YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 21

21
यरूशलेम सहरके यात्रा
1एफिसस मण्डलीके अगुवासिसे बिदा भेलके बाद हमेसब पानी जहाजमे चढिके सिधे कोस टापुमे ऐलियै आर दोसर दिन रोडस टापुमे पहुँचलियै आर ओत्तेसे पटारा टापुमे पहुँचलियै। 2ओत्ते हमेसब फोनिके प्रदेश ज्यावाला पानी जहाज पैलियै आर ओक्रहैमे चढिके यात्रा शुरु कैलियै। 3हमरासिके बायाँ बगल साइप्रस टापु दिखाई देल्कै। हमेसब उटा टापु छोडिके सिरिया प्रदेशमहर बढ्ते गेलियै आर टुरोस सहरमे पहुँचलियै कहिनेकी ओत्ते पानी जहाजसे मालसमान उतारना रहै। 4आर हमेसब ओत्ते रहेवाला प्रभुके चेलासिके खोजीके पता लगैलियै आर एक हप्तातक ओकरसिके संगे रहलियै। पवित्र आत्मासे निर्देशन पाबिके ऊसब पावलके यरूशलेम सहर नैजैके लिए बिन्ती कैल्कै। 5सात दिनके बाद जब ओत्तेसे हमरसिके जैके समय ऐलै हमेसब बिदा ल्याके ओत्तेसे यात्रामे निकल्लियै। आर सभे विश्वासीसब आपन पतनी बाल-बच्चासिके संगे हमरासिके सहरके बाहार तक अरियातैले ऐलै, ओत्ते हमेसब समुन्दर किनारमे घुटुवा पारिके प्रार्थना कैलियै, आर एक दोसरसे बिदा भेलियै। 6तब हमेसब पानी जहाजमे चढ्लियै आर ऊसब घुमिके आपन घर गेलै।
7टुरोस सहरसे शुरु कैल यात्रा पुरा करिके हमेसब टोलेमाइस सहरमे पहुँचलियै। ओत्ते उतरिके ओत्करो विश्वासी भ्या-बहिनसिके भेट करिके ओकरसिके संगे एक दिन रहलियै। 8दोसर दिन हमेसब ओत्तेसे बिदा भ्याके कैसरिया सहरमे ऐलियै आर खुश-खबरी प्रचार करेवाला फिलिपके घरमे जैके रहलियै। ऊ चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके द्वारा मोसामातसिके देखभाल करैले चुन्ल गेल सातटा आदमीसिमेसे एकझन रहै। 9ओकर चारटा कुमारी बेटी रहै जे भविष्यवाणी कर्ते रहै। 10जब हमेसब ओत्ते बहुते दिन रहि गेलियै, तब ओत्ते यहूदिया प्रदेशसे अगाबस नामके एकटा परमेश्वरके वक्ता ऐलै। 11जब ऊ हमरसिके भेट करैके लिए ऐलै ते, ऊ पावलके कमरबन्धवाला गमछा ल्याके आपन हात पैर बान्ही लेल्कै आर कहैल्कै, “पवित्र आत्मा कहैछै कि जकर यी गमछा छै, ओकरा अहिने करिके यरूशलेम सहरमे यहूदी आदमीसब बान्हतै आर ओकरा गैर-यहूदी आदमीसिके हातमे सौंपी देतै।” 12यी बात सुनिके, हमेसब आर ओत्करो आदमीसब मिलिके पावलके यरूशलेम सहरमे नैजा कहिके बिन्ती कैल्कै। 13मगर पावल जबाब देल्कै, “तुहेंसब एरंके कानीके कथिले हमर मन दुःखी बनाबैछैं? हमे ते प्रभु येशूके कारण यरूशलेम सहरमे खाली बान्हल जैके लिए ही नै, मगर मरैके लिए भी तैय्यार छियै।” 14आर जब ऊ नैमानल्कै, तब हमेसब यी कहिके बात छोडी देलियै कि, “प्रभुके इच्छा पुरा हुऐ।”
यरूशलेम सहरमे पावलके आगमन
15कुछु दिनके बाद हमेसब तैय्यार भ्याके यरूशलेम सहरमहर गेलियै। 16हमरसिके संगे कैसरिया सहरके कुछु प्रभु येशूके चेलासब भी ऐलै आर ऊसब हमरासिके साइप्रस टापुके निवासीके घरमे ल्यागेलै। मनासोन सभैसे पहेलाके चेलासिमेसे एकझन रहै, जते हमरासिके ठहरना रहै।
