YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 20

20
माकेडोनिया, यूनान आर त्रोआसमे पावल
1उटा होहल्ला शान्त भेलके बाद पावल प्रभु येशूके चेलासिके बोलैल्कै, आर ओकरासिके उत्साहित करिके ओकरसिसे बिदा भ्याके माकेडोनिया प्रदेशमहर चल गेलै। 2ओत्ते पहुँचलके बाद ऊ जगह-जगहमे जैके प्रभुके चेलासिके हौसलासे परिपूर्ण शिक्षा देल्कै। तकरबाद ऊ यूनान प्रदेशमे पहुँचलै, जकरा अखैया प्रदेश भी कहैछै आर तीन महिनातक ओथै रहलै। 3ओत्ते ऊ तीन महिना बितैलके बाद सिरिया प्रदेशमहर पानी जहाजमे चढिके यात्रा करै पर रहै, मगर ऊ सुनल्कै कुछु यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकरा जहाजमे जान मारैके षड्यन्त्र बनाबैछै सेल्याके पावल सिरिया प्रदेशमे माकेडोनिया प्रदेश द्याके जैके निर्णय कैल्कै। 4तब बेरिया निवासी पुरसके बेटा सोपात्रोस, थेसलोनिके सहरवासी अरिस्तार्खस आर सिकन्दस, डर्बी सहरके गायस, आर तिमोथी लुस्त्रा सहरसे आर एशिया प्रदेशके तुखिकस आर त्रोफिमस ओकरसंगे गेलै। 5यी साथी यात्रीसब हमरसिसे पहेला चल गेलै आर त्रोआस सहरमे पहुँचीके हमरसिके इन्तजार कर्ते रहलै। 6हमेसब दोनो झन पैदल यात्रा करिके फिलिप्पी सहरमे गेलियै। निस्तार पावनके बाद हमेसब फिलिप्पी सहरसे पानी जहाजमे चढिके पाँच दिनके यात्राके बाद त्रोआस सहरमे ओकरसिके लगत पहुँचलियै आर ओत्ते हमेसब सात दिनतक रहैलियै।
त्रोआसमे पावलके चमत्कार
7हप्ताके पहेला दिनमे जब हमेसब प्रभु-भोज खैले जमा भेलियै, तब पावल दोसर दिन जैके इच्छा करैके कारणसे ओकरसिके संगे आधा राततक बातचित कर्ते रहलै। 8हमेसब जमा भेल उप्परके कोठामे बहुते चिरागसब बर्ते रहै। 9युटिकस नामके एकटा जवान खिडकीमे बैठ्ल रहै। पावल बहुतेबेर तक बात कर्ते रहैके कारणसे ऊ औंघाबे लाग्लै आर अन्तमे निनमे पडी गेलै आर ऊ तीन महल्लासे निच्चा गिर्लै आर जब कुछु आदमीसब दौडिके निच्चा गेलै आर ओकरा उठैल्कै ते ओकर मौत भेल रहै। 10तब पावल निच्चा गेलै, ओकरलगत जैके झुकिके ओकरा भर पाँज पक्डीके गला लगैल्कै आर कहैल्कै, “नैघबरा, कहिनेकी यी जिन्दे छै।” 11तब पावल फेर उप्पर जैके प्रभु-भोज कैल्कै आर ऊसब सभेको एक्केसंगे खैल्कै आर खैलके बाद भरौवा उजेत नैहुऐतक बहुतेबेर तक बातचित कर्ते रहलै आर तकरबाद ऊ ओकरासिसे बिदा भेलै। 12आदमीसब बहुते खुशी भ्याके ऊ जवानके जिन्दा घर ल्यागेलै।
त्रोआस सहरसे मिलेटस सहरके यात्रा
13हमेसब पानी जहाजमे सवार भ्याके अस्सोस सहरमहर आगु बढलियै, जतेसे पावलके संगमे ल्याके आगु बढना रहै, पावल ओत्ते पैदल पहुँचलै रहे कहिनेकी यी ओकरे पहलहैसे बनैल योजना रहै। 14हमेसब अस्सोसमे पहुँचलके बाद उहो भी आबिके जहाजमे चढ्लै आर हमेसब सभेको मिलिके मितिलेने सहरमे ऐलियै। 15आर दोसर दिन ओत्तेसे यात्रा कर्ते हुए हमेसब खियस सहरके नज्दिकसे होते हुए सामोस सहरमे पहुँचलियै आर ओकर अगला दिन मिलेटस सहरमे ऐलियै। 16पावल एफिसस सहरमे नैजैके निर्णय कैल्कै कहिनेकी ऊ एशिया प्रदेशमे आरहौ बेसी समय बिताबैले नैचाहल्कै। ऊ इहे ल्याके जल्दीमे रहै कि यदि सम्भव हुऐ ते पेन्तिकोस-पावनके दिनतक यरूशलेम सहर पहुँची जैयै।
पावलके एफिसस सहरके मण्डलीके आदमीसिसे आखरी भेट
