चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 28
28
माल्टा टापुमे पावलके स्वागत
1जब हमेसब सभेको सकुशल बचिके किनारमे पहुँचलियै तब हमरासिके मालुम भेलै कि यी टापुके नाम माल्टा रहै। 2आर ओत्करो आदमीसब हमरासिके बहुते प्रेम देखैल्कै। पानी पडिके जाड हुऐके कारणसे ऊसब हमरसिके लिए घुर लग्या देल्कै आर हमरासिके सभैके स्वागत कैल्कै। 3पावल एक बोझ लकडी जमा कैल्कै रहे आर उटा आनिके घुरमे ध्या देल्कै ते, आगिनके गरमसे एकटा जहरिला साँप निक्लीके ऐलै आर ओकर हातमे लटपटैलै। 4ओत्करो आदमीसब ओकर हातमे साँप लटकल देखिके एक दोसरके कहैल्कै, “यी आदमी जरुर ही हत्यारा होना चाही। यी आदमी समुन्दरसे ते बच्लै मगर हमरसिके यूनानी देवी ‘इन्साफ’ एकरा जिन्दा रहैले नैदेल्कै।” 5मगर पावल उटा साँपके आगिनमे झट्कारी देल्कै, आर ओकरा कोनो हानी नैभेलै। 6ओकर शरीर फुल्तै या ऊ अचानक गिरिके मर्तै कहिके ऊ आदमीसब पावलके देख्ते रहलै। मगर बहुतेबेर तक देख्ते रहेल पर भी ओकरा कुछु नैभेल देखिके ऊसब आपन विचार बदलीके कहे लाग्लै, “यी ते कोनो देवता छै।”
7किनारके नज्दिकमे उटा टापुके मुखिया पब्लियसके जगह जमिन रहै। ऊ हमरासिके स्वागत कैल्कै, आर तीन दिनतक हमरासिके मैजमान बन्याके सेवा सत्कार कैल्कै। 8पब्लियसके बाबु बोखार आर शूलके रोगसे बेमार रहै। पावल ओकर कोठामे जैके ओकर लिए प्रार्थना कैल्कै आर आपन हात ओकरापर राखिके ओकरा ठीक कैल्कै। 9एरं भेलके बाद उटा टापुके आरहौ बेमार आदमीसब पावल लगत ऐलै आर ठीक कैल गेलै। 10ऊसब हमरासिके बहुते आदर कैल्कै। जब हमेसब तीन महिनाके बाद ओत्तेसे पानी जहाजमे चढिके बिदा हुए लाग्लियै ते हमरासिके जे कुछु चीजके जरुरत रहै, ऊसब पानी जहाजमे लादी देल्कै।
माल्टा टापुसे रोम सहरके तरफ
11तीन महिनाके बाद हमेसब अलेक्जेण्ड्रिया सहरसे ऐल पानी जहाजमे चढिके यात्रा शुरु कैलियै। यी पानी जहाज जाडके मौसमके कारण यी टापुमे रुक्ल रहै। यी पानी जहाजके आगुके भागमे एक जोडी देवताके प्रतिमा बनैल रहै। 12हमेसब सुराकुसाई सहरमे पहुँचीके ओत्ते तीन दिनतक रहलियै। 13ओत्तेसे आगु बढिके हमेसब रेगियन सहरमे पहुँचलियै। आर एक दिनके बाद दक्खिन महरके हावा चल्लै तब दोसर दिन हमेसब पटिओली सहरमे ऐलियै। 14ओत्ते हमरासिके कुछु विश्वासी भ्यासब मिल्लै आर ओकरसिके कहेल पर हमेसब ओकरसिके संगे सात दिनतक रहलियै। एरंके हमेसब ओकरसिके संगे रहेलके बाद रोम सहरमहर लर्ले गेलियै। 15जब रोम सहरके कुछु विश्वासी भ्यासब हमेसब एत्ते आबैछियै कहिके खबर सुनल्कै, ऊसब हमरसिके भेट करैले लिए अप्पियसके बजार आर तीन सराय नामके जगह तक ऐलै। जब पावल ओकरासिके ऐते देखल्कै ते ओकरा बहुते हिम्मत मिल्लै आर पावल परमेश्वरके धन्यवाद देल्कै।