17जब हमेसब यरूशलेम सहरमे पहुँचलियै, तब विश्वासी भ्यासब हमरासिके खुशीके साथ स्वागत कैल्कै। 18दोसर दिन पावल हमरासिके ल्याके याकूब लगत गेलै, जते सभे मण्डलीके अगुवासब जमा रहै। 19तब पावल ओकरासिके नमस्कार करिके उटा सभे कामके बारेमे एक-एक करिके सुनैल्कै जे काम परमेश्वर ओकर सेवाके कामके द्वारा गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे कैल्कै रहे। 20यी सुन्लके बाद ऊसब परमेश्वरके महिमा कैल्कै। फेर ऊसब पावलके कहैल्कै, “हे भैय्या, तुहें यी जानैछ कि यहूदी आदमीसिमेसे प्रभु येशूमे विश्वास करेवालासब हजारो आदमीसब छै। आर ऊसब सभेको मूसाके विधि-विधानके बहुते गम्भीरतासे मानैछै। 21आर ऊ यहूदी विश्वासीसब तोर विषयमे अफवाहा बात सुनल्कै छे, कि तुहें गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे रहेवाला यहूदी आदमीसिके मूसाके विधि-विधान छोडी दहैं कहिके सिखाबैछ, आर कहैछ कि नैते आपन बच्चासिके खतना करा आर नैते यहूदी आदमीसिके रिती-रिवाज पर चल। 22ते आब कि उपाय छै? ऊसब ते जरुर ही जानी जैतै कि तुहें एत्ते आबी गेल्ह छे। 23सेल्याके जे हमेसब तोरा कहैछिहौं से कर। एत्ते चारटा आदमी छै। ओकरासिके परमेश्वरसे कैल कबुला#२१:२३ कबुला प्राचीन इस्राएलमे कुछु आदमीसब दारु या कोनो अशुद्ध चीजसे अलग रहैके आर आपन केश कहियो नैकाटैके जीवनभरके कबुला करैके रिती रहै। एकरा नाजरी कबुला कहेल जैछै। पाछु यहूदी कानून एकटा आदमीके अस्थायी नाजरी कबुला स्वीकार करैके लिए सहायता कैल्कै, जकर मतलब छै कि ऊ एकटा निश्चित समयके लिए नाजरी बनिके जिये सकैछै आर समयके अन्तमे कुछु बलिदानसब चढाबे सकैछै। जब यी सभे बात पुरा हैछै, ऊ आदमीके आपन केश मुडन करे पडैछै आर चढैल बलिदानके संगे मुडन कैल केश भी जराबे पडैछै। एतनें कैलके बाद ऊ आदमी दारु पियैके लिए आर आपन पुरना जीवनमे वापस जैके लिए आजाद हैछै पुरा करना छै। 24एकरासिके ल्याके ओकरसिके संगे अपने आपके शुद्ध हुऐके विधि पुरा कर, आर एकरसिके लिए खर्चा पानी तुहें चल्यादह ताकी ऊसब आपन केश मुडन कराबै। तब सभे आदमी जानी लेतै कि जे बात ऊसब तोर विषयमे सुन्लकै छे, उटा बात सच नैछै मगर तुहें खुद भी मूसाके विधि-विधानके मानिके ओकर मुताबिक चलैछ। 25प्रभु येशू ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला गैर-यहूदी आदमीसिके मूर्तिके बलिदान चढैल भोजन, जानवरके खून, घैच मोचारिके मार्ल जानवरके मास आर व्यबिचारसे अलग रहे पड्तै कहिके हमेसब एकटा चिट्ठी लिखिके भेजी देलियै छे।” 26तब दोसर दिन पावल ऊ आदमीसिके आपनसंगे लज्याके खुदके शुद्ध कैल्कै। तब ऊ यी बात सुनाबैके लिए परमेश्वरके मन्दिरमे पुजारीलगत गेलै कि शुद्धिकारणके सात दिन कहिया पुरा हैतै आर ओकरसिमेसे हरेकके लिए बलिदान चढैल जैतै।
