ कि परमेश्वर येशूके मुर्दासे फेर जिन्दा बनैल्कै?’
9नासरत गाँवके येशूके नामके विरोधमे बहुते कुछु करे पड्तै कहिके हमरा भी लाग्लै रहे। 10आर हमे यरूशलेम सहरमे ओहिने कैलियै, प्रमुख पुजारीसिसे अधिकार पाबिके हमे परमेश्वरके बहुते पवित्र आदमीसिके जेलमे बन्द करि देलियै आर जब ओकरासिके मौतके सजाय देल जै ते, हम्हुँ ओकरामे राजी रहियै। 11आर हमे यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे बार-बार जैके ओकरासिके सजाय दिलैलियै, आर ओकरासिसे येशूके अपमान करवाबैके कोशिश कैलियै। आर एत्तेतक कि हमे एतनें सनकी भ्या गेलियै कि हमे ओकरासिके सताबैके लिए दोसर सहरसिमे भी गेलियै।
12एरंके एक दिन प्रमुख पुजारीसिसे अधिकार आर आज्ञापत्र ल्याके हमे दमसकस सहर जैते रहियै। 13हे राजा, रस्तामे दिपहरियाके समयमे आकाशसे सुरुजके तेजसे भी बेसी तेज उजेत हमे देख्लियै, जे हमे आर हमरसंगे यात्रा करेवालासिके चारो तरफ चमकते रहै। 14तब हमेसब सभेको जमिनमे गिर्लियै। तखनिहैं हिब्रू भाषामे हमरा एरं कहते एकटा आवाज सुन्लियै, ‘हे शाउल, हे शाउल, तुहें कहिने हमरा सताबैछैं? यदि तुहें हमर विरुद्धमे खडा हैभैं ते, तुहें अपने आपके ही कष्ट पहुँचैभैं।’ 15तब हमे कहैलियै, ‘हे प्रभु तुहें के छह?’ प्रभु हमरा कहैल्कै, ‘हमे येशू छियै, जकरा तुहें सताबैछैं। 16आब उठ् आपन पैरीमे खडा हु। हमे तोरा इहे ल्याके दर्शन देलियौ छे कि तोरा आपन सेवक आर गवाह बनाबियौ। तुहें हमर विषयमे जे देख्लहैं आर पाछु जे कुछु हमे तोरा देखैबौ, ऊ सभैके बारेमे तोरा गवाही देना छौ। 17हमे तोरा यहूदी आदमीसब आर गैर-यहूदी आदमीसिके लगत भेजैछियौ। हमे तोरा ओकरासिसे बच्याके राख्बौ। 18हमे चाहैछियै कि तुहें ओकरसिके आँख खोली दहैं, ताकी ऊसब अनहारसे उजेत महर, आर शैतानके शक्तिसे परमेश्वरके तरफ आबै। एरंके ऊसब आपन पापके माफी पैतै आर हमरपरके विश्वासद्वारा पवित्र भेलसिके स्थान ऊसब भी पैतै।’
19सेल्याके, हे राजा अग्रिपास, स्वर्गसे मिल्ल यी दर्शनके आज्ञापालन हमे कैलियै। 20मगर हमे पहेला दमसकस सहरमे, फेर यरूशलेम सहरमे आर सारा यहूदिया प्रदेशभर रहेवालासिके आर गैर-यहूदी आदमीसिके भी पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा कहिके प्रचार कैलियै। आर हमे यी भी कहैलियै कि परमेश्वरके लगत वापस ऐलियै छे कहिके यी बातके आपन व्यवहारद्वारा साबित कर। 21यी बातसिके कारण यहूदी आदमीसब हमरा परमेश्वरके मन्दिरमे पक्डीके जान मारैके कोशिश कैल्कै। 22मगर ऐजके दिनतक हमे परमेश्वरसे सहायता पैलियै छे। सेल्याके छोटका बडका सभैके गवाही देते हमे तोरसिके समनामे एत्ते खडा भेल छियै। जे बातसब हुऐके भविष्यवाणी परमेश्वरके वक्ता आर मूसा कैल्कै रहे, एकरासे बेसी हमे कुछु नैकहैछियै। 23ऊसब कहैल्कै रहे कि ख्रीष्टके दुःख भोग्है पड्तै आर ऊ मुर्दासे जिन्दा हुएवालासिमेसे सभैसे पहेला हैतै। ऊ यहूदी आदमीसब आर गैर-यहूदी आदमीसिके आपन खुश-खबरी प्रचार कर्तै, जे एकटा उजेतके जुगुर छै।”
24पावल आपन बचावके बात बोल्हैके समयमे राज्यपाल फेस्तस जोरसे कहैल्कै, “हे पावल, तुहें पागल छैं, तोर बहुते विद्या तोरा पागल बनैल्कौ छे।” 25मगर पावल कहैल्कै, “परम आदरणीय राज्यपाल फेस्तस, हमे पागल नैछियै, मगर सच्चाई आर बुद्धिके बात बोलैछियै। 26कहिनेकी राजा आपनहैं भी यी सभे बातके विषयमे जानैछै, जकर समनामे हमे बिना डर बोलैछियै। कहिनेकी यी कोनो बात ओकरासे छिप्ल नैछै, कहिनेकी यी बात गुपचुपमे नैकैल गेलै छे। 27हे राजा अग्रिपास, कि तुहें परमेश्वरके वक्तासिपर विश्वास करैछ? हमे जानैछियै तुहें विश्वास करैछ।” 28राजा अग्रिपास पावलके कहैल्कै, “तुहें सोचैछैं कि तुहें एतनें जल्दी हमरा ख्रीष्टियन बन्या लेभैं?” 29पावल जबाब देल्कै, “जल्दीसे या देरी से, हमे परमेश्वरसे प्रार्थना करैछियै कि खाली तुहें ही नै, मगर ऐज जतनें आदमी हमर बात सुनैछै, ऊ आदमीसब हमरे जुगुर ख्रीष्टियन बनी जै मगर खाली एरं सिक्कडसे बान्हल नै।”
30तब राजा, राज्यपाल, बरनिकी आर ओत्ते बैठेवाला सभेको उठ्लै आर ओत्तेसे चल गेलै। 31जब ऊसब बाहार निक्लीके जैते रहै, ऊसब एक दोसरके कहैल्कै, “यी आदमी एरंको कोनो अपराध नैकैल्कै छे कि ओकरा मौतके सजाय देल जै या कि ओकरा जेलमे राख्ल जै।” 32राजा अग्रिपास राज्यपाल फेस्तसके कहैल्कै, “यी आदमी रोमी महाराजाके लगत बिन्ती चढाबैले माँग नैकर्तियै ते एकरा छोडी देतियै ते भी हैतियै।”

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

Videos for चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 26