16जब हमेसब रोम सहरमे पहुँचलियै, तब पावलके एकझन सिपाहीके पहरामे आपन अलग डेरामे रहैके अनुमति मिल्लै। 17तीन दिनके बाद पावल यहूदी आदमीसिके प्रमुख आदमीसिके बोलाबैले भेजल्कै। ऊसब जमा भेलके बाद ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “हे भैय्यासब, हमे ते आपन आदमीसिके विरुद्धमे या बाप-पुर्खाके रिती-रिवाजके विरुद्धमे कोनो काम नैकैलियै रहे। तैय्योपर भी हमरा बन्दी बन्याके यरूशलेम सहरसे रोमी अधिकारीके हातमे सौंप्ल गेलै छे। 18रोमी अधिकारीसब हमर छानबिन करिके छोडी दियैके विचार कैल्कै रहे कहिनेकी ऊसब हमरामे मृत्युदण्ड पाबैके कोनो दोष नैपैल्कै। 19मगर जब यहूदी आदमीसिके अगुवासब एकर विरोधमे बोले लाग्लै ते, हमे हमर फैसला एत्ते रोम सहरमे रोमी महाराजालगत करि दियैके लिए बिन्ती कैलियै, यी कारणसे नै कि हमरा आपन आदमीसिके उप्परमे आरोप लगाना रहै। 20सेल्याके हमे तोरसिसे बातचित करैले तोरासिके बोलैलिहौं छे। हमे यी सिक्कडसे बान्हल छियै कहिनेकी हमे विश्वास करैछियै कि इस्राएलीसिके आशा, यानिकी, मसीह पहेला ही आबी गेलै छे।” 21ऊसब ओकरा कहैल्कै, “हमेसब ते तोर विषयमे यहूदिया प्रदेशसे कोनो चिट्ठी भी नैपैलियै छे। नैते हमरसिके कोनो विश्वासी भ्या-बहिन आबिके तोर विरुद्धमे कोनो खराब बात सुनैल्कै छे आर बोल्लै छे। 22मगर तोर विचार कि छै, उहे हमेसब तोरासे सुनैले चाहैछियै, कहिनेकी हमेसब जानैछियै, कि सभे जगहमे यी प्रभुके पथके विरोधमे आदमीसब बात करैछै।”
23तब ऊ यहूदी आदमीसब पावलके बात सुनैके लिए एकटा दिन तोकि देल्कै आर बहुते संख्यामे आदमीसब ओकर डेरामे ऐलै। ऊ ओकरासिके भरौवासे सझौवा तक व्याख्यान देल्कै, आर मूसाके विधि-विधान आर परमेश्वरके वक्तासिके किताबसे परमेश्वरके राज्यके गवाही देल्कै, आर येशूके विषयमे ओकरासिके विश्वास दिलाबैके कोशिश कैल्कै। 24तब कुछु आदमीसब ओकर कहेल बातके विश्वास कैल्कै मगर कतनें आदमी विश्वास नैकैल्कै। 25ऊसब एक दोसरसे असहमत भेलै आर ऊसब ओत्तेसे ज्या लाग्लै। तब पावल ओकरासिके कहैल्कै, “तोरसिके बाप-पुर्खासिके यशैया परमेश्वरके वक्ताद्वारा पवित्र आत्मा ठीके कहैल्कौ रहे,
26‘यी आदमीसिकते जैके क,
जे हमे कहैछियै, ऊसब सुनैछै जरुर, मगर बुझैनैछै,
जे हमे करैछियै, ऊसब देखैछै मगर ओकरासिके नैसुझैछै,
27कहिनेकी यी आदमीसिके हृदय भोथ भेल छै,
आर एकरसिके कान बहिर भेल छै
आर ऊसब आपन आँख बन्द कैले छै,
नैते ऊसब आँखसे देख्तियै,
कानसे सुन्तियै आर हृदयसे बुझ्तियै
आर घुम्तियै आर हमे ओकरासिके ठीक कर्तियै।’
28सेल्याके तोरासिके मालुम हौं कि परमेश्वरके यी उद्धारके खिसा गैर-यहूदी आदमीसिके लिए भेज्ल गेलै छे, आर ऊसब स्वीकार कर्तै।” 29जब पावल यी कहैल्कै तब यहूदी आदमीसब आपसमे बहुते विवाद करे लाग्लै आर ओत्तेसे चल गेलै।
30पावल ओत्ते पुरा दी सालतक आपन भाडा लेल डेरामे रहलै, आर जे ओकरकते आबै, ऊ सभैसे भेटघाट कर्ते रहलै। 31ऊ साहास आर बिना कोनो बाधाके परमेश्वरके राज्यके प्रचार कर्ते रहै, आर प्रभु येशू ख्रीष्टके बारेमे सिखैते रहलै।
Currently Selected:
चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 28: KYVNT
Highlight
Share
Compare
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.