परमेश्वरके मन्दिरमे पावलके गिरफ्तारी
27शुद्धिकरणके सात दिन जब पुरा हुऐ पर रहै, तब एशिया प्रदेशके कुछु यहूदी आदमीसब पावलके परमेश्वरके मन्दिरमे देखि लेल्कै आर ऊसब पुरा भीडके भड्क्याके ओकरा पक्डी लेल्कै आर चिकरी-चिकरीके कहे लाग्लै, 28“इस्राएलीसब सहायता कर! यी उहे आदमी छै, जे हरेक जगहमे आपनसिके यहूदी जात, मूसाके विधि-विधान आर यी परमेश्वरके मन्दिरके विरोधमे सभे आदमीसिके सिखाबैछै। खाली एतनें नै, यी आदमी यूनानी आदमीसिके भी परमेश्वरके मन्दिरमे आनिके पवित्र स्थानके अपवित्र करिदेल्कै छे।” 29यी बात ऊसब इहे ल्याके कहैल्कै रहे कि सहरमे एफिसस सहरवासी त्रोफिमस नामके गैर-यहूदी आदमीके पावलके संगे देखल्कै रहे, आर ऊसब बुझल्कै कि पावल ओकरा परमेश्वरके मन्दिरमे आनल्कै। 30यी बातसे पूरा सहरमे होहल्ला मच्लै आर आदमीसब चारोमहरसे दौड्ले ऐलै। आर ऊसब पावलके पक्डीके परमेश्वरके मन्दिरसे घिसियैते हुए बाहार निकाल्लकै, आर तुरन्ते परमेश्वरके मन्दिरके फाटक बन्द करि देल गेलै। 31ऊसब पावलके जान मारि दियैके कोशिशमे रहै। तखनिहैं रोमी सेनापतिके लगत यी बातके खबर पहुँचलै कि बहुते आदमीसब यरूशलेम सहरमे उपद्रव मचैले छै। 32तब ऊ तुरन्ते सिपाहीसब आर कप्तानसिके ल्याके ओकरसिके लगत दौड्ले गेलै। आर भीडके आदमीसब सेनापति आर सिपाहीसिके देखिके पावलके मारपिट करैले छोडल्कै। 33तब सेना-दलके सेनापति पावलके नज्दिक आबिके ओकरा पक्डल्कै आर दीटा सिक्कड ल्याके ओकरा बान्हैके हुकुम द्याके पुछे लाग्लै, “यी के छै आर यी कि कैल्कै छे?” 34मगर भीडमेसे कोय एकटा बात आर कोय दोसर बात कहिके हल्ला कर्ते रहलै आर सेनापति होहल्लाके कारणसे घटना कि छै कहिके बुझे नैसकल्कै आर ऊ पावलके सेनाके-छावनीमे लजाबैके हुकुम देल्कै। 35जब पावल सिढीमे पहुँचलै तब एरं भेलै कि भीडके हिंसाके कारणसे सिपाहीसिके पावलके उठ्याके लजाबे पड्लै। 36कहिनेकी आदमीसिके भीड “एकरा जानसे मार” कहिके हल्ला कर्ते ओकर पाछु लाग्लै।
37जब ऊसब पावलके सेनाके-छावनीमे लजाबै पर रहै, तब पावल सेनापतिके कहैल्कै, “अनुमति मिलै ते हमे तोरा कुछु कहैले चाहैछियै।” सेनापति पुछल्कै, “कि तोरा यूनानी भाषा आबैछौ? 38कि तुहें मिश्री आदमी नैछैं, जे हालसाले सरकारके विरुद्धमे विद्रोह करिके चार हजार उग्रवादीके सुनसान जगहमे ल्यागेलै रहे?” 39मगर पावल जबाब देल्कै, “नै, हमे एकटा यहूदी आदमी छियै आर किलिकिया प्रदेशके प्रसिद्ध सहर टार्सस सहरके निवासी छियै। आर हमे तोरासे बिन्ती करैछिहौं, कि हमरा यी आदमीसिसे बात करैले द्या।” 40जब ऊ आज्ञा देल्कै, तब पावल सिढीमे खडा भ्याके आदमीसिके हातसे इशारा करिके चुप रहैके लिए कहैल्कै। जब आदमीसब एकदम चुप भेलै, तब ऊ हिब्रू भाषामे बोले लाग्लै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

Videos for चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 21