17जब हमेसब मिलेटस सहरमे उतरलियै, पावल एफिसस सहरके मण्डलीके अगुवासिके समाद भेजल्कै। 18जब ऊसब ओकरसिके लगत ऐलै ते, ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “एशिया प्रदेशमे पैर राख्ल पहेला दिनसे एखनतक हमे सभे समय तोरसिके बीचमे केरंके बितैलियै से तुहेंसब जानैछ। 19बहुते विनम्रतासे आर लोर बहैते उटा संकटके समयमे भी, जे यहूदी आदमीसिके षड्यन्त्रके बदौलत हमरापर ऐलै रहे, हमे प्रभुके सेवा कर्ते रहैलियै। 20जे कोनो बात तोरसिके हितके लिए रहै, उटा बात तोरासिके खुलिके कहैलियै आर सभैके समनामे आर घर-घरमे जैके तोरासिके शिक्षा देते रहैलियै। 21हमे यहूदी आदमीसिके आर यूनानी आदमीसिके चेतावनी देते रहैलियै कि पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबै आर आपनसिके प्रभु येशूमे विश्वास करै। 22आर आब, हमे पवित्र आत्माके आज्ञा मुताबिक यरूशलेम सहर जैछियै, आर हमे नैजानैछियै कि ओत्ते हमरसंगे कि हैतै। 23खाली एतनें जानैछियै, कि हरेक सहरमे पवित्र आत्मा हमरा चेतावनी दैछै कि हमर लिए जेल आर कष्ट तय छै। 24मगर हमे आपन जीवनके कोनो मोलके आर आपन लिए प्रिय नैसोचैछियै। हमे खाली एतनें चाहैछियै, कि परमेश्वरके अनुग्रहके खुश-खबरीके गवाही दियैले हमर दौड आर प्रभु येशूसे हमरा मिल्ल हमर सेवकाई हमे पुरा करे सकियै।
25आब देख, तोरसिके जकर बीचमे हमे सभे जगहमे परमेश्वरके राज्यके प्रचार कर्ते ऐलियै छे, तोरसिके संगे फेर हमर भेट कहियो भी नैहैतै कहिके हमरा मालुम छै। 26सेल्याके ऐज हमे तोरासिके गवाही दैछिहौं यदि तोरसिमेसे कोय भी प्रभु येशूके विश्वास नैकरिके मर्भ ते एकर जिम्मेदार हमे नैछियै। 27कहिनेकी हमे तोरासिके परमेश्वर तुहेंसब जे बात जानह कहिके चहते रहै उटा सभे बात बतैलिहौं छे। हमे तोरासिसे कुछु भी नैनुकैलिहौं छे। 28आब तुहेंसब आपनहैं आपन देखभाल कर आर पवित्र आत्मा तोरासिके जिम्मा लगैल परमेश्वरके मण्डलीके देख-रेख कर, जकरा ऊ आपन बेटाके खूनसे मोल लेल्कै छे। 29हमे जानैछियै कि हमर गेलके बाद झुट्ठा शिक्षकसब तोरसिके बीचमे ऐतौ आर विश्वासीसिके बडका हानी कर्तौ। ऊसब डरलग्गा खटिहा जुगुर हैतौ जे भेंडाके जान मार्तौ। 30एत्तेतक कि तोरसिके आपने विश्वासीसिके समूहसे आदमीसब ऐतौ, जे विश्वासीसिके आपन तरफ लज्याके आपन चेला बनाबैले उल्टा-पुल्टा शिक्षा देतौ। 31सेल्याके होशियार रह आर मनमे याद राख कि तीन बरसतक दिन-रात लोर बहैते सभे आदमीके हमे चेतावनी देते रहियै। 32आब हमे तोरासिके परमेश्वरमे आर ओकर अनुग्रहके वचनमे सौंपैछिहौं, जे तोरासिके विश्वासमे मजगुत बनाबे सकैछै, आर परमेश्वर तोरासिके उत्तराधिकार देतहौं जे ओकरद्वारा पवित्र बनैल सभैके लिए वादा कैल्कै छे। 33हमे कोनो आदमीके सोना, चानी या कपडाके लोभ नैकैलियै। 34तुहेंसब आपनहैं जानैछ कि हमर इहे हातसे मेहनत करिके हमर आपन आर हमरसंगे हुएवाला दोस्तसिके जरुरतके पुरा कैल्कै छे। 35हमे तोरासिके सभे कुछु करिके देखैलिहौं, कि तहुँसब अहिने करिके कडा मेहनत क्याके कमजोरसिके सहायता करे पड्तहौं। प्रभु येशूके वचन याद राख कि ऊ आपनहैं कहैल्कै छे, ‘लेनासे देना आरहौ आशिषमय छै।’ ”
36एतनें कहिके ऊ घुटुवा पारल्कै आर ओकरसिके संगे प्रार्थना कैल्कै। 37तब ऊसब सभेको बहुते कान्लै आर पावलके गला पक्डीके बिदा कैल्कै। 38ऊसब विशेष करिके यी बातके शोक कर्ते रहै, जे बात ऊ कहैल्कै रहे, “तोरसिके संगे फेर हमर भेट कहियो भी नैहैतै।” आर ऊसब ओकरा अरियातीके पानी जहाजतक पहुँचैल्कै।

Highlight

Share

Compare